अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
25 जुल॰ 2019
तिलकेश्वरनाथ महादेव मंदिर : कोर्थु - Tilkeshwar Nath Mandir, Korthu, Darbhanga
दरभंगा जिला के घनश्यामपुर थाना क्षेत्र अंतर्गत "कोर्थु नामक गाम मे प्रगटस्वरूप बाबा तिलकेश्वरनाथ बिराजे छथि। हिनक महिमा अपरम्पार छनि। पुर्व काल मऽ जहन अहि गामक घनघोर जंगल मऽ इ शिवलिंग प्रगट भेल छल तहन संत शिरोमणि मुनिबाबा हिनक महिमाकऽ जगत विदित केलैइन तै अहि स्थान कऽ मुनिबाबा स्थान सेहो कहल जायत अछि,जहन ग्रामीण सब अहि शिवलिंग के मैट हटा क उप्पर आनवाक प्रयास केलनि तऽ ई शिवलिंग और पाताल दिस धसल लागल तहन मुनिबाबा कहलखिन्ह जे हिनक स्थान परिवर्तन नहि भऽ सकै अछि हिंनक मन्दिर अहि स्थान बनाओल जाय, तै ई शिवलिंग समतल भूमि स बड्ड नीचा अवस्थित अछि। ओहि ठाम हिनक भब्य मन्दिर बनाओल गेल, इनार, पोखैर खुनाओल गेल और मुनिबाबा अहि ठाम बड्ड पैघ यज्ञ केने छलाह ।
इहो पढ़ब :-
बाबा तिलकेश्वरनाथ केर दर्शन आओर पूजा सँ सब मनोरथ पूर्ण होयत छैक अहिठाम "शिवरात्रि और चतुर्दशी के दूर-दूरक गाम सँ भक्त लोकैन पूजा करे लेल आबै छथि, और ग्रामीण लोकैन महाशिवरात्रि के काँवर ल सिमरिया जा क गंगाजल आनि क बाबा तिलकेश्वरनाथ केर पूजा करैत छथि, प्रेम सँ कहुँ जय बाबा तिलकेश्वरनाथ ।
Tags
Mandir
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/07/patiya-ochhayab-jharab-kaal-ke-maithili-geet.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/pahunma-mor-sakhi-ankhiyan-mein-baslai.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mandir
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !