रविवार, 27 मार्च 2022

दरभंगा : मिथिला, मैथिली के केंद्र आ बंगाल के दरवाजा रहल मिथिलाक इ जिला

About Darbhanga - दरभंगा शब्द फारसी भाषाक दर-ए-बंग सं निकलल ऐछ। एकर मतलब होइत अछि बंगाल कऽ दरवाजा। एकर मैथिलीकरण होइत इ नाम दरभंगा तक पहुंचल अछि।


आम, माछ, पान आ मखान के लेल प्रसिद्ध दरभंगा कला-संस्कृति के गढ़ रह अछि। बिहारक छठमा सबसं बड़का शहर दरभंगा बागमती नदीक कात बसल अछि। दरभंगा के मिथिलाक राजधानी सेहो कहल जाइत अछि। कहल जाइत अछि जे मुगल काल मे दरभंगी खां अंहि शहर के बसने छल। दरभंगी खां ब्राह्मण छलैथ। मुदा कालांतर मे इस्लाम अपना लेने छल।

सन 1845 मे ब्रिटिश सरकार दरभंगा सदर के अनुमंडल बनेलक आ सन 1864 मे दरभंगा शहर नगर निकाय भऽ गेल। सन 1875 मे स्वतंत्र जिला बनबा तक इ तिरहुत के संग छल। 1908 मे तिरहुत के प्रमंडल बनला पर एकरा पटना प्रमंडल सं हटा कऽ तिरहुत मे शामिल कऽ लेल गेल। आजादी भेटबाक उपरांत 1972 मे दरभंगा के प्रमंडलक दर्जा दऽ कऽ मधुबनी आ समस्तीपुर के एकरा अंतर्गत राखल गेल। जिला मे हिमालय सं उतरय वाली नित्यवाही आ बरसाती नदिक जाल बिछल अछि। कमला, बागमती, कोशी, करेह आ अधवारा समूहक नदि सं उत्पन्न बाइढ़ सब साल लाखों लोगक लेल तबाही आनैत अछि।


इहो पढ़ब :-

●  जय बाबा बैद्यनाथ : मैथिली के पहिल रंगीन फिल्म आ सशक्त महिला के कहानी

कला-संस्कृति
दरभंगा मिथिला संस्कृति के अंग आ केंद्र बिंदु रहल अछि। रामायण मे एकरा राजा जनक के प्रदेश बताओल गेल अछि। मिथिला पेंटिंग, ध्रुपद गायनक गया शैली आ संस्कृत के विद्वान एहि इलाका के खास पहचान देलक अछि। प्रसिद्ध लोक कला मे सुजनी, सिक्की आ लकड़ी पर नक्काशी के काज शामिल अछि। सामा चकेवा, जड़ जटिन और झिझिया दरभंगा के प्रसिद्ध लोकनृत्य अछि। मिथिला क्षेत्र के इ जिला अपन प्राचीन संस्कृति, संस्कृत और बौद्धिक परंपरा के लेल जानल जाइत रहल अछि। दरभंगा शहरक आधुनिक स्वरूप सोलहवीं सदी मे मुगल व्यापारि आ ओईनवार शासक विकसित केलक। एहि इस क्षेत्र सं कुमारिल भट्ट, मंडन मिश्र, गदाधर पंडित, शंकर, वाचास्पति मिश्र, विद्यापति, नागार्जुन एहन चोटीक विद्वान निकलल अछि।

दरभंगा का सामाजिक तानाबाना
2011 के जनगणनाक मुताबिक जिलाक आबादी करीब 39.38 अछि। अहिमे पुरुख के संख्या लगभग 20.60 लाख आ महिला के आबादी करीब 18.78 लाख अछि। जिला मे स्त्री-पुरूख अनुपात 910:1000 अछि। जिला मे 72.75% लोग मैथिली बाजैत अछि। दरभंगा मे उर्दू बजनिहारक संख्या 20.67% अछि आ करीब 6.51% लोग हिंदी के अपन पहिल भाषा बताबैत अछि। दरभंगा के साक्षरता दर- 35.42% (पुरूख-45.32%, स्त्री- 24.58%) अछि। परंपरागत तौर पर इ शहर मिथिलाक ब्राह्मण के लेल संस्कृत मे उच्च शिक्षा के लेल प्रसिद्ध रहल अछि। दरभंगा मे करीब 77 फीसदी आबादी हिंदू धर्म के मानैत अछि त लगभग 22 फीसदी आबादी इस्लाम धर्म मानय बाली अछि।


इहो पढ़ब :-

● नौ लाख चांदीक सिक्का सं बनल राजनगर के नौलखा पैलेस


दरभंगा की राजनीतिक तस्वीर
दरभंगा जिला मे दरभंगा के अलावा मधुबनी आ समस्तीपर लोकसभा सीटक किछ हिस्सा आबैत अछि। दरभंगा लोकसभा सीट पर पुराना समय मे कांग्रेसक दबदबा रहल छल। कांग्रेस के एतय सात लोकसभा चुनाव मे जीत भेटल ऐछ त भाजपा के चाइर आ जनता दल के तीन बेरा जीतक स्वाद भेटल अछि। दरभंगा जिला मे 10 विधानसभा सीट आबैत अछि। एहिमे सं गौड़ाहौराम, बेनीपुर, अलीनगर, दरभंगा ग्रामीण, दरभंगा, आ बहादुरपुर विधानसभा सीट दरभंगा लोकसभा निर्वाचन क्षेत्र मे अछि तऽ दु-दु सीट मधुबनी (केवटी आ जाले) आ समस्तीपुर (कुशेश्वरस्थान (SC) और हायाघाट) लोकसभा निर्वाचन क्षेत्र मे अछि।

दरभंगा के प्रसिद्ध दर्शनीय स्थल - Famous Places In Darbhanga


दरभंगा राज किला-परिसर


 लक्ष्मीश्वर सिंह संग्रहालय


कंकाली मंदिर


मनोकामना मंदिर ( हनुमान मंदिर )


काली (श्यामा) मंदिर


दुर्गा मंदिर


कुशेश्वर शिव मंदिर और पक्षी अभयारण्य


अहिल्या स्थान


● ज्वालामुखी भगवती


● कैथोलिक चर्च


● रहमतुल्लाह अलैह की मजार


● दरभंगा टावर मस्जिद


इहो पढ़ब :-

● दरभंगा जंक्शन : मिथिला संस्कृति आ धरोहर के जीवंत छवि


जिलाक प्रसिद्ध शख्सिय
पूर्व सांसद हुकुमदेव नारायण यादव, फिल्म निर्देशक इम्तियाज अली, पूर्व क्रिकेटर आ दरभंगा के सांसद रहल कीर्ति आजाद, बॉलीवुड एक्ट्रेस कावेरी झा, प्रसिद्ध जनकवि बाबा नागार्जुन, फिल्म अभिनेता संजय मिश्रामिथिला रत्न हेमकान्त झाएक्टर सुभम झा एहन विभिन्न क्षेत्रक प्रसिद्ध चहरा दरभंगा सं निकलल अछि।

जिलाक प्रमुख अधिकारी
दरभंगा के एसएसपी बाबू राम अछि। हिनका सं  मोबाइल नंबर- 9431822992 पर संपर्क कैल जा सकैत अछि। दरभंगा के डीएम त्यागाजन एसएम अछि हिनकर E-Mail ID dm-darbhanga.bih@nic.in अछि हुनका सं टेलीफोन नंबर- 06272240200 पर संपर्क कैल जा सकैत अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !