मंगलवार, 22 नवंबर 2016

Beautiful Mithila Paintings : Photo Gallery

सोमवार, 7 नवंबर 2016

अगिला साल प्रदर्शित हैत मैथिली फिल्म राखी के लाज और मेड इन मिथिला

मिथिला धरोहर : आनंद फिल्म्स प्रोडक्शन हाउस के कार्यलय मे एकटा प्रेस वार्ता कैल गेल, आनंद फिल्म्स प्रोडक्शन हाउस'क बैनरक अधीन बनल फिल्म “राखी के लाज” आ सीरियल “मेड इन मिथिला” पर अहि प्रेस वार्ता मे सिनेमा और सीरियल केर निर्देशक एन. मंडल सँ विशेष बातचीत भेल। एन. मंडल बतेलखिन जे फिल्म के शूटिंग आ एडिटिंग संपन्न भ चूकल अछि। डबिंग और बैकग्राउंड म्यूजिक पर काज चली रहल अछि, इ फिल्म पूर्ण रूप सँ मिथिला कल्चर, दहेज प्रथा आ नारी सशक्तिकरण पर आधारित अछि, अहि फिल्म के 90% स्थानीय कलाकार सँ सजायल गेल अछि। एन. मंडल कहलखिन जे अहि फिल्मक शूटिंग मिथिलांचल के विभिन्न क्षेत्र मे कैल गेल अछि जेना समस्तीपुर, सहरसा, दरभंगा, मधुबनी। 
समाज मे नारी केर खिलाफ भ रहल आत्याचार के अहि फिल्म के माध्यम सँ लोग तक हुनक स्थानीय भाषा मे पहुचेबाक कोशिश अछि। अहि फिल्मक गीत आशुतोष लिखने छथि, संगीत रोहित, प्रमोद आ मनीष द रहल छथि और सिनेमैटोग्राफर पवन मिश्रा छथि। फिल्म के मुख्य मे कलाकार मंजू श्री दुबे, एन. मंडल, कंचन सिंह, राम रसीला, आसुतोष सागर, जय किसुंन, मो. सितारे और मोहन झा अछि। अहि फिल्म के एग्जिक्युटिव प्रोड्युशर अशोक ‘अश्क’ छथि। अहि फिल्म के प्रोमो रिलीज भ चुकल अछि जे लोग के पसन्द आयल और बहुते जल्दी गाना लोगक बिच एबाक उम्मीद अछि। फिल्म के गीत कर्णप्रिय अछि ताहिलेल पूरा उम्मीद अछि जे लोग एकरा पसंद करताह। फिल्म अगिला साल रिलीज हैत। ओतय आनंद फिल्म्स प्रोडक्शन हाउसक बैनर तैर बनय वला साप्ताहिक सीरियल “मेड इन मिथिला“ देखबाक के भेटत। गीत और बातचीत'क माध्यम सँ मिथिला के धरोहर आ ऐतिहासिक स्थल के जानकारी अहि टी. वी. शो के मुख्य उद्देश्य अछि। एकर प्रसारण सँ दुनिया के लोग मिथिला क्षेत्र सँ आकर्षित होयत जाहिसँ क्षेत्र'क पर्यटन के बढ़ावा भेटवाक संभावना अछि। अहि धारावाहिक के मुख्य एंकर किसलय कृष्णा आ जानवी झा निभा रह छथि। सिनेमैटोग्राफर पवन मिश्रा, सह निर्मात्री गीत शर्मा, निर्माता श्री सुरेश मंडल आ निर्देशक एन. मंडल छथि।