Maithili Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Maithili Jokes लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

रविवार, 27 जून 2021

मैथिली जोक्स और मजेदार चहटगर चुटकुला

😊 प्रेमक अजब कहानी

लड़का : काइल सं हम दुनु केतौ और भेंट करब।

लड़कीं : किया ?

लड़का : बड़ खच्चर य अहाँक टोलक छौरा।

लड़की : किया कि भेल ?

लड़का : कुक्कुर पाछु लगा क कहैत ऐछ पीछे “जब प्यार किया तो डरना क्या।”



😀 रमनजी के कानियाँ बादाम खै रहल छली...। 

रमनजी - कनि हमरो टेस्ट कराउ। 

कनियाँ एकटा बादाम रमनजी के हाथ में राखी देलनी, बाकि अपने खै लगली।

रमनजी बाजल - बस एके टा...! 

कनियाँ तमसाइत कहली - हं, बाकियो कऽ स्वाद एहने छै...।



इहो पढ़ब - Maithili Song : कनि हैंस क कहूं, कनि कैस क कहूं - लिरिक्स



😁 दु गो महिला पुरुष कऽ आलस पर गप्प कऽ रहल छली।

ओहिमे सं एकटा मुस्कुराइत बजली - 'हमर घरबला तऽ एकदम सं चिल्का जंका छै।' 

अहि पर दोसर कहै लागल - 'हमर घरबला कऽ सेहो यैह हाल छै, की कहब, बाहरकऽ काज कऽ जहन ब्लाउज मऽ बटन लगबै लेल बैसै छै, तऽ सुईया मऽ डोरा तक हमरे पैसा बऽ पड़ैत ऐछ।'



😆 बियाहक पहिले दिन लड़का नरभसा रहल छलै जे कनियाँ सँ गप्प कोना शुरू कैल जाय ?

कोबर मे पहुंचल : 5 मिनट लेल तऽ कानियाँ लग चुपेचाप बैसल रहल। ओकरा बाद धीरे सं बाजल: "की नाम छि आह के ?"

दुलहिन शरमाईत बिजली : "किया, बियाहक कार्ड पर तोहर मौसी कऽ नाम छापल रहौ की..." 


जरूर पढ़ब - आवश्यक मंत्र : चौठचन्द्र, दूर्वाक्षत, उल्का भ्रमण, अगस्त्यार्घदान, देवोत्थान, यज्ञोपवीत, कुशोत्पाटन, अंनत सूत्र आदि

शुक्रवार, 9 अप्रैल 2021

एक पर एक टटका मैथिली चुटकुला 2021

1. मास्टर साहेब कक्षा में पुछलैथ:

सीनियर आ जूनियर मे की अंतर छै?

असगरे फेकना टा हाथ उठेलक...

मास्टर साहेब कहलैथ : शाब्बास बेटा, बाज?

फेकना: मासैब, जे समुद्रक पास रहैत छै ओ सीनियर (see-near),

आ जे चिड़ियाघर क लग रहैत छै ओ जूनियर (zoo-near)!



2. प्रेमिका : हमर पप्पा कहलखिन हन जे अगर हम एग्जाम म फेल भ गेलियै त हमर बियाह रिक्शाबला सं क देथिन।

मंगला : वाह! हमरो पप्पा कहलखिन जे अगर हम फेल हेबै त हमरा रिक्शा खरीद देथिन। 


इहो पढु - लिरिक्स कनि हैंस क कहूं, कनि कैस क कहूं..


3. मास्टर जी - बौआ सब क'ह, घर-घर शौचालय बनेबाक की फायदा छै?

सोनूआ- मास्टर साहब, वातावरण शुद्ध रहैत छै...

मास्टर जी शाबाश... आ दोसर...

सोनूआ- आगु नै घुसकय परैत छै...



4. पत्नी : अहाँ सब बात मे हमर नैहर बला के बीच मे किया लाबय छियै? जे बजबाक य सीधा हमरा बाजल करू।

पति : देखु जहन टीवी मे कुनो खराबी आबय छै त कियो टीवी क थोड़बे न बाजय छै, गाइर त कंपनीये बला खाइत छै न।



5. कनियाँ मूड मे- हे यौ सुनय छियै, अपन सुहागरात बला दिन जहन अहाँ हमर घोंघट पहिल बेरा उठेने छलियै त अहाँ क केहन लागल छल?

पति- सच कहूँ, अगर हमरा हनुमान चालीसा याद नै रहितैं त हम ओहि दिन मइर जैतौं।

गुरुवार, 21 जनवरी 2021

एह गजब, एहन मैथिली चुटकुला त कतौ नै पढलौं...

😀 टीसी - इ विकलांग लोगल डिब्बा छियै

अय मे किया सफर क रहल छियै..?

यात्री - जी सर हमरा संग इ छैं..!

टीसी - इ त आम छियै..!

यात्री - जी हं, मुदा इ लंगड़ा आम छियै...!!



😊 पापा - बौआ तोहर रिजल्ट क की भेलौ...?

फेकना - पापा परसेंट एलय हं...!

पापा - मुदा मार्कशीट पर 40 परसेंट लिखल छौं...?

फेकना - बाकी के 40 परसेंट आधार कार्ड लिंक भेला पर सीधे अकाऊंट मे एतय...!


इहो पढ़ब:-

● गोनू झा के किस्सा : फेर छकायल चोर


😆 छौरा - शादी क ले हमरा सं...!!!

छौरी - किया...?

छौरा - हमर बाप गामक सबसं बड़का आदमी छियै...!!!

बियाहक बाद छौरी क पता चलल जे छौरा के बाप 105 सालक छैं...!!!



😄 बर - अगर हम मइर जैब त अहाँ कानबै ?

कनियाँ - हं यौ बहुते कानबै...!

बर - केना कानबै, कनि काइन के देखाबु ने !

कनियाँ - पहिले अहाँ कनि मइर के देखाबु ने।


मंगलवार, 27 अक्टूबर 2020

मास्टर जी के सबालक फेकना देलक एहन धमाकेदार जबाब... पढूं मजेदार मैथिली जोक्स

1. फुलचन - डॉक्टर साहेब, प्लास्टिक सर्जरी म कते खर्चा एतय...?
डॉक्टर - 50 हजार
फुलचन - अगर प्लास्टिक हम देब तहन...
डॉक्टर (तामस सं) - त ओकरा पिघला क सायटो तुहें लि'हं, 
फ्रीये म भ जेतौं...!!


2. पूजिया - आटा दिअ न भैया...!
दुकानबला - हमरा लग पतंजलि क छौ बुच्ची
पूजिया - हमरा आशीर्वाद चाहि...!
दुकानबला - सदा सुखी रह बेटी!!!


इहो पढ़ब:-


3. मास्टर जी - 'संगठन मे शक्ति छै' के उदाहरण दे..!
फेकना - मासैब जहन हम एक सिगरेट राखय छि त टुइट टाइट जाइत ऐछ
मुदा पूरा पैकेट राखय छि त सब सौँसे रहैत ऐछ...!!!
फेर मास्टर जी फेकना के तोइड़-मरोइड़ के खूब कूटलक...


4. मास्टर - न्यूटन क नियम बता...
विद्यार्थी - सर पूरा लाइन त याद नै ऐछ, लास्ट क याद य...
मास्टर - चल लास्टे क सुना...!
विद्यार्थी - और इसे ही न्यूटन का नियम कहते हैं...!


इहो पढ़ब:-


5. अचानक रजुआ पुछलक - पप्पा इ मर्द के होय छै...?
बाप - जे इंसान पूरा घर म अपन हुकूमत चलाबय ओ मर्द होय छै...!
रजुआ - पप्पा हमहुँ नमहर भ क माँ जँका "मर्द" बनबय...!

शुक्रवार, 7 अगस्त 2020

मैथिली चुटकुला : कैह दै छि हंसी नै रुकत...।

1. पत्नी- हमरा नबका साड़ी चाहि, अम्मा जान सं मंगा लिअ न।
पति- कोन अम्मा जान?
पत्नी- वैह अपन दुकान अम्मा जान।
पति- अरे गंवार, अम्मा जान नै, Amazon छियैय ओ ।


2. साउस पुतौह सं तामस भरल लहजा मे - इ अहाँक नैहर नै, सासुर छी। एतए अहाँक नै हमर चलत।
पुतौह -  मां, नैहर त एतए हिनको नै छिएन। हिनको त सासुरे छिएन ने, फेर हिनकर किया चलतैन?


इहो पढ़ब:-


3. साउस के बाहर सं चीचयाबय के अबाज आयल - 
साउस- कनियाँ के छी बाहर?
पुतौह - मां यै, भिखारी छियै, हम भगा देलियैन।
साउस (तामस मे)- हे, हमरा बिना पूछले भिखारी के भगा देलियै, ओकरा जल्दी आपस बजाउ। 
पुतौह जहने भिखारी के बजेलक, ओ खुशी सं भागैत आपस ऐल।
साउस- सुन रे भिखारी, ऐ घर के मालकिन हम छियै । खबरदार जे फेर सं भीख मांगए एलें, आब भाग एतए सं।


इहो पढ़ब:-


4. फुलचनमा सासुर गेल,
साउस 7 दिन तक लगातार गेनाहारी के साग खुएलक
8मा दिन पूछलक : पांहुन की खेथिन ? 
फुलचनमा - मां आब त इ खेत देखा दौथ, गेनाहारी हम अपने चैर आयब...


5. सिंटू - फोनक घंटी सुइन क पेकन फोन उठेल
दोसर दिस सं आबज आयल...
हेलो, फ्रिज चैल रहल ऐछ ? 
हं चैल रहल ऐछ, अहाँ के ? 
- त फेर पकैड़ लिअ , नै त भाइग जैत।
फोन केनिहार कनि देर बाद दोबारा फोन केलक - हेलो, फ्रिज ऐछ? 
सिंटू (तामस सं) - नै ऐछ।
फोन केनिहार - कहने छलौं पकैड़ लिअ, नै त भाइग जैत...!!!

गुरुवार, 20 फ़रवरी 2020

मैथिली चुटकुला - जहन जंगला कहलक 'जो डर गया, वो मर गया' कहावत केना बनल ?

1. सिंटू भाय दरभंगा स्टेशन पर गाड़ी पकरबाक लेल ठार छलाह...
अखन 5 मिनटक समय छल...
चश्मा बैग मे रखने छलथि...
बुक स्टॉल पर एकटा किताब देखलैथ
बीवी को कंट्रोल में कैसे रखें
ओ पुछलौं किताब कतेक ऐछ, दुकान बला बाजल 50 रुपया 
तुरंत ल लेला.. ट्रेन ऐल.. बैसला.. झट द किताब खोइल क पढ़य लगला, चश्मा लगा क.. लिखल छलय.. हरी सब्जियां खाएं, करेला खाएं.. घास पर चलें, नमक कम खाएं, सबेरे कसरत करें... 
दिमाग घूइम गेलनि, वापस किताब बंद क बाहर देखलैथ.. त टाइटल छल
बीपी को कंट्रोल में कैसे रखें... 
किताब ट्रेनक बाहर फैंक देलैथ।


2. मास्टर साहेब - जेकरा सुनाय नै दै छै ओकरा की कहबै ?
फेकना - किछो कैह दियौ, ओकरा कुनो सुनाय  देतैय...!!!


3. मंगला - 'जो डर गया, वो मर गया' कहावत केना बनलय ?
जंगला - हमरा नै बुझल छौ ? तू बता
मंगला - जापान म दु गो भाय रहैत छलै, एकटा क नाम 'जो' छलय आ दोसर क नाम 'वो'। एक राइत 'जो' क बाथरूम म भूत देखेलै 'जो' डैर गेलय और  'वो' क अबाज लगेलकै। 'वो' दौरैत बाथरूम मे ऐल और भूत क देखैते ओकर हार्ट फेल भ गेलय और 'वो' मैर गेल। बस तहिये सं इ कहावत बैन गेल 'जो डर गया, वो मर गया'!!!




4. फेकन (पुलिस स्टेशन जा क बाजल) - 
हमरा फोन पर जान सं मारबाक धमकी भेट रहल ऐछ।
इंस्पेक्टर - के द रहल ऐछ ?
फेकन - बिजली बला ! कहैत छय, बिल नै भरलियै त काइट देब...!!! 

Maithili Chutkule, Maithili joke,  New Maithili Joke 2021

सोमवार, 9 अक्टूबर 2017

मैथिली चुटकुला : फेकना और मास्टर साहेब

काल्हि फेकना'क बेटा इसकुल सँ नोरे झोरे कानैत एलै !
फेकना पुछलकै - की भेलौ रौ..?? एना बफारि कियै तोरने छैं !
छौरा कहलकै - मास्टर सैब बड मारि मारलकैए, छौंकी सँ छरीपीटा देल'क !

फेकना पुछलकै से कियै!

छौरा कहलकै , आइ मास्टर सैब कहलखिन जकरा जे किछु पुछबाक छौ से पुछ!

फेकना - अच्छा .....त' तु की पुछलही!

छौरा - हम पुछलियै मास्टर सैब यौ...हाथी के फ्रीज में कोना बन्न करबै!

मास्टर- धुर रे ढ़हलेल , रौ हाथी कोना फ्रीज में घुसतै !

छौरा- एह हमर फ्रीज बरकी टा के छै ! बस पहिने फ्रीज खोलबै फेर हाथी के बन्न करबै!

इहो पढ़ब:-

एकटा आर प्रश्न पुछू...
मास्टर - हँ पुछ ने रै अभगला !
छौरा - गदहा के कोना बन्न करबै फ्रीज में...??
मास्टर- फ्रीज खोलबै आ बन्न क' देबै..!!
छौरा - नै भेल......नै भेल.....

पहिने हाथी के नीकालबै आ गदहा के बन्न क' देबै !

एकटा आर प्रश्न पुछु..
मास्टर - हँ पुछ ने रै खचराहा
छौरा - बानर'क बीयाह में जतेक जीव जन्तु छलै सब एलै मुदा एकटा जानवर के छोरि क' तकर नाम कहु!

मास्टर - शेर हेतै कियैक त' ज' शेर आबि जैतैए त' सब जीव जन्तु के खा जैतै, ठीक ने!

छौरा - नै भेल.......नै भेल!
गदहा.....गदहा... कियेक त' ओ फ्रीज में बन्न अछि !
एकटा आर प्रश्न पुछु..
मास्टर - हँ पुछ ने रै चोट्टा !
छौरा - रस्ता में एकटा पैघ नदी परै छै , जाहि में एकटा बड भयानक मगरमच्छ रहै छै उपर सँ कोनो चचरी वा पुलो नै बनल छै ! आब कहु नदी कोना पार करबै!

इहो पढ़ब:-

मास्टर - एकटा नाव ल' अनबै आ पार भ' जेबै !
छैरा - नै भेल...... नै भेल....
एतेक जल्दी आहां के नाव कत' सँ भेटत ! ता धरि त' आहां हेलीयो क' पार भ' सकै छी!

मास्टर - एँ रौ हरीफ, पाइन में जे मगरमच्छ तकरा सँ तोहर बाप फेकना बचेतौ!

छौरा - अहुँ मास्टर सैब कत्ते #बुरबक छी ! हम त' पहिने कहने छलहुँ जे सब जीव जन्तु बानर'क बीयाह में छै! त' मगरमच्छ पाइन में अल्हुआ कोरतै !

बस एतबे में मास्टर सैब हमरा छरपीटा देलैथ!

फेकना - रौ हेहरा नीक भेलौ जे हम मास्टर नै रहियौ ! नै त' ओत्तही कुट्टी कुट्टी काटी दैतियौ!

Tags : # Maithili Joke # Chutakula

बुधवार, 21 दिसंबर 2016

मैथिली जोक्स : फेकन भाई पहिल बेरा मोबाइल लेला !

■ : फेकन भाई पहिल बेरा मोबाइल लेला। प्रीपेड सिम के साथ पता चलल की जे अकरा रिचार्ज करबय परय छय बात करबाक लेल। तऽ ओ रिचार्ज वाला दोकान पर गेला और कहलखिन 10 रुपया के रिचार्ज के दे! 
दोकांनवाला-10 रुपया मे 7 रुपया भेटत
फेकन भाई- कोनो बात नय 3 रुपया के नमकीन दऽ दे!


■  : भौजी प्रणब भैया के कहै छथिन,
भौजी - हे यौ सुनै छियै ?
प्रणब भैया - की कहबै तखन न सुनबै ?

भौजी - पहिंल सालगिरह में अहाँ लोहाक् बनैल पलँग गिफ्ट में देने छेलौ, एहि बेरक् सालगिरह में की देब?
प्रणब भैया- अहि बेरक् सालगिरह मे ओय लोहाक् पलँग मे करेंट लगबै के प्लानिंग कऽ रहल छी।


एहो पढ़ब:-

■  : मास्टर - बताऊ बौआ सब
बिजली कत्ता सँ आबय छय ?
बच्चा - यो मास्टर साहेब हमरा नानी गाम सँ...
मास्टर - से केना बुझलिये ?
बच्चा - जखन लाइट जाई छय तऽ पप्पा कहय छथिन ...सार सब फेर सँ काइट देल्कय !!

एहो पढ़ब:-

■  : राजेश भैया दरभंगा सँ एगो अपना लेल बढ़िया रंगक शर्ट कींन केर अनलैथ-
देखु भौजी केहन भैया के तारीफ करै छैन-
भौजी- हे यौ इ शर्ट अहाँ पर बड्ड खुलैय अछि।
भैया - हां सही में!
भौजी - हां यौ, बड्ड नीक शर्ट लागै अछि ।
भैया - अच्छा! अहाँ कतबो चापलूसी कऽ लियह, मुदा ऐ बेर हम नञि अहाँ केर बात मे फंसै वाला छी, इ नञि सोचु अहाँ की इहो बेर अहाँ लेल नबका साड़ी आँइन देब।
एतबे बात सुनिते भौजी अंदरे अंदर दांत पिसय लगली, आ झट दऽ बजली -
शर्ट नीक अछि, मुदा मुंह तह ओनाही कुकुर जेना लागैत ऐछ।

गुरुवार, 15 सितंबर 2016

मैथिली हास्य चुटकुला : Maithili Funny Jokes.

1. एक फुल और एक हाफ टिकट दिय...

एक बेर नबल अपना माँ के संगे फिल्म देखे के लेल गेला और टिकट काउंटर पर......

नबल टिकट वला सऽ : भय साहिब एक फुल और एक हाफ टिकट दिय,

टिकट वला : फुल ककरा लेल और हाफ ककरा लेल,

नबल : फुल माँ के लेल और हाफ हमरा लेल,

टिकट वला : आहा के मूंछ (मोछ) भऽ गेल हम अहू अपन फुल टिकट लियो,

नबल : ठीक या तऽ एक फुल और एक हाफ टिकट दिय, किया की हमरा माँ के मूंछ नहीं भेले हन।


इहो पढ़ब:-


2. भाईजी हमरा माफ़ करब....
मूर्खाधिराज चन्दन भाय के गाम मऽ कियो पढ़ल-लिखल नै छैन्ह।  गलिमत एहेन जे हुनका गाम मs यदि किनको चिट्ठी आबैत छैन्ह तें ओ ओकरा पढ़ेबाक लेल बगल के गाम जैत छैथ।

बियाहक किछे दिनक बाद चन्दन भाय कऽ चंद्रमुखी भौजी के चिट्ठी मिलल।

चन्दन भाय चिट्ठी लेना हलसल-फुलसल बगल के गाम मऽ प्रफुल्ल  भैया लग पढ़ेबाक लेल पहुचला।

प्रफुल्ल भैया जहिना चिट्ठी पढ़ब सुरु केलखिन चन्दन भाय झब दके हुनकर दुनु कान मऽ अपन आंगुर (ऊँगली) गोजाइर् देलखिन।

चन्दन भाय (प्रफुल्ल भैया) सऽ : भाईजी हमरा माफ़ करब, हम बुझैत छि जे अपनेक कान मऽ बहुत पीड़ा होइत हेत।  मुदा कि करी ? हम चाहैत छि जे हमर कनियाँ के प्रेमक रस मऽ डुबल हुनकर पहिल चिट्ठी हमरा सीवा आरो कियो नै सुनैथ।  ताहि लेल अपनेक कान मऽ आंगुर गोजारने छि।

शुक्रवार, 20 मई 2016

मैथिली जोक्स ... मुस्कुरायत रहु...

1. मिसर जी बस मे सफर क रहल छलाह।
मिसर जी कन्डक्टर सँ सकरी आबि गेल ?
कन्डक्टर - नै
मिसर जी-सकरी आबि गेल?
कन्डक्टर- एखन नै
मिसर जी -यौ सकरी आयल की नै
कन्डक्टर -चुपचाप बैसल रहू सकरी आयत त बता देब ।
कनी देर बाद कन्डक्टर के ध्यान आयल जे सकरी पाछुये रही गेल फेर बस घुमा क सकरी ल गेल ।
कन्डक्टर-उतरु आबि गेलक सकरी।
मिसर जी झोरा स दवाई निकाली क खेला आ   बजला "आंगनवाली कहने छली सकरी आयत त दवाई खा लेब "आब चलू ...


2. एक बेर एगो अंगरेज मिथिला घुमैय लेल आयल। घुमैत घुमैत मनिषभाय क गाम  पर पहुँच गेलाह । और हुनका ओतय  कसतारा म राखल दही देख क मनिष जी  के पुछलकैन...
अंगरेज:-  What is This ?
मनिषभाय:- This is दही  सर।
अंग्रेज:- What is Dahi, मैन?
मनिषभाय:- दूध स्लीप विथ जोरन at night, सर एंड Morning Become भेरी Tight. एंड इट स्वाद इज खटरूस वेन इटिंग। यु केन इट विथ सुगर एंड नून बोथ बोथ।इफ यु इट छूछे देन योर दाँत बिकम कोथ कोथ, ओके अंडरस्टैंड हजूर...


इहो पढ़ब:-


3. महिला डॉक्टर :- अहाँ सब दिन भोरे क्लिनिक के बाहर ठाड़ भ के औरत के किआ घूरैत छीयै?
भोलबा :- जी, अंहि ही त बाहर लिखने छीयै, 'औरत के देखबा के समय सुबह 9 सँ 11...!!!


4. सोनू:- पप्पा, हमरा बाजा किना दिअ।
भोला :- नै तू सबके तंग करमिहि।
सोनू:- नै करबै पप्पा ! जेखन सब सुइत जेतय तहन बजेबय...!!! 

बुधवार, 23 मार्च 2016

मैथिली गल्प : कका, होली आ बिहार सरकार

विरंची कका एहि बेर होली में बड्ड उत्साहित छैथ। गामक घर घर जा कए सब कें निमंत्रण द रहल छथि जे एहि बेर हमरो आतिथ्य स्वीकार करू। मुदा महिला आ बच्चा छोड़ि कए। 

जखन हमरा लग नओत देबय अयलाह त हुनका बैसा कए चाह पिया कए एहि सदाशयताक कारण पुछल्यन्हि। कका पहिने त टारलैन्ह मुदा फेर कह, बिहार सरकारक कृपा भेल अछि। हम अचकचा गेलहुं। से कोना? बाबा विहुंसइत बजलाह, होली मने आब लोक मात्र दारू बुझैत अछि। तों त जनिते छ जे तोहर काकी एहि बेर मुखियाक चुनाव में भाग्य आजमाइश क रहल छ्थुन्ह। वोटक जोगाड़ लेल त इ सब करए पड़त। हम कहलियेन एहि में त बहुत खर्च भ जएत ।

इहो पढ़ब:-

मुदा काका मंद मंद मुस्कैत कहलैत-एखन त किछु नहि। सब भाज बैसा लेने छी।

हम पुछल्येन्ह-से की? काका हमरा कान लग फूस फुसा कए कहलथि-हमर दोस्त मंगलबा मोन छह नए? ओकर बेटा कें देशी विदेशी दारूक दोकान छैक। मुदा एक अप्रेल सं देशी दारू बंद भ जेतैक आ विदेशी दारू मात्र सरकारी दोकान में भेटतै। मंगलबा क बेटा हमरा संग डील कैने अछि जे ओ दू बोरा देशी आ एक कार्टून विदेशी हमरा मुफ्त में देत। मुखिया बैन जय्थुंह तोहर काकी त हमहूँ एकटा योजना ओकरा देबै। हम पंचायत चुनावक इ समीकरण, से हो मुफ़्तौआ सुनि कए ककाक बुधि पर अफ़सोस क अलावा और की क सकैत छी।

इहो पढ़ब :-

सोमवार, 21 सितंबर 2015

मजेदार मैथिली जोक्स : Funny Maithili Jokes

१. पति: शादी सँ पहिले अहाँ बहुते व्रत-उपवास राखै छलु, आब की भऽ गेल ? 
पत्नी: बेसी तऽ नै, खाली सोमवारी के राखै छलु।
पति: फेर, आब की भेल ?
पत्नी: फेर की ? अहाँ सँ शादी भऽ गेल और हमर उपवास पर सँ भरोसा उठी गेल।


२. एक लड़का के देखअ ओकरा घर लड़की वला एल। 
लड़की वला पूछलक- लड़का कोन काज करै अछि?
लड़का के परिवार वला- जी लड़का टिम्बर मर्चेंट अछि।
लड़की वला- अच्छा भेर तऽ जंगलक जंगल खरीदैत हैत।
लड़का वला- जी नै।
लड़की वला- तऽ की ओ थोक व्यापारी ऐछ?
लड़का वला- जी नै, ओ दरभंगा स्टेशन पर दातमैन बेचअ अछि।


इहो पढ़ब:-


३. मास्टर - कैल हम तोरा गधहा पर एकटा निबंध लिखवा के लेल कहने छलिओ, देखा की लिखले। 
विद्यार्थी - मास्टर जी, जें की हम निबंध लिखवा के लेल कलम लगेलो, गधहा भाइगे गेल !


४. गौतम एकटा सॉफ्टवेयर कंपनी मे इंटरव्यू देवाक लेल जाइत अछि।
इंटरव्यूअर : JAVA के कुनो चाईर वर्जन बताबु ?
गौतम : मर JAVA , मिट JAVA, हम सदके JAVA और लुट JAVA
इंटरव्यूअर : आब अहाँ घर JAVA

मंगलवार, 19 मई 2015

मैथिली चुटकुला : Maithili Jokes - भूकंप के की समाचार ऐछ ?

1. एक बेरा एकटा व्यक्ति अपन बेटा के अपन जमाना के गप्प कैह रहल छल - बेटा, हमारा जमाना मे एकटा गहूंमक बोरा दस रुपया के आबैत छलै।
बेटा - बाबू , गहूंमक बोरा तऽ अखनो दसे रुपया के भेटैत छै। बस ओहिमे गहूंम नै होइत ऐछ।


2. मास्टर बच्चा सँ कहलक - ओ चोरी कऽ रहल ऐछ। एही वाक्य के भविष्य काल बताउ। 
बच्चा - सर ! एकर भविष्य काल ऐछ, ओ जेल जायत।


इहो पढ़ब:- 


3. फॅमिली परिचय
मिथिला के एकटा आदमी अपन परिवारक परिचय एही तरह सँ देलक।
१. इ छी हमर बीवी ...गूगल रानी ... एकटा सबाल पुछव त दसटा जबाब देती...!!!
२. इ छी हमर बेटा ... फेसबुक कुमार ... घरक सबटा गप्प टोल मे पहुंचेनाय...!!!
३. इ छी हमर बेटी ... ट्विटर मुकरी ... पूरा टोल एकरा फॉलो करैत ऐछ।
४. इ हमर माता जी ... व्हाटसएप्प माय ... पूरा दिन बड़-बड़ करैत रहैत ऐछ, मुदा कामक एककौ बात नै निकलैत ऐछ।
५. और हम, ऑरकूट कुमार ... हमरा कीओ पूछिते नै ऐछ।


4. साउस अपन दामाद के फोन केलक : भूकंप के की समाचार ऐछ ?
दामाद: भनसा घर मे खाना बना रहल छी, बात करेबैन की ?

इहो पढ़ब :-

बुधवार, 25 फ़रवरी 2015

मैथिली चुटकुला : Funny Jokes In Maithili

😀 डॉक्टर - अहाँ के तीनटा दांत केना टूटल ?
मरीज - हमर कनियाँ कड़गड़ सोहारी बनेने छल 
डॉक्टर - तऽ खाअ सँ मना कऽ दैतो ! 
मरीज – जी, वैह तऽ केने छलु … !!!


😁 नर्सरी के स्‍टूडेंट अप्पन एक्‍जाम शीट पर सूसू कऽ देलक
टीचर- इ की केलही 
स्‍टूडेंट- मम्‍मी कहने छल जे पहीले जे एतो वैह करीहे


इहो पढ़ब:-


😃 चुन्नू एकटा गर्भवती महिला सँ पूछलक : अहाँ के पेट मे की अछि ?
महिला : एहीमे सुन्दर सन बेबी अछि
चुन्नू : एतबे सुन्दर छल तऽ ओकरा खा किया लेलू ? 

मंगलवार, 18 नवंबर 2014

मैथिलि चुटकुला : Maithili Jokes

● एकटा आदमी साईकिल पर जा रहल छला। साईकिल केँ पीछा हुनक बच्चा बहुते जोर सँ कैन रहल छला। ओकरा काँनैत देख एकटा राहगीर ओही आदमी सँ पूछलक- 'कमाल ऐछ अहाँ केँ बच्चा कैन रहल ऐछ आ अहाँ बेधड़क साईकिल चलबैत जा रहल छिं'।
साईकिल सवार कहलक : 'बच्चा कऽ जबरदस्ती कँनैल गेल ऐछ किया की साईकिल में घंटी नै यअ।


● चुन्नू - अहाँ केँ बाबा ८५ बर्ष केँ भऽ गेला. भैर  दिन की करैत ऐछ ? 
मुन्नू - बैठल-बैठल हमरा सभक सहन शक्ति कऽ परीक्षा लैत छैथ। 


इहो पढ़ब:-


● एकटा समारोह म नेता जी भाषण दऽ रहल छला, " हमरा सभ केँ खुराक कऽ समस्या कऽ हल करै लेल ज्यादा सँ ज्यादा अनाज ऊगाबैय केँ चाहि।" तखने एकटा शरारती उईठ कऽ खडा भऽ गेल ऑउर बाजल." श्रीमान जी, घास उगाबै कऽ बारे म अहाँ कऽ की विचार ऐछ ?"
नेता जी ओकरा बैठै कऽ इशारा करैत बाजल, " पहीले हम इनसान कऽ खुराक कऽ बारे म बता ली, तोहर खुराक कऽ बारे म बाद म बतेबो।


● मास्टर (मिन्नी सँ), "आय स्कूल म देरी सँ आबै कऽ तु की बहाना ढूंढल हँ
मिन्नी, "सर आय हम ततेक तेज दौडल एलो हँ जे बहाना सोचय कऽ मौका नै भेटल"।

गुरुवार, 7 अगस्त 2014

Maithili Jokes: कतेकऽ आदमी छलौं ???

1. गब्बर: कतेकऽ आदमी छलौं ?
सांभा: सरदार दुटा।
गब्बर: हमरा गिनती नै आबै य, दु कतेकऽ होय छै ?
सांभा: सरदार दु, एक कऽ बाद आबै य
गब्बर: आ दु कऽ पहिले ?
सांभा: दु कऽ पहिले एक आबैये सरदार।
गब्बर: तऽ बीच म के आबै य ?
सांभा: बीच म कियो नै आबैये सरदार।
गब्बर: तऽ फेर दुनू एक साथ किया नै आबैये ?
सांभा: एक कऽ बादे दु आबी सकै य कियाकि दु, एक सँ नम्हर छै सरदार।
गब्बर: दु, एक सँ कतेकऽ नम्हर छै।
सांभा: दु, एक सँ एक नम्हर य सरदार।
गब्बर: अगर दु, एक सँ एक नम्हर य तऽ एक, एक सँ कतेकऽ नम्हर य ?
सांभा: सरदार आब अहाँ हमरा गोलीये मैर दिअ हम अहाँ कऽ नमक खेलैं च्यवनप्राश नै।

इहो पढ़ब:-

2. नेताजी - हमरा वोट दिअ, हम अहाँ कऽ गांम कऽ सर्वग बना देब...
श्रोता - मुदा साहब , हमरा तऽ एखन जिंदा रहै कऽ ऐछ...अहाँ शहर बना दियो...


3. एकटा खूबसूरत लडकी बस स्टैंड पर ठाड़ छल। एकटा नवयुवक बाजल - चांद तऽ राईत म निकलै छलै, आय दिने म कोना निकैल गेलै ?
लडकी बाजल - अरे उल्लू तऽ राईत कऽ बाजैया छलै, आय दिन म कोना बैज रहल छै।

इहो पढ़ब:-

4. एक बेरा पति-पत्नी म झगडा भऽ रहल छल, जहन झगडा बहुते बैढ़ गेल। 
पति तांमस कऽ काबू म राखैत कहलक- आब अहाँ एक शब्दों नै बाजब नै तऽ हमरा अंदर जे पशु बैठल ऐछ सें जाईग जायत। 
पत्नी बाजल- जा गऽ दियो अपन अंदरकऽ पशु कऽ , भला चूहो सँ कियो डरैत ऐछ।

सोमवार, 16 जून 2014

मैथिलि चुटकुला : Funny Jokes In Maithili

चुन्नू : सिस्टर हमरा एक बोतल खून दऽ दीऽय। सिस्टर: ब्लड ग्रुप बताउ? चुन्नू : कुनो चलत। सिस्टर: केना? चुन्नू: गर्लफ्रेंड क लव लैटर लिखबा कऽ अछि।


● चुन्नू : आइ हमर बकरी अंडा देलक ऐछ। मुन्नू:  पागल भऽ गेल्ही कि बकरी कखनो अंडा दै छै? चुन्नू: भाय हम वीआईपी लोग छि, हमर मुर्गी क नाम बकरी छि।


इहो पढ़ब:-


● दस साल क चुन्नू बहुते ध्यान सँ एकटा किताब पढ़ी रहल छल, जेकर टाइटल छल 'बच्चा का  पालन-पोषण कैसे करें'? मां: तु एही किताब कऽ किया पढ़ी रहल छेँ? चुन्नू: हम इऽ देखै चाहै छि जे हमर पालन-पोषण ठीक सँ भऽ रहल ऐछ या नै।


● चुन्नू बॉब कट ऑउर जींस पहिरने एकटा युवा कऽ लंग ठाड़ व्यक्ति सँ पूछलक: इऽ लड़का छि या लड़की ? मुन्नी : इऽ लड़की छि ऑउर और हमर बेटी छि। चुन्नू: ओह! माफ करव सर, हमरा बुझल नै छल कि अहाँ एकर पप्पा छि। मुन्नी : नालायक हम पप्पा नै, एकर माँ छियै।

शुक्रवार, 16 मई 2014

तोहर एते रास गर्लफ्रेंड: लाजबाब मैथिलि चुटकुला

१. सिंटू (अपन दोस्त सँ)- यार, तोहर एते रास गर्लफ्रेंड छउ से केना ?
दोस्त फिलॉसफी झारइत कहलक - यार, हम एकटा लड़की सँ प्रेम केलौं और ओ हमर दिल तोडी देलक।
आब दिलक सवटा टूटल टुकड़ा अलग-अलग लड़की सँ प्रेम करैत छैक।


२. पिता- किया कइन रहल छिहि?
चुन्नू- मास्टर जी मारलक...
पिता- जरूर तु कुनो गलती केने हेमही। 
चुन्नू - नय हम तऽ खाली आराम सँ सुतल छलियै।

इहो पढ़ब :-

३. पत्नी - अगर हमर शादी कुनो 'राक्षसो' सँ भऽ जाइतै तऽ हम ओते परेशान नय रहितौं, जतेए अहाँ के संग छि...। 
पति आश्चर्यजनक तरीका सँ जवाब दइत कहलक - गे बतही..। खूनक रिश्ता मऽ बियाह थोरे नऽ होइत छै।


४. चुन्नू कंगाल होय पर कनियाँ सँ बाजल: अहाँ बच्चा के नानी ओतय भेज दियौ...
आ अहाँ अपन माँ कऽ पास चैल जाउ..
हमर की ऐछ ! हम अपन सासुर चैल जायब।

इहो पढ़ब :- 

५. चुन्नू कऽ रोड आ खम्बा पर लागल पोस्टर पढय के बहुते शैख छल. जहन ओ पोस्टर पढय के लेल खम्बा पर चढल तऽ ओय पर लिखल छल-
"खम्बा पर नबका पेंट केने छि अय पर हाथ नय लगायब..."।

बुधवार, 9 अप्रैल 2014

पति क निकाल नय तs गोली माइर देबो : Maithili Jokes

1. किराया क मकान म भूकंप
चुन्नू मुन्नू सँ- उठ जो यार, जल्‍दी उठ, भूकंप आबि रहल छय, घर गिर परतो।
मुन्नू - तू सुइत जो, गिरतै त मकान मालिक क न, हम त किरायेदार छि।


2. बूढ़ महिला अनलक भिखारी क लेल खाना
भिखारी भीख मांगैत एकटा घरक दरवाजा पर पहुंचल, दस्तक देलक त अंदर सँ एकटा पैंतालीस सालक महिला आयल।
भिखारी : माताजी भूखल क सोहारी दी य
महिला : शरम नय आबै छउ, हट्टा-कट्टा भ के भीख मांगय छ. दू टा हाथ छउ, दू टा आंइख छउ, पैर छउ, फेरो भीख मांगय छ?
भिखारी : माताजी, अंहु त खूबसूरत, गोर-चिट्टी छि, गजबक फिगर अछि आउर अखन अंहा क उम्र की भेल हन? अहा मुंबई जै क हीरोइन किया नय बनय छि? घर पर बेकार बैठल छि.
महिला : कनी रुक,  हम अखने तोरा लेल खाना लाबै छियो।


इहो पढ़ब:- 

3. एहन की भेल जे की मुर्गे देलक अंडा
एकटा फार्मक मालिक एक दिन सवटा मुर्गि सँ बाजय अछि, " कल सँ सब क दू-दू टा अंडा देनाय छय, जे नय देत ओकरा हम काइट देबय।
अगिला सुबह सब मुर्गि दू-दु टा अंडा देलक मुदा एकटा सिर्फ एकेटा अंडा देलक। 
मालिक जहन एकर कारण पुछलक त ओ मुर्गी बाजल "जनाब, इहो हम अहा क डरे सँ देलो वरना हम त मुर्गा छि।


4. पत्‍नी क फोटोग्राफी
एक दिन चुन्नू अपन पत्‍‌नी क ढेर रास फोटो ल रहल छल,
पत्‍‌नी एकदम सँ खुश भ के - की बात छय जी ? आय त हमर फोटो पर फोटो लेल जा रहल छि ?
चुन्नू-किछो नय पगली, आय हमरा माथा पर वाइल्ड लाइफ फोटोग्राफी क भूत सवार ऐछ।


इहो पढ़ब:-


5. पति क निकाल नय त गोली माइर देबो
सिनेमाघर म एकटा युवती मैनेजर क कनपटी पर पिस्तौल अड़ा देलक और कहलक-हमर पति अंदर बैठ दोसर औरतक साथ पिक्चर देख रहल अछि. ओय दुनू क अंहा जल्दी सँ बाहर निकालू, वरना अंहा क गोली माँइर देव..
मैनेजर डर सँ कांपैत थिएटर म अनाउंसमेंट करवेलक-जे भी पुरुष पराई स्त्री क साथ पिक्चर देख रहल छि, जल्दी सँ बाहर आबि जाउ... 
अनाउंसमेंट क खतम होएते दू मिनट म सावटा थिएटरे खाली भ गेल।

सोमवार, 24 फ़रवरी 2014

Wrong नम्बर : मैथिलि चुटकुला Maithili Joke

1. एक दिन प्रभाकर क एकटा अनजान नम्बर सँ फोन एल।
फोन पर लड़की छल : जे बाजल, हेलो अंहा कुवार छि।
प्रभाकर : हँ, मुदा अंहा के बाजय छि ?
लड़की : हम अंहा क बीबी बाजैय छि। आय घर आउ तहन बतैव।
कनी काल बाद प्रभाकर क फेर एकटा अनजान नम्बर सँ फोन एल।
फेर सँ एकटा लड़की छल जे बाजल : अंहा की शादीसुदा छि ?
प्रभाकर : हँ, मुदा अंहा के।
लड़की : अंहा क गर्लफ्रेंड, धोकेबाज।
प्रभाकर : सॉरी बेबी, हमरा लागल हमर बीबी छि।
लड़की : बीबीये छि, आय कनी घर आबू फेर बतावै छि।


2. एकटा तोता एगो कार सँ टकरा गेल। त कार वला ओकरा उठा क पिजरा म डैल देलक। दोसर दिन जहन तोता क  होश एल, त ओ बाजल, आईला ! जेल कार वला मैर गेलय की।


3. बाप (बेटा सँ) - देख बेटा, जुआ नय खेलवा चाही। इ एहन आदत छिय्य जय म आय जितमे त दोसर दिन हारमे, परसु जितमे ओकरा अगिला दिन हारमे।
बेटा - बस पिताजी  हम बुझी गेलो आगू सँ हम एक दिन छोइर क खेलब।

इहो पढ़ब:-

4. एकटा छात्र गणितक अध्यापक सँ कहलक : सर अंग्रेजी क अध्यापक अंग्रेजी म बात करैय य। अंहा गणित म बात किया नय करैय छि ?
अध्यापक : जादा तिन पाँच नय कर, फौरन नौ दू ग्यारह भ जो, नय त चैर पाँच रैख देबौ तहन छटी क दूध याद आबि जेतो।


5. प्रेमिका (प्रेमी सँ) : अंहा हमरा सँ बहुते प्रेम करै छि।
प्रेमी : हाँ
प्रेमिका : अगर हम मैर जैव त अंहा कानवै ?
प्रेमी : बहुते, बहुते।
प्रेमिका : कनी कैन क देखाबू न।
प्रेमी : पहिले कनी मैर क देखाबू न।