मंगलवार, 18 नवंबर 2014

मैथिलि चुटकुला : Maithili Jokes

● एकटा आदमी साईकिल पर जा रहल छला। साईकिल केँ पीछा हुनक बच्चा बहुते जोर सँ कैन रहल छला। ओकरा काँनैत देख एकटा राहगीर ओही आदमी सँ पूछलक- 'कमाल ऐछ अहाँ केँ बच्चा कैन रहल ऐछ आ अहाँ बेधड़क साईकिल चलबैत जा रहल छिं'।
साईकिल सवार कहलक : 'बच्चा कऽ जबरदस्ती कँनैल गेल ऐछ किया की साईकिल में घंटी नै यअ।


● चुन्नू - अहाँ केँ बाबा ८५ बर्ष केँ भऽ गेला. भैर  दिन की करैत ऐछ ? 
मुन्नू - बैठल-बैठल हमरा सभक सहन शक्ति कऽ परीक्षा लैत छैथ। 


इहो पढ़ब:-


● एकटा समारोह म नेता जी भाषण दऽ रहल छला, " हमरा सभ केँ खुराक कऽ समस्या कऽ हल करै लेल ज्यादा सँ ज्यादा अनाज ऊगाबैय केँ चाहि।" तखने एकटा शरारती उईठ कऽ खडा भऽ गेल ऑउर बाजल." श्रीमान जी, घास उगाबै कऽ बारे म अहाँ कऽ की विचार ऐछ ?"
नेता जी ओकरा बैठै कऽ इशारा करैत बाजल, " पहीले हम इनसान कऽ खुराक कऽ बारे म बता ली, तोहर खुराक कऽ बारे म बाद म बतेबो।


● मास्टर (मिन्नी सँ), "आय स्कूल म देरी सँ आबै कऽ तु की बहाना ढूंढल हँ
मिन्नी, "सर आय हम ततेक तेज दौडल एलो हँ जे बहाना सोचय कऽ मौका नै भेटल"।

सोमवार, 10 नवंबर 2014

Actress Neha Sharma | मिथिलाक बेटी नेहा शर्मा बॉलीवुड केँ एकटा उभरैत सितारा

मिथिला धरोहर : मूलतः भागलपुर - Bhagalpur में जन्मली नेहा शर्मा Neha Sharma आय बॉलीवुडक सबसँ तेज़ी सँ उभरैत सितारा में सँ एक छथि, मुदा बचपन में फिल्म देखै तक नै छलथि। नेहा शर्मा अपन स्कूली शिक्षा माउंट कारमेल स्कूल, भागलपूर से पूर्ण केलथि, ऑउर नेशनल इंस्टिट्यूट ऑफ़ फैशन टेक्नोलॉजी, नई दिल्ली सँ फ़ैशनक शिक्षा प्राप्त केलथि। नेहा भारतीय शास्त्रिय संगीत 'कथक' में सेहो प्रशिक्षित छथि।
अभिनेत्री नेहा शर्मा के मानि तऽ हीनक फिल्म में एनाय केवल एकटा संजोग छलनी। ओं कहैत छथि, इऽ तऽ विधि कऽ विधान ऐछ, नइ तेऽ भागलपुर  के एकटा छोट शहरक लड़की महानगरी मुंबई में अपना लेल जगह केना बनाउ पेति।
नेहा के माता-पिता अपन चारु बच्चा के सपना देखय सँ कखनो नइ रोकलथिन। मुदा जतय हिनक भैय-बहिन शैक्षिक अर्हता दिसन रुझान दिखा रहल छलैन, ओतय नेहा के मोन चली गेल छलनी फैशन डिजाइनिंग दिस।
पहिल बेरा हिनका मौका भेटलनी २००७ में, तेलुगू सुपरस्टार चिरंजीवी के बेटा राम चरण के पहील फिल्म चिरुथा के हीरोइन के रूप में। तेलुगू सिनेमाक नामी निर्देशक पुरी जग्गंनाथ नेहा के ऑडिशनक लेल बजेलथि तऽ मुदा, ओं नेहा सँ एकटा मुलाकात में अतेक प्रभावित भऽ गेला जे बिना स्क्रीन टेस्ट लेने नेहा के फिल्म ऑफर कऽ देलथी।

इहो पढ़ब:-

दक्षिणी सिनेमा में तऽ नेहा अपन धाक जमा देलनी, मुदा संघर्ष हिनक किस्मत में लिखल छलनी। बॉलीवुड मे भट्ट कैंप संग एंट्री तऽ भेटलनि, मुदा इमरान हाशमी संग के फिल्म, क्रूक: इट्स गुड टू बी बैड, बॉक्स ऑफिस पर कुछू खास कमाल नै कऽ पेलक।
साउथ में एतेक सफलता देखेला के उपरांत जहन बॉलीवुड में हिनक पहील फिल्म फ्लॉप भऽ गेलनी तऽ हिनका बहुत बड़का झटका लगलनि।

फेर ओं समय आयल जहन नेहा के टीमो ज़बरदस्त भेटलनी ऑउर बॉक्स ऑफिस सक्सेस सेहो। मुदा फिल्म छल कॉन्ट्रोवर्शियल अडल्ट कॉमेडी, क्या सुपर कूल है हम जे छोट शहर सँ आयल नेहा के सोच में डाली देलनी। जहन हिनका किरदारक बारे मऽ विस्तार सँ बताओल गेलनी तहन इ फ़िल्म साइन केलथि।
नेहा शर्मा एखन धरी फ़िल्म चिरुथा, कुर्रडू (तेलुगू), क्रूक, तेरी मेरी कहानी, क्या सुपर कूल हैं हम, जयंता भाई की लव स्टॉरी, दिमाग का दही, यमला पगला दीवाना, यंगिस्तान, सोलो (२०१७),  मुबारका (२०१७), इक संधु हुँदा सी (२०२०), तानाहजी (२०२०) में अभिनय कऽ चुकल छथि। हिनक सपना ऐछ अपन खुदक फैशन लेबल लॉन्च केनै। ओना एखन हिनक पूरा ध्यान फिल्म पर छनि।