अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
19 मई 2014
मिथिला पेंटिंग में बनल राम के कथा
मधुबनी शहरक बुद्धनगर म रही रहल ३८ वर्षक सोनी झा में लगन आ कला के कुनो कमी नइ अछि। ग्रामीण क्षेत्र में पैल-बैढ़ के स्कुल सँ ककहरा सिख मिथिला के परंपरागत अरिपन, पुरहर, व्यवहारिक गीत आ मिथिला पेंटिंग कs शुरूआती कला के प्रशिक्षण ओं अपन माँ आ नानी सँ लेलैन। अपन दृढ़ इच्छा शक्ति आ लगन सँ मिथिला पेंटिंग म चित्रमय राम कथा तैयार केलैन। एकर चर्चा क्षेत्र में खूब भ रहल अछि। हिनक झंझारपुर लोहना रोड नरुआर गाम में राम चित्रकथा बनबै सँ खुशी के वातावरण अछि।
वैवाहिक जीवनक साथ सोनी जी ललित ना० विश्वविद्यालय सँ साहित्य म प्रथम श्रेणी सँ एमए केलैन। मिथिला पेंटिंग म चित्रमय राम कथा पुस्तक के रचना हिनक जीवनक एकटा अदभुत सोच अछि। ५०० पृष्टवला एही रामकथा म रामक जन्म काल सँ लs के बैकुंठ तक जाइ के चर्चा चित्रकला क माध्यम सँ दरsसाओंल गेल अछि। पहिले एकर विमोचन महावीर मंदिर धार्मिक न्यास ट्रस्ट क सचिव आचार्य किशोर कुणाल जी महावीर मंदिर पटना क प्रांगण में कॆलैन। तिरुपति राष्ट्रीय संस्कृत विद्यापीठ म आयोजित साहित्यक सांस्कृतिक परिचर्चा म एही पुस्तक के राखल गेल, बरणसी सँ प्रकाशित एही पुस्तक म मैथिलि, हिंदी, अंग्रेजी भाषा म फोटो परिचय देल गेल अछि। सोनी झा के पिता मित्र नाथ मिश्र कs कहवा अछि जे बचपने सँ सोनी म सिखैय क ललक छल, तेकर परिणाम ऐछ जे इ पुस्तक लिखल गेल।
Tags
Mithila Folkart
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/05/maithili-singer-vikash-jha.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2014/05/first-bajjika-film-kahiya-hotay-piya.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mithila Folkart
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !