الثلاثاء، 2 أكتوبر 2018

वेदी घुमयबा काल के गीत - मैथिली लोकगीत वेदी घुमैबा काल के गीत

घूमू-घूमू महादेव आजु वेदी हे - वेदी घुमैबा काल के लोकगीत

घूमू-घूमू महादेव आजु वेदी हे
एक नागरि जे नाक धयने
एक लगौने गराती हे
चारू कोना चारि कर बैसाओल
घूमि-घूमि ताहि पर बैसू हे
तीन बेर जे घूमि लेब दुलहा
पहिरि लिअ विधिक धोती हे
भनहि विद्यापति सुनू मनाइनि
गौरी ब्याहन आयल योगी हे

इहो पढ़ब:-

ليست هناك تعليقات:

إرسال تعليق

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !