...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

23 मार्च 2018

मिथिला एक झलक - आस्था केर प्रतीक मुन्नीबाबा

मधुबनी जिलाक बाबूबरही प्रखंड केर बेला दउरा में, मुन्नी बाबाक स्थान अवस्थित अछि। मुनिनाथ बाबा बेला गामक अंत चौड़ी में घनघोर जंगल में एकटा बृक्ष जाहि में अनेको रंगक पात अछि , ओहि बृक्ष सँ प्रकट भेलाह ई मानल जाएत अछि। करीब १०० वर्ष पहिले के बात अछि। गामक चरवाहा सब ओहि जंगल में अपन -अपन गाय चराबैत छल, एक दिन अचानक ग्वाला सभक नजर एकटा पाथर (पत्थर) पर पड़ल। ओहि पाथर केँ उठा कऽ अपन उपयोग के लेल लऽ कऽ अपन घर चलि आयल। नीक आ मजबूत पाथर देख अपन हांसू, कोदारि, खुरपी, कुरहैर आदि सब केँ रेतकय धारदार बनेबा में नीक रहत ई सोचि ओ अपन दैनिक काज में उपयोग करय लागल। बाबा मुनिनाथ ओहि चरवाहा केँ रात्रि में स्वप्न देलखिन जे ओह पत्थर तू जतअ सँ अनलें ओतहि राख़ि आ, मुदा ओह ओहि बात के कोनो कान-बात नै देलक। ओहि पत्थर केर उपयोग नियमित रुपें करय लागल।

किछ दिन उपरांत ओकर परिवार में एहि अवमाननाक असर होबय लगलैक। ओकर माल-जाल एक-एक कऽ बीमार भऽ भऽ मरऽ लगलैक मुदा तईयो ओह कोनो कान बात नै देलकैक। मुदा जखन पारिवारिक सदस्य पर चपेटक मामला आबि गेल, ओकर एकटा बेटा बीमार भऽ दुनिया छोड़ि देलकैक तेकर पश्चात ओह पूजा पाठ कय पत्थर केँ स्थापना मुनीबाबा के प्रांगण में कऽ देलकैक। तेकर बाद फेर ओकर परिवार सही पटरी पर लौटि गेलैक।

ओहि दिनक बाद एक दोसर घटनाक्रम मे शिवरात्रि केर दिन एकटा बच्चा एहि स्थान सँ खेलधूप वास्ते एकटा घंटी लय लेलक। मुदा हुनकर सीमा ख़त्म भेलाक बाद ओकर पेट मे दर्द शुरू भऽ गेलैक। ताहिक बाद ओकर माता-पिता ओकरा लऽ कऽ ऐलाह बाबा केर दरबार और हुनका सऽ क्षमा मंगलैन, कोबलाह केलक आर फेर हुनका लोकनिक ओ बच्चा फेर स नीक जेकाँ रहय लागल। एहेन‍-एहेन कतेको रास सत्य किंवदन्ति आ सत्य गाथा पैघ बुजुर्ग सभक मुँहपर मुन्नी बाबाक विषय मे रहैत अछि।

श्रद्धालू भक्त लोकनि केर आस्था एहि स्थान पर एतेक बढि गेल अछि जेकर शब्द मे चर्चा करब थोड़ होयत।और आब त नै जानि कते घंटी, सोन, चांदीक नाग टाँगल अछि ओहि बृक्ष पर, आयल दिन भक्ति और भजन सँ प्रसन्न करबाक भक्त सभक प्रयास रहैत छैन, स्वयं बाबा अपन भक्त सब केर दुःख दूर कय दैत छथिन। आब त मधुबनी जिलाक अलावे सीमा सँ सटल मित्रदेश नेपाल केर भक्त सब हमेशा आबैत रहैत छैथ और एतय सदिखन कोनो नो कोनो धार्मिक अनुष्ठान यथा नवाह, कीर्तन, अष्टजाम, एवं तरह -तरह के मनोकामना पूर्ण भेलाक बाद भक्त द्वारा यज्ञादि कर्म कराओल जाएत रहैत अछि।

मानल बात छैक जे पाठक लोकनि ई समाचार पढिते बाबा मुनिनाथ केर दर्शन हेतु व्याकुल भऽ गेल होयब । आउ और हुनकर दर्शन करू परिवार सँगे, अहाँक सेहो कल्याण होयत।

28वाँ महाशिवरात्रि उत्सव केर शुभअवसर पर आयोजित कुश्ती प्रतियोगिताक 2018  आयोजन भेल छल । जाहिमे भारतक बहुतो राज्य समेत नेपाल सँ पहलवान सब सामिल भेल । गौरवान्वित अछि जे ई स्थान मधुबनी जिले के बहुतो चर्चित धार्मिक स्थल सब में एक अछि ।जतअ प्रत्येक वर्ष लाखों के संख्या मे श्रद्धालुगण आहि उत्सव में भाग लैत छैथ।
साभार : मिहिर कुमार झा "बेला"

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू