रविवार, 25 मई 2014

FILM POSTERS- DEEWANA AHAN KE PYAR ME

मैथिलि फ़िल्म पोस्टर 'दीवाना अहाँ के प्यार में' एकटा झलक।

शुक्रवार, 23 मई 2014

बॉलीवुड फिल्म में मिथिला सपूत विकास झा

मिथिला धरोहर : मूलतः मधुबनी जिला अंतर्गत बेनीपट्टी अनुमंडल केँ सिमरी (भोजपरौल) गामक निवासी विकाश झा (Maithili Singer Vikash Jha, Benipatti) बॉलीवुड के हिंदी फिल्म 'लक इन टेंशन' में अपन संगीत संगे अपन आवाज दऽ केँ नइ सिर्फ मिथिला केँ नाम रौशन केलैथ सनगेह मधुबनी जिला केँ मान सेहो बढ़ेलैथ। सिमरी गामक उतरवारी टोला निवासी शिव नारायण झा के मध्यमवर्गीय परिवार में जनमल बिकाश झा के बचपने सँ गीत-संगीत में बहुते रूचि छलनी।
अपन गामक उच्यविद्यालय सँ मैट्रिक आ भारती हज कॉलेज रहिका सँ बीकॉम केँ सिक्षा लेबय बला विकाश झा सुरुवात में गामक कीर्तन आ नाटकक मंच पर गीत गाबय छलथि। धीरे-धीरे विकाश जी केँ गीतक चर्चा लोगसबकऽ मुह सँ होमय लागल। 

इहो पढ़ब:-

आइ विकाश झा मैथिलि गीत संगीतक क्षेत्र  के र्चित चेहरा छथि संगे-संग भोजपुरी, नेपाली, हिंदी संगे न भाखामे दर्जनों एलबम गाबी चुकल छथि। विकाश झा एखन धरि सौतिनक बेटी हाफ मर्डर, सेनुरक मोल अनमोल, प्रेम प्रतिज्ञा, राधा संग मोहन,सजन घर जेबै कोना आदि मैथिलि फिल्मक वास्ते अपन स्वर दऽ चुकल छैथ। चर्चित निर्देशक गीता लोचर कऽ निर्देशन में हिंदी फिल्म 'लव इन टेंशन' में मिथिलाक सपूत बतौर संगीत निर्देशक आ गायकी (सह गायिका-ममता शर्मा, कल्पना) सँ सजेने छथि। 
(Report : प्रभाकर मिश्रा, मिथिला धरोहर)

सोमवार, 19 मई 2014

मिथिला पेंटिंग में बनल राम के कथा

मधुबनी शहरक बुद्धनगर म रही रहल ३८ वर्षक सोनी झा में लगन आ कला के कुनो कमी नइ अछि। ग्रामीण क्षेत्र में पैल-बैढ़ के स्कुल सँ ककहरा सिख मिथिला के परंपरागत अरिपन, पुरहर, व्यवहारिक गीत आ मिथिला पेंटिंग कs शुरूआती कला के प्रशिक्षण ओं अपन माँ आ नानी सँ लेलैन। अपन दृढ़ इच्छा शक्ति आ लगन सँ मिथिला पेंटिंग म चित्रमय राम कथा तैयार केलैन। एकर चर्चा क्षेत्र में खूब भ रहल अछि। हिनक झंझारपुर लोहना रोड नरुआर गाम में राम चित्रकथा बनबै सँ खुशी के वातावरण अछि।

वैवाहिक जीवनक साथ सोनी जी ललित ना० विश्वविद्यालय सँ साहित्य म प्रथम श्रेणी सँ एमए केलैन। मिथिला पेंटिंग म चित्रमय राम कथा पुस्तक के रचना हिनक जीवनक एकटा अदभुत सोच अछि। ५०० पृष्टवला एही रामकथा म रामक जन्म काल सँ लs के बैकुंठ तक जाइ के चर्चा चित्रकला क माध्यम सँ दरsसाओंल गेल अछि। पहिले एकर विमोचन महावीर मंदिर धार्मिक न्यास ट्रस्ट क सचिव आचार्य किशोर कुणाल जी महावीर मंदिर पटना क प्रांगण में कॆलैन। तिरुपति राष्ट्रीय संस्कृत विद्यापीठ म आयोजित साहित्यक सांस्कृतिक परिचर्चा म एही पुस्तक के राखल गेल, बरणसी सँ प्रकाशित एही पुस्तक म मैथिलि, हिंदी, अंग्रेजी भाषा म फोटो परिचय देल गेल अछि। सोनी झा के पिता मित्र नाथ मिश्र कs कहवा अछि जे बचपने सँ सोनी म सिखैय क ललक छल, तेकर परिणाम ऐछ जे इ पुस्तक लिखल गेल।

शुक्रवार, 16 मई 2014

First Bajjika Film: Kahiya Hotay Piya Milan

मि.ध.: वज्जिका भाषा में पहिल बेर फीचर फ़िल्म 'कहिया होतय पिया मिलन' बनाओल जा रहल अछि ( Bajjika Film ) । एकर निर्माता, निर्देशक, लेखक, गीतकार, संगीतकार आ कलाकार सवटा वज्जिकापट्टी के अछि, एकर सवटा गाना रिकार्ड कs लेल गेल अछि। जल्दे फ़िल्मक शूटिंग शुरू होयत, एकर लेल वैसली, मुजफ्फपुर, सीतामढ़ी के विभिन्न लोकेशन ताकल गेल अछि। लोकेशन चयन केला के बाद निर्देशक शिबू वर्मा बतेलखिन जे लगभग सवटा लोकप्रिय भाषा में फ़िल्मक निर्माण भs रहल ऐछ, मुदा वज्जिका में नय. इ उत्तर बिहारक (मिथिला) ओय क्षेत्र के भाषा अछि जे भगवान महावीर के जन्मभूमि ऑउर बुद्ध के कर्मभूमि रहल अछि। वज्जिका के प्राचीनता आ गरिमा गणतंत्री वैशाली कs साथ जुड़ल अछि। इ भाषा लोककंठ में आयो जीवित अछि, ओही वज्जिका भाषा के प्रति आदर आ सम्मानक प्रतीक अछि फ़िल्म 'कहिया होतय पिया मिलन' गीत के संगीत सँ संजय कुमार संजू सजेने अछि, चित्रांश इंटरनेशनल के बैनर बनै वला एही फ़िल्मक निर्माता शावित्री देवी संजय किशोर आ अनुपम श्रीवास्तव अछि, जखन मुख्य भूमिका में अंजनी कुमार, गोपाल राय, उदय श्रीवास्तव, विजय खरे, रीमा सिंह, चन्दन कुमार, सोनू पांडेय, शवेता वर्मा, आदि होयत। दुर्गा पूजा धरी फ़िल्मक प्रदर्शनक योजना अछि।

तोहर एते रास गर्लफ्रेंड: लाजबाब मैथिलि चुटकुला

१. सिंटू (अपन दोस्त सँ)- यार, तोहर एते रास गर्लफ्रेंड छउ से केना ?
दोस्त फिलॉसफी झारइत कहलक - यार, हम एकटा लड़की सँ प्रेम केलौं और ओ हमर दिल तोडी देलक।
आब दिलक सवटा टूटल टुकड़ा अलग-अलग लड़की सँ प्रेम करैत छैक।


२. पिता- किया कइन रहल छिहि?
चुन्नू- मास्टर जी मारलक...
पिता- जरूर तु कुनो गलती केने हेमही। 
चुन्नू - नय हम तऽ खाली आराम सँ सुतल छलियै।

इहो पढ़ब :-

३. पत्नी - अगर हमर शादी कुनो 'राक्षसो' सँ भऽ जाइतै तऽ हम ओते परेशान नय रहितौं, जतेए अहाँ के संग छि...। 
पति आश्चर्यजनक तरीका सँ जवाब दइत कहलक - गे बतही..। खूनक रिश्ता मऽ बियाह थोरे नऽ होइत छै।


४. चुन्नू कंगाल होय पर कनियाँ सँ बाजल: अहाँ बच्चा के नानी ओतय भेज दियौ...
आ अहाँ अपन माँ कऽ पास चैल जाउ..
हमर की ऐछ ! हम अपन सासुर चैल जायब।

इहो पढ़ब :- 

५. चुन्नू कऽ रोड आ खम्बा पर लागल पोस्टर पढय के बहुते शैख छल. जहन ओ पोस्टर पढय के लेल खम्बा पर चढल तऽ ओय पर लिखल छल-
"खम्बा पर नबका पेंट केने छि अय पर हाथ नय लगायब..."।

बुधवार, 7 मई 2014

Janki or Sita Navami 2022 - माता सीता के जन्मोत्सव : जानकी नवमी

Janki or Sita Navami 2022 - 10 मई 2022

मि.ध: सीतामढ़ी जिला मुख्यालय सँ पाँच किलोमीटर दक्षिण-पश्चिम म पुनौरा नामक स्थान पर जगत जननी सीता के जन्म स्थान मानल जाइत अछि। आइ एहि जगह पर छोट सन रामजानकी के भव्य मंदिर उपस्थित अछि। 


जानकी नवमी वैशाख मासक शुक्ल पक्ष के नवमी के मनाओल जाइत अछि। एही बेर इ 10 मई (2022) के मनाओल जा रहल अछि। धर्म ग्रंथक अनुसार एही दिन सीता माता प्राकट्य भेल छलथि। शास्त्रक अनुसार वैशाख मासक शुक्ल पक्षक नवमी के दिन पुष्य नक्षत्र में जखन महाराजा जनक सीतामढी के पुनौरा में संतान प्राप्ति के कामना सँ यज्ञक भूमि तैयार करबाक लेल ह'र सँ भूमि जोएत रहल छलैत, ताहि समय पृथ्वी सँ एकटा बालिका प्राकट्य भेल। जोतल गेल भूमिक आ  ह'रक नोक के 'सीता' कहल जाइत अछि, ताहि सँ बालिका के नाम 'सीता' रखाल गेल छल। मिथिलाक राजा सीरध्वज के बाद मिथिलाक जनक भेलाह औदास, ओ जानकी नवमी दिन कुनो क्षत्रिय आ ब्राह्ममण के खेत में ह'र चलेबा पर प्रतिबंध लगा देलखिन। मिथिला मे आइ सेहो सुहाग लेल गौरीक पूजा कैल जाइत अछि, जखन कि सीताक पूजा लक्ष्मीक मंत्र सँ होइत अछि। अर्थात मिथिला मे सीताक पूजा नहि होइत अछि।

मंगलवार, 6 मई 2014

जोगारू बाबा: Funny Maithili Kavita

बाबा के उम्र भेल 76 क पार
प्रेम के चढ़लैन  नवका खुमार।
मुह म नै छैन एगो दांतों क नाम
बहिर छैन हुनकर दुनु कान।
बाबा क चर्चा अछि सगरो गाम
अपना बुझै छथिन सलमान खान।
मुह त छैन हुनक चुगला समान
खुलले रहैछ्न जेना पानक दुकान।
डाय करेलखिन केश आ दाढ़ी
मुह त छलैन हुनक पहिले सँ कारी।
माथा पर भेलैन हुनक भुत सवार
बियाहक लगबै छथिन अखनो जोगार।
बुराड़ी म हुनका लाजो नय होय छैन
अय उम्र म कुनो काजो नय होय छैन।
दलान पर बैस खाली गफे हंकै छैथ
खोंकी क के खाली कफे फेकै छैथ।
बाबा क उम्र भेल 77 क पार
गैरेज म राखल जेना पुरनका कार।
किया खराब केलो गमक हावा
अय उम्र में तनी सुधरु ने बाबा।

सोमवार, 5 मई 2014

जुड़ शीतल : Jur Sital Image - सदिखन जुरायल रहू

जुड़ शीतल फोटो
जुरायल रहबाक आशीर्वाद दैत
जुड़ शीतल में थाल-कादो खेलबाक परम्परा

बड़ी - कचरी
तुलसी चौरा
बड़ी भात







Juir Sheetal , জুড় শীতল, जुड़ शीतल : Photo Gallery