अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
18 सित॰ 2014
उगय उगय इजोरिया राति लिरिक्स - डहकन गीत
उगय उगय इजोरिया राति
छिनरो कतय गेली
गेली मे गेली छिनरो दर्जीया दोकनमा
बगलमे जा कऽ सूति रहली
साया-साड़ीसँ देह देलकनि भरि
भोरे उठि कऽ चलि एली
गेली मे गेली सोनरा दोकान
बगलमे जा कऽ सूति रहली
बाली झुमका सँ कान देलकनि भरि
भोरे उठिकऽ चलि एली
गेली मे गेली हलुअइया दोकनमा
बगलमे जा कऽ सूति रहली
पेरा केरासँ मूह देलकनि भरि
भोरे उठिकऽ चलि एली
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/09/blog-post_97.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/09/blog-post_13.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Dahakan Geet,
Maithili Lokgeet
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !