الجمعة، 16 يوليو 2021

गोविंद पाठक : मिथिलाक एकटा ग्रेटेस्ट अभिनेता

मिथिला धरोहर : Maithil Actor Govind Pathak Biography, गोविंद पाठक जी मूल रुप सं समस्तीपुर जिलाक करियन के निवासी छैथ, मुदा एखन बागबेड़ा जमशेदपुर मे रही रहल छैथ। गोविंद पाठक जी लगभग 21-22 साल सं बहुते रास हिन्दी, मैथिली आ भोजपुरी फिल्म मे अभिनय केलैथ हन आ एखनो लगातार कए रहल छैथ। पाठक जी के संस्कृत, मैथिली, हिन्दी, बंगाली आ भोजपुरीक भाषा पर नीक ज्ञान रहला सं हिनकर संवाद अदायगी आ हास्य अभिनय कमालके होयत अछि।

गोविंद पाठक जी मिथिला संस्कृति आ भाषाक सेवा मे उल्लेख़नीय योगदान द रहल छैथ। दूरदर्शन के लेल मैथिली सीरियल "नैन न तिरपित भेल" मैथिली फिल्म "छुटत नहिं प्रेमक रंग", "प्रेमक बसात", "मिथिला मखान" में उल्लेख़नीय अभिनय केने छैथ। मिथिला, मैथिली प्रेम आ योगदानक लेल हिनका मैथिली युवा परिषद, जमशेदपुर द्वारा "मिथिला विभूति" के उपाधि सं सम्मानित कएल गेल छनि। गोविन्द जी द्वारा अभिनित भोजपुरी फ़िल्म "कानून हमरा मुट्ठी में", "सत्यमेव जयते", " राजा के रानी से प्यार हो गईल” आदि किछु नाम अछि।


इहो पढ़ब - लिरिक्स - आइब गेलियौ परदेस गे मै, फिल्म -मिथिला मखान


नीक उदघोषक आ अभिनेता गोविन्द पाठक जी के काजक लिस्ट बहुते नमहर अछि। हिन्दी टीवी सीरियल मे सोनी TV के "लेडिज स्पेशल", "क्राइम पेट्रोल", DD 1 के "सात वचन सात फ़ेरे",  झांसी की रानी” (जी TV), कलर्स चौनल के "कोड रेड", &TV के "तुझसे नाराज नहि जिंदगी", "लूटेरी दुल्हन" (NDTV इमेजिन), "सावधान इन्डिया", मैं लक्ष्मी तेरे आंगन", "प्यार के पापड़", शौर्य और अनोखी की कहानी", (स्टार प्लस) आदि में हिनकर अभिनय प्रशंसनीय रहल अछि। स्टार प्लस के हास्य टीवी रियलिटी शो ग्रेट इंडियन लाफ्टर चैलेंज -4 आ भोजपुरी टीवी चैनल महुआ के कॉमेडी शो "हँसी कऽ अखाड़ा" मे हुनक प्रशंसित सहभागिता अविस्मरणीय अछि। "हँसी कऽ अखाड़ा" मे ओ रनर-अप रहैथ।

चरित्र अभिनेताक रुपमें गोविन्द पाठक जी हिन्दी फ़िल्म "शकल पे मत जा", "I, Me aur Main" (2003), "सिटीलाइट्स", "किल दिल", "हीरोपंती" (2014), "गुड्डु की गन" (2015), "हिचकी" (2018) आ "गॉन केश" (2019) में अपन भूमिका निभौने छलैथ। सोनी Liv के वेब सीरीज "महारानी - सीजन 1 (2021) में सेहो नजैर  ऐल छलथि।


इहो पढ़ब - मैथिली जोक्स और मजेदार चहटगर चुटकुला

गोविंद पाठक जी किछ एड फिल्म सेहो केने छैथ जाहिमे भारत ससरकार के "पब्लिक सर्विस" के एड DHFL हाउसिंग फ़ायनेंस के लेल एकटा सोलो एड आ MRF शक्ति लाइफ प्लस लेल एकटा एड केने छलैथ

ليست هناك تعليقات:

إرسال تعليق

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !