शुक्रवार, 16 मई 2014

तोहर एते रास गर्लफ्रेंड: लाजबाब मैथिलि चुटकुला

१. सिंटू (अपन दोस्त सँ)- यार, तोहर एते रास गर्लफ्रेंड छउ से केना ?
दोस्त फिलॉसफी झारइत कहलक - यार, हम एकटा लड़की सँ प्रेम केलौं और ओ हमर दिल तोडी देलक।
आब दिलक सवटा टूटल टुकड़ा अलग-अलग लड़की सँ प्रेम करैत छैक।


२. पिता- किया कइन रहल छिहि?
चुन्नू- मास्टर जी मारलक...
पिता- जरूर तु कुनो गलती केने हेमही। 
चुन्नू - नय हम तऽ खाली आराम सँ सुतल छलियै।

इहो पढ़ब :-

३. पत्नी - अगर हमर शादी कुनो 'राक्षसो' सँ भऽ जाइतै तऽ हम ओते परेशान नय रहितौं, जतेए अहाँ के संग छि...। 
पति आश्चर्यजनक तरीका सँ जवाब दइत कहलक - गे बतही..। खूनक रिश्ता मऽ बियाह थोरे नऽ होइत छै।


४. चुन्नू कंगाल होय पर कनियाँ सँ बाजल: अहाँ बच्चा के नानी ओतय भेज दियौ...
आ अहाँ अपन माँ कऽ पास चैल जाउ..
हमर की ऐछ ! हम अपन सासुर चैल जायब।

इहो पढ़ब :- 

५. चुन्नू कऽ रोड आ खम्बा पर लागल पोस्टर पढय के बहुते शैख छल. जहन ओ पोस्टर पढय के लेल खम्बा पर चढल तऽ ओय पर लिखल छल-
"खम्बा पर नबका पेंट केने छि अय पर हाथ नय लगायब..."।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !