...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

2 अक्टू॰ 2020

भुवनेश्वरी दुर्गा मंदिर मंगरौनी, मधुबनी

मधुबनी जिलाक मंगरौनी में स्थित भुवनेश्वरी मंदिर मिथिलाक सिद्धपीठ में स्थान राखैत अछि। ( Bhuvaneshwari Durga Temple Mangruni, Madhubani ) एतय आशिनक दुर्गा पूजा आ चैती दुर्गा पूजा में सब दिन हजारक संख्या में श्रद्धालु मां केर दर्शन लेल पहुंचैत अछि। ओना एकर स्थापना गत शताब्दी के चौथा शताब्दी मे भेल छल, मुदा लोगक आस्था अहि स्थान के प्रति असीम अछि।

इतिहास:-

इ सिद्धपीठ तंत्र विद्या पर आधारित अछि अहि के स्थापना महान तांत्रिक पं.मुनेश्वर झा जी 1941 ई. मे केने छलथि। पंडित मुनेश्वर झा (आब स्वर्गीय) महान तंत्र साधक छलथि। अहि मंदिर परिसरे मे विश्व प्रसिद्ध एकादशरूद्र मंदिर अछि। जाहिमे एकेटा जलढरी मे 11 शिवलिंग स्थापित अछि।


इहो पढु - अहि दरभंगा सपूत के हस्ताक्षर अंकित अछि भारत'क मूल संविधान पर


विशेषता :-

एतय आबय बला श्रद्धालु के इ माननाय अछि जे हिनक पूजा केला सं माँ सरस्वती आ माँ लक्ष्मी केर एके संग प्राप्ति होइत अछि। एतय माता केर प्रतिदिन श्रृंगार होइत छनि। एतय प्रतिमा के दर्शने टा कैल जा सकैत छि। जे भी सामग्री देल जाइत अछि ओ पूजारी के माध्यम सं माता केर अर्पित क देल जाइत छनि। विभिन्न प्रकारक प्रेत वाधा सं एतय एला पर मुक्ति भेट जाइत अछि।

कोना पंहुचब मन्दिर:-

एतय पहुंचबाक लेल मधुबनी जिला मुख्याल या निजी वाहन सं आँहा तीन कि०मी० के दूरी तय क पहुंच सकै छि। मंदिर परिसर मे फूल आ अन्य पूजा सामग्री अहाँक भेट जायत।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »