सोमवार, 30 जून 2014

MAITHILI FILM POSTERS

सोमवार, 16 जून 2014

मैथिलि चुटकुला : Funny Jokes In Maithili

चुन्नू : सिस्टर हमरा एक बोतल खून दऽ दीऽय। सिस्टर: ब्लड ग्रुप बताउ? चुन्नू : कुनो चलत। सिस्टर: केना? चुन्नू: गर्लफ्रेंड क लव लैटर लिखबा कऽ अछि।


● चुन्नू : आइ हमर बकरी अंडा देलक ऐछ। मुन्नू:  पागल भऽ गेल्ही कि बकरी कखनो अंडा दै छै? चुन्नू: भाय हम वीआईपी लोग छि, हमर मुर्गी क नाम बकरी छि।


इहो पढ़ब:-


● दस साल क चुन्नू बहुते ध्यान सँ एकटा किताब पढ़ी रहल छल, जेकर टाइटल छल 'बच्चा का  पालन-पोषण कैसे करें'? मां: तु एही किताब कऽ किया पढ़ी रहल छेँ? चुन्नू: हम इऽ देखै चाहै छि जे हमर पालन-पोषण ठीक सँ भऽ रहल ऐछ या नै।


● चुन्नू बॉब कट ऑउर जींस पहिरने एकटा युवा कऽ लंग ठाड़ व्यक्ति सँ पूछलक: इऽ लड़का छि या लड़की ? मुन्नी : इऽ लड़की छि ऑउर और हमर बेटी छि। चुन्नू: ओह! माफ करव सर, हमरा बुझल नै छल कि अहाँ एकर पप्पा छि। मुन्नी : नालायक हम पप्पा नै, एकर माँ छियै।

मंगलवार, 10 जून 2014

मैथिलि पंचांग २०१४: मिथिला कऽ पर्व सूचि


जुलाई २०१४ सँ दिसम्बर २०१४
मौना पंचमी         १६ जुलाई
मधुश्रावणी          ३० जुलाई
---------------------
नागपंचमी            १ अगस्त
रक्षाबन्धन          १० अगस्त
स्वतन्त्रता दिवस  १५ अगस्त
कृष्णाष्टमी          १८ अगस्त
हरितालिका व्रत   २८ अगस्त
चौठचन्द्र            २९ अगस्त
---------------------
इंद्रपुजारम्भ         ६  सितम्बर
अनन्त  व्रत          ८ सितम्बर
पितृपक्षारम्भ        ९ सितम्बर
जिमूतबाहन व्रत  १६ सितम्बर
विशवकर्मा पूजा  १७ सितम्बर
कलशस्थापन      २५ सितम्बर
----------------------
निशापुजा            १ अक्टूवर
गाँधी जयंती         २ अक्टूवर
महाष्टमी व्रत         २ अक्टूवर
महानवमी व्रत       २ अक्टूवर
विजया दशमी       ३ अक्टूवर
कोजगरा              ७ अक्टूवर
धनतेरस            २१ अक्टूवर
दियावाती           २३ अक्टूवर
काली पूजा         २३ अक्टूवर
भ्रातृ द्वितीया       २५ अक्टूवर
चित्रगुप्त पूजा      २५ अक्टूवर
छठी व्रत             २९ अक्टूवर
-----------------------
अक्षय नवमी             १ नवम्बर
देवोत्थान एकादशी     ३ नवम्बर
कार्तिक पूर्णिमा          ६ नवम्बर
विवाह पञचमी        २७ नवम्बर
नवान्न पार्वण            ३ दिसम्बर
सोमवती अमावास्या २२ दिसम्बर

बुधवार, 4 जून 2014

मिथिला भ्रमण : मैथिली कविता

मिथिला में आबि के सीता के गाम देखु।
पवित्र पावन जनकपुर धाम देखु।

विद्यापति महान कवि तिनकर सम्मान देखु।
पग-पग पोखरी कमला, बलान देखु।

तिलकोरक तरुआ, माछ झोर, पुड़ी पकवान देखु।
एक बेरी आबिके पाहूनक मान-दान देखु।

चंद्रधारी  संग्रहालय आ दरभंगाक किला देखु।
नर्गोना पैलेस संगे सगरो जिला देखु।

दरभंगा के श्यामा माइ संगे राज मैदान देखु।
टावर पर लस्सी पिब पानक बगान देखु।

प्रसिद्ध लोक काला मिथिला के चित्र देखु
डेगे-डेगे पर मिथिला विभित्र देखु

बरुआ क बाप के पियर धोती देखु
पूजा म पुड़हित के पढैत पोथी देखु

 मोछ पर ताऊ दैत जनेऊ के तान देखु
 सबहा गाछी के आमक बगान देखु

पावनि कोजगरा में बांटैत मखान देखु
चौरचन, छैठ और धानक लवान देखू।

मरुआ क रोटी पर गोटक साग देखू।
माथा पर दूल्हा के ललका पाग देखु
✒️©प्रभाकर मिश्र 'ढुन्नी