बिपैतक माइर सं
बिपैतक माइर सं थौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम
बिपैतक माइर सं
बिपैतक माइर सं थौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2
दुःख सं काटी माँ खुरछाही
ममता तोहर हमरा चाही
दुःख सं काटी माँ खुरछाही
ममता तोहर हमरा चाही
रन-बन भटकैत
रन-बन भटकैत, कौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2
तू जग जननी जग कल्याणी
बौआ तोहर छौ अज्ञानी
तू जग जननी जग कल्याणी
बौआ तोहर छौ अज्ञानी
बोइन में नोरे एहेन
बोइन में नोरे एहेन कमौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2
शरणागत छौ माँ दरभंगिया
घुरतै दिन माँ हम्मर कहिया
शरणागत छौ माँ दरभंगिया
घुरतै दिन माँ हमर कहिया
कहौ प्रशांत
कहौ प्रशांत बिलटौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2
ليست هناك تعليقات:
إرسال تعليق
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !