बुधवार, 31 दिसंबर 2014

मैथिलि सिनेमा लेल बरख 2014 रहल जोरदार

मि.ध., प्रभाकर मिश्रा : मैथिलि सिनेमा लेल बरख 2014 बहुते निक रहल। जतअ 1971 सँ 2013 धरी लगभग चालीसेटा मैथिलि फिल्म रिलीज भेल छल, ओतए एही बरख लगभग एक सोरै भैर (एक दर्जन) सँ बेसी फिल्म रिलीज भऽ केँ मैथिलि सिनेमा अप्पने रिकोड तोरलक अछि। बरख 2014 मे मैथिलि सिनेमा मे नव-नव प्रयोग सेहो कैल गेल। जतअ पहिल बेरा दूगो भाखा (मैथिलि आ भोजपुरी) मे मैथिलि फिल्म "डमरू उस्ताद" बनल ओतए माधव राय केँ दूगो फिल्म 27 जून 2014 के "दीवाना अहाँ के प्यार में" आ नवम्बर 2014 के "हीरो तोहर दीवाना" सेहो आयल। वेलेंटाइन पर 14 फरवरी 2014 केँ आयल फिल्म "घोघमें चान्द" जही में शहरी बाबू आ गामक एकटा गरीब घरक बेटी सँ प्रेम प्रसंग देखै लेल भेटल। 

13 अक्टूवर केँ रिलीज भेल फिल्म "मीत हमर जनम-जनम के" सँ मैथिलि सिंगर विकाश झा अप्पन हीरो बनबाक सपना पूरा केलैथ, जहीमें बॉलीवुडक नामी सिंगर 'सोनू निगम' पहिल बेरा मैथिलि गीत गेलैथ। 3 अक्टूवर केँ सत्य घटना (मधुबनी पि.पि. कांड) पर आधारित फिल्म "हाफ मॉडर" सेहो रिलीज भेल जही में बॉलीवुडक मसहुर गायक 'सान' आ 'कविता कृष्ण मूर्ति' केँ गायल गीत सुनै लेल भेटल। अक्तुबर, 2014 मे मैथिली फिल्म "बिकल  दुल्हा मौगी के गुलाम" केर प्रदर्शन सेहो भेल। 


16 नवम्बर 2014 के प्रदर्शन भेल फिल्म "रमौलवाली" के । किछ रास ऑउर मैथिलि फिल्म सहो आयल जहीमें "प्रेम प्रतिज्ञा", "मिथिला के इज्ज़त", "ढहलेल", "जान", "टाइमपास" प्रमुख अछि। एकटा समेलन में भोजपुरी केँ गायक सह अभिनेता मनोज तिवारी कहलैथ जे ओं अगिला बरख (2015) में मैथिलि भाखा में ओं एकटा हिट फिल्म देथिन। अक्टूवर, 2014 केँ समस्तीपुर मे मैथिलि फिल्म निर्माण कंपनी 'आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस' केँ सेहो शुभ आरंभ भेल।

शनिवार, 27 दिसंबर 2014

आउ, आइ एक नव शुरुआत करी।

२८ दिसम्बर यानि काल्हि संध्या ५ बजे सँ 'दहेज मुक्त मिथिला - मुंबई' द्वारा विशाल 'मिथिला उत्सव' केर आयोजन दहिसर, मुंबई मे कैल जा रहल अछि। विभिन्न ठाम सँ सज्जनवृंद आ सुसंस्कारी व्यक्तित्व सब पहुँचि रहल छथि। जानकारी भेटल अनुसार प्रथम सत्र मे उद्घाटनक संग 'दहेज मुक्त मिथिला' मुहिम केर परिचय आ दृष्टिकोण सहित कार्यप्रणाली पर जनसभाकेँ संबोधन कैल जायत। संगहि मुंबई मे जाहि सक्रियता सँ सब कियो जागृति पाबि रहल छथि, दहेज मुक्त विवाह लेल आगाँ आबि रहल छथि, तेहने धूम समूचा भारत तक जाय आ सब मैथिल एहि सँ लाभान्वित होइथ, सुन्दर मिथिला समाज केर निर्माण करैथ, ई विचार-गोष्ठी द्वारा चिन्तन कैल जायत। एकर अतिरिक्त दहेज मुक्त कुटमैती निर्धारण मे संस्थाक कोनो भूमिका नहियो रहला पर जँ सहयोग सबहक भेटत तँ 'वैवाहिक परिचय सभा' केर आयोजन जरुरी अछि। संभव हो तऽ एक रजिस्टर मे एहि लेल उपस्थित सज्जन लोकनिक नाम, नंबर आ पताक संग विवाह योग्य युवक आ युवतीक संख्या टा लिखबैत संकलन कैल जायत। पुन: बाद मे संपर्क करैत समयोचित व्यवस्था सँ परिचय सभा केर आयोजन आ सामूहिक विवाह केर सेहो आयोजन संस्था द्वारा कैल जयबाक नियार अछि। तदोपरान्त दोसर सत्र मे मैथिली गीत-संगीत केर आयोजन, मिथिलाक सुप्रसिद्ध कलाकार-गायक लोकनि द्वारा कैल जायत से जानकारी भेटल अछि।
(Report : प्रवीण नारायण चौधरी)

मंगलवार, 16 दिसंबर 2014

बरख 2015 के मिथिलांचलक पर्व सूचि

जनवरी, 2015 सँ जुलाई, 2015 धरी

मकर संक्रान्ति १५ जनवरी
नरक निवारण व्रत १९ जनवरी
सरस्वती पूजा २५ जनवरी
गणतंत्र दिवस २६ जनवरी
अचला सप्तमी २६ जनवरी

शिवरात्रि १७ फरवरी

होलिकादहन ५ मार्च 
होली (फगुआ) ६ मार्च
वारूणी योग १८ मार्च
वा० नवरात्रारम्भ २९ मार्च
वा० छठि व्रत २५ मार्च
रामनवमी २८ मार्च

जुड़शीतल १५ अप्रैल
अक्षय तृतीया २१ अप्रैल
जानकी नवमी २७ अप्रैल

वटसावित्री १७ मई
सोमवती अमा० व्रत १८ मई
गंगा दशहारा २८ मई

जगन्नाथ रथ यात्रा २८ जुलाई 
हरिशयन व्रत २७ जुलाई
आषाढी गुरु पूर्णिमा ३१ जुलाई

सोमवार, 8 दिसंबर 2014

एना बनाबू स्वादिष्ट लिट्टी चोखा व्यंजन : विधि

Litti Chokha Vaingan Recipe
सामग्री : आटा, बूटक सत्तू, लहसुन, प्याज, हरीयर मिर्चाय, नेबो (नींबू), अज़वाइन, नून, सरसों के तेल।

विधि : सबसँ पहिले आटा मे कनी नून दऽकेँ गूंइथ लिअ। एकरा बाद एकटा बर्तन मे सत्तू, कटलका हरीयर मिर्चाय छोट-छोट काटल प्याज, अज़वाइन, नेबो कऽ रस, कनी करु (सरसों) के तेल आ स्वादानुसार नून दऽकेँ एकटा चम्मच के सहायता सँ निक जंका मिला लिअ। तकर बाद आटा केँ छोट-छोट लोइया बना केँ ओय मे कचौरी जंका भरावन सामग्री भैर केँ बंद कऽ दियौ।

इहो पढ़ब :-

एकर बाद या तऽ कोयला के आंच मे निक जंका सेंक लिअ, नै तऽ कड़ाही मे तेल गरम कऽ छैन लिअ। (ओवन मे बिस्किट के टेम्प्रेचर पर दऽकेँ सेहो पका सकै छिं।)
चोखा बनाबै के विधि : उसनल गेल आलू आ आइग पर पकैल  भांटा (बैगन), पकैल गेल टमाटर, तीनो के छील क एकटा बर्तन मे इकट्ठा कऽ लिअ। आब ओही मे काटल गेल हरीयरका मिर्चाय, काटल गेल प्याज, बारीक काटल हरीयरका धनिया मे स्वादानुसार नून मिला लिअ।

इहो पढ़ब :-

बस भऽ गेल लिट्टी-चोखा तैयार। बिल्कुल सेहतमंद आ स्वादिष्ट भोजन।

सोमवार, 1 दिसंबर 2014

मैथिलि फिल्म अपन प्रेम केँ मुहर्त सम्पन

 
मि.ध., समस्तीपुर: बीतल दू, तिन बरख मे मैथिलि फिल्मक निर्माण अप्पन गति तेज केलक अछि। मैथिली फिल्म उद्योगक स्थापना लेल किछू निर्माता-निर्देशक निक प्रयास कऽ रहल छैथ। जही मे एकटा नाम अछि युवा निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल केँ, जिनकर पहिल मैथिलि फिल्म "अपन प्रेम" केँ मुहर्त शुकर  दिन  (28, नवम्बर) केँ परतापुर चैक, विलेज टेम्पल रोड, समस्तीपुर मे सम्पन कैल गेल। जेकर शुभआरंभ समस्तीपुरक पूर्व सांसद आलोक कुमार मेहता आ फिल्म निर्माता-निर्देशक नरेश मंडल द्वारा कैल गेल। नरेश मंडल कहलैथ जे इ फिल्म एकटा बुद्धिमान बच्चा केँ उप्पर बनैल जा रहल अछि, जेकर शूटिंग समस्तीपुरक संगे मिथिलांचक दोसर स्थान पर सेहो कैल जायत। एही फिल्म केँ 'आनंद फिल्म प्रोडक्शन हाउस'क बैनर अधीन बनायल जा रहल अछि, जेकर कंपनी कार्यालयक उद्घाटन समस्तीपुर मे किछु दिन पूर्व कैल गेल छल। एही प्रोडक्शन हाउसक इ पहिल मैथिलि फिल्म अछि। एही फिल्म लेखक छैथ दिलीप कुमार शाह आ हैड ऑफ प्रोडक्शन छैथ प्रभात रॉय। सहयोगी निर्देशक अंजली कुमारी आ क्रियेटिव निर्देशक विभा कुमारी।