रविवार, 16 अगस्त 2020

आइब गेलियौ परदेस Lyrics, फिल्म : मिथिला मखान

Aaeeb Geliyo Pardes Lyrics (आइब गेलियौ परदेस)
Film : Mithila Makhan (मिथिला मखान)
Lyrics : Vivek Ranjan (विवेक रंजन)
Singer : Hariharan ( हरिहरन )

आइब गेलियौ, परदेस गे मै
रहबौ कोनाक तोरा बिन
रहबौ कोनाक तोरा बिन

छुइट गेलौ सब टा दुआरि दलान गे
हाट के कचरी मुरही मखान गे
हाट के कचरी मुरही मखान गे

पोखर , पावन, तुलसी, सिरागू
केयो नय कहय गे, बउआ भोरे जागू
केयो नय कहय गे, बउआ भोरे जागू

लोर कऽ पोछि-पोछि
तोरे लऽ सोचि-सोचि
ताकी जीवनक उद्देस गे मै

रहबौ कोना कऽ तोरा बिन
रहबौ कोना कऽ तोरा बिन

आलाप

चंदा पोछय आँचर से लोर गे
तमसा कऽ बइसल दउगा में भोर गे
तमसा कऽ बइसल दउगा में भोर गे

बाध नऽ गाछी, अनहद शोर गे
रूसल रउदा कानय छौ ज़ोर से
रूसल रउदा कानय छौ ज़ोर से

लोर कऽ पोछि-पोछि तोरे लऽ सोचि-सोचि सोहे नऽ यै हमरा ई देस गे….मै रहबौ कोना कऽ तोरा बिन रहबौ कोना कऽ तोरा बिन आइब गेलियौ, परदेस गे मै रहबौ कोना कऽ तोरा बिन हो….रहबौ कोना कऽ तोरा बिन रहबौ कोना कऽ तोरा बिन रहबौ कोना कऽ तोरा बिन

इहो पढ़ब :-

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !