मंगलवार, 29 अप्रैल 2014

एक नजर : मौजूदा सांसद, उम्मीदवार आ मतदाता पर

मिथिला के संसद सूची

मधुबनी:-
मौजूदा सांसद : अशोक कुमार यादव (भाजपा)
Madhubani Sansad Name : Ashok Kumar Yadav
मतदाता : 1585265

झंझारपुर:-
मौजूदा सांसद : राम पिरित मंडल (जदयू)
Jhanjharpur Sansad Name : Ramprit Mandal 
मतदाता :1631212

इहो पढ़ब :-

दरभंगा:-
मौजूदा सांसद - गोपाल जी ठाकुर (भाजपा)
Darbhanga Sansad Name - Gopal Jee Thakur (BJP)
कुल मतदाता : 1469552

समस्तीपुर:-
मौजूदा सांसद : (एलजेपी)
Samastipur Sansad Name : 
मतदाता : 1467997

मधेपुर:-


मौजूदा सांसद : दिनेश चंद्र यादव (जदयू)
Madhepura Sansad Name : Dinesh Chandra Yadav 
मतदाता : 1671897

इहो पढ़ब :-

बेगुसराय:-


मौजूदा सांसद : गिरिराज सिंह (भाजपा)
Begusarai Sansad Name : Giriraj Singh
मतदाता : 1741045

खगड़िया:-


मौजूदा सांसद : चौधरी महबूब अली कैसर (एलजेपी)
Khagaria Sansad Name : Mehboob Ali Kaiser 
मतदाता : 1475075

सीतामढ़ी :-
मौजूदा सांसद : सुनील कुमार पिंटू (जदयू)
Sitamarhi Sansad Name : Sunil Kumar Pintu


भागलपुर :-


मौजूदा सांसद : अजय कुमार मंडल
Bhagalpur Sansad NameAjay Kumar Mandal 


मुजफ्फरपुर :-


मौजूदा सांसद : अजय निषाद (भाजपा)
Muzaffarpur Sansad Name : Ajay Nishad


पुर्णिया :-


मौजूदा सांसद : संतोष कुमार (जदयू)
Purnia Sansad Name : Santosh Kumar (संतोष कुमार)


मुंगेर :-


मौजूदा सांसद : राजीव रंजन सिंह 'ललन' (जदयू)
Munger Sansad Name : Rajiv Ranjan 


अररिया :-


मौजूदा सांसद : प्रदीप कुमार सिंह (भाजपा)
Araria Sansad Name : Pradeep Kumar Singh 


कटिहार :-


मौजूदा सांसद : दुलाल चन्द्र गोस्वामी  (जदयू)
Katihar Sansad Name : Dulal Chandra Goswami 


सुपौल :-


मौजूदा सांसद : दिलेश्वर कमाइत (जदयू)
Supaul Sansad Name : Dileshwar Kamait

Last Updated: 16/04/2022 

शनिवार, 26 अप्रैल 2014

Maithili Movie: ”Hero Tohar Deewana” Releasing on next month of may

मनोरंजन M.D. : धराधर बनैत मैथिलि फ़िल्म आ एही में नव कलाकारक रूचि सँ आब मैथिलि फ़िल्मक दिन सुदिन नजर आबि रहल अछि। एही क्रम में मैथिलि फ़िल्मक दीवाना लेल एकटा फिल्म आबि रहल अछि '' हीरो तोहर दीवाना"

एस.सी.वि. प्रोडक्शनक बैनरके अधीन बनल  ''हीरो तोहर दीवाना" मिथिलावासी दर्शक के दीवाना बनावै लेल फ़िल्म में चहटगर गीत, मधुर संगीत, हंसी मजाक, एक्शनसं भरपूर फ़िल्म  अछि। फ़िल्मक निर्माता छैथ देव राज झा। निर्देशक अजित मेहता द्वारा निर्देशित एहि फ़िल्मक कथा पटकथा लिखने छथि विक्की देव प्रदीप । फ़िल्मक में मुख्य कलाकार छैथ -देव राज झा, माधव राय, विक्की चौधरी, स्वेता वर्मा, आरती गुप्ता, जन्नत, नवीन चौधरी, रामसेवक ठाकुर, उषा पासवान, इरसाद आदि। गायक - पवन नारायण, माधव राय।
फ़िल्मक कथा :-
फ़िल्मक कथा दिनटा दोस्त पर आधरित अछि, जे तीनो अलग-अलग बैकग्राउंड सँ रहैत अछि। जही में एकटा पुलिस इंस्पेक्टर, दोसर कॉलेज स्टूडेंट आ तेसर किसान अछि। निमन गीत संगीत, कॉमेडी, प्रभावी अभिनय सवटा देखैत ई फ़िल्म निश्चित रुप सँ मिथिलाक दर्शक के दीवाना बनाओत। मिथिला धरोहर:  मैथिलि फ़िल्मक अपार सफ़लताकए लेल शुभकामना दैत मिथिला, मैथिलि प्रेमी सँ आग्रह जे ओ ई फ़िल्म अवश्य देखैथ।

रविवार, 20 अप्रैल 2014

बदलत सूरत, बनत हाईटेक

दरभंगा : आब डीएमसीएच के सूरत बदलत। दशको पुरान जीर्णशीर्ण भवनक जगह सुसज्जित आ हाईटेक भवनक निर्माण होयत। स्थल चयन पर मोहर लगी गेल अछि। डीएमसीएच कs प्राचार्य सह अधीक्षक अय प्रस्ताव के दिल्ली कs आर्किटेक्ट कs साथ गुरुवार कs अंतिम रूप देलक। भवनक निर्माण बिहार मेडिकल इंफ्रास्ट्रक्चर डेवलपमेंट कॉरपोरेशन करत।

एही मs छात्रावास, जांच आउर वार्ड भवनक निर्माण सात तल्ला के होयत। भवन में लिफ्ट के व्यवस्था होयत। डीएमसीएच मुख्य पथ के उत्तर कॉलेज, छात्रावास, प्रशासनिक लेक्चर थिएटर कs निर्माण होयत। पुरुष छात्रावास वर्तमान छात्रावास भवन सँ लsके गंगा सागर स्थित चतुर्थ वर्गीय आवास तक बनत। तेकर पश्चिम मs खेल मैदान होयत। एमबीबीएस छात्रावास सिंगल सिटेड होयत। एही में 1250 छात्रक रहय कs व्यवस्था होयत। पीजी छात्रावास दू तरहक बनत। जाही में 250 कमरा फैमिली टाईप आ 250 कमरा सिंगल रूम होयत। पोस्टमार्टम कक्ष अत्याधुनिक होयत। अलग सँ दू लेक्चरर थिएटर भवन बनत। मरीजक लेल वार्ड भवनक निर्माण अस्पताल पथ के दक्षिण मे बनत। वार्डोक भवनक निर्माण गायनिक वार्ड सँ वर्तमान क्लिनिकल पैथोलॉजी तक बनत। भवनक सोंझ पार्क आ नीचा पार्किंग के व्यवस्था रहत।

शुक्रवार, 11 अप्रैल 2014

Mithila ke Khet-Pathar : Photo Gallery

मिथिलांचल कs खेत-पथारक पांचटा सुन्नर फोटो 
 खेत मs गेहुंम काटइत मजदुर
खेत मs बान्हल गहूंमक बोझ

बुधवार, 9 अप्रैल 2014

पति क निकाल नय तs गोली माइर देबो : Maithili Jokes

1. किराया क मकान म भूकंप
चुन्नू मुन्नू सँ- उठ जो यार, जल्‍दी उठ, भूकंप आबि रहल छय, घर गिर परतो।
मुन्नू - तू सुइत जो, गिरतै त मकान मालिक क न, हम त किरायेदार छि।


2. बूढ़ महिला अनलक भिखारी क लेल खाना
भिखारी भीख मांगैत एकटा घरक दरवाजा पर पहुंचल, दस्तक देलक त अंदर सँ एकटा पैंतालीस सालक महिला आयल।
भिखारी : माताजी भूखल क सोहारी दी य
महिला : शरम नय आबै छउ, हट्टा-कट्टा भ के भीख मांगय छ. दू टा हाथ छउ, दू टा आंइख छउ, पैर छउ, फेरो भीख मांगय छ?
भिखारी : माताजी, अंहु त खूबसूरत, गोर-चिट्टी छि, गजबक फिगर अछि आउर अखन अंहा क उम्र की भेल हन? अहा मुंबई जै क हीरोइन किया नय बनय छि? घर पर बेकार बैठल छि.
महिला : कनी रुक,  हम अखने तोरा लेल खाना लाबै छियो।


इहो पढ़ब:- 

3. एहन की भेल जे की मुर्गे देलक अंडा
एकटा फार्मक मालिक एक दिन सवटा मुर्गि सँ बाजय अछि, " कल सँ सब क दू-दू टा अंडा देनाय छय, जे नय देत ओकरा हम काइट देबय।
अगिला सुबह सब मुर्गि दू-दु टा अंडा देलक मुदा एकटा सिर्फ एकेटा अंडा देलक। 
मालिक जहन एकर कारण पुछलक त ओ मुर्गी बाजल "जनाब, इहो हम अहा क डरे सँ देलो वरना हम त मुर्गा छि।


4. पत्‍नी क फोटोग्राफी
एक दिन चुन्नू अपन पत्‍‌नी क ढेर रास फोटो ल रहल छल,
पत्‍‌नी एकदम सँ खुश भ के - की बात छय जी ? आय त हमर फोटो पर फोटो लेल जा रहल छि ?
चुन्नू-किछो नय पगली, आय हमरा माथा पर वाइल्ड लाइफ फोटोग्राफी क भूत सवार ऐछ।


इहो पढ़ब:-


5. पति क निकाल नय त गोली माइर देबो
सिनेमाघर म एकटा युवती मैनेजर क कनपटी पर पिस्तौल अड़ा देलक और कहलक-हमर पति अंदर बैठ दोसर औरतक साथ पिक्चर देख रहल अछि. ओय दुनू क अंहा जल्दी सँ बाहर निकालू, वरना अंहा क गोली माँइर देव..
मैनेजर डर सँ कांपैत थिएटर म अनाउंसमेंट करवेलक-जे भी पुरुष पराई स्त्री क साथ पिक्चर देख रहल छि, जल्दी सँ बाहर आबि जाउ... 
अनाउंसमेंट क खतम होएते दू मिनट म सावटा थिएटरे खाली भ गेल।

अपन मिथिला धाम : Maithili Kavita

स्वर्ग सँ सुन्दर अपन मिथिला धाम
ओय पर हमरा छय बहुते गुमान,
मिथिला सन नय  नगर धरती पर
एकर दुनिया मे छय अपन पहचान।

झंडा फहराइत अछि सगरो संसार मे
इतिहास अही बात के छय प्रमान,
किया न छुवत इ नवका बुलंदी के
युवा हाथ मे एकर छय कमान।

पावनि सँ पटल अछि मिथिला के धरती
चौठचंद्र, छैठ आ भर्दुतिया ओ नाम,
बेटी बनी एली सीता अहि धरती पर
अहि धरती लेल लोभेला श्री राम ।

घर मे सोखा भगवती अंगन मे अछि तुल्शीचौरा
जतय भोर पराति साँझ गोसोउनिक नित गान,
तिनटा वस्तु बड़ प्रसिद्ध मिथिला के
ओ पोखिरक माछ आ पान, मखान।

जतय उगना बनी एलखिन महादेव
ओ अछि श्री विद्यापति केर गाम,
धन्य छि हम मिथिलावासी बनी के
ताहि मिथिलाक सत-सत प्रणाम।
© प्रभाकर मिश्र 'ढुन्नी