गुरुवार, 7 फ़रवरी 2019

उत्कृष्ट सांसद आ पद्म भूषण पुरस्कार सं सम्मानित हुकुमदेव नारायण यादव के जीवनी

ठेठ मैथिल मिजाज आ अंदाज मे अपन लाजवाब भाषण सं विरोधि के चित करबा मे बेजोड़ हुकुमदेव नारायण यादव के साल 2019 में पद्म भूषण पुरस्कार सं सम्मानित कैल गेल छलैन। वर्तमान मे मधुबनी सं सांसद छथि। पूर्व राज्यमंत्री रही चुकल हुकुमदेव फिलहाल त बीजेपी मे छथि, मुदा संघवाद और समाजवाद के एक संग जीबय बला नेता के तौर पर विशिष्ट पहचान राखय छथि। हिंनक भाषण सोशल मीडिया पर सेहो चरचाक विषय बनल रहय छनि।

हुकुमदेव नारायण यादव के 1 अगस्त 2019 के राष्ट्रपति रामनाथ कोविंद हिनका उत्कृष्ट सांसद के अवार्ड सं सम्मानित केलकनि। 17 नवम्बर 1939 के हुकुमदेव नारायण यादव के जन्म दरभंगा के बिजुली गांव मे एकटा किसान परिवार मे भेलनि। पिता राजगीर यादव एकटा स्वत्रन्ता सेनानी छलथि। माता के नाउ चंपा देवी आ पत्नी के नाउसुदेश यादव छनि। 
हिनका दु टा लड़का और एकटा लड़की छनि। हुकुमदेव नारायण यादव अपन स्नातक राजनीतिक विज्ञान और अर्थशास्त्र मे ललित नारायण मिथिला यूनिवर्सिटी सं केने छथि। 

इहो पढ़ब:-

हुकुमदेव नारायण यादव के झुकाव शुरूए सं समाज सेवा दिस छलनी। वर्ष 1950 मे हुकुमदेव नारायण राष्ट्रीय स्वयंसेवक संघ के संपर्क मे एलाह आ करीब 10 वर्ष धरि संघ मे सक्रिय भूमिका निभेलथि। ताहि उपरांत वर्ष 1960 मे पहिल बेरा राजनीति मे डेग रखलैथ। ओ पहिल बेरा अपन गांव बिजुली पंचायत के ग्राम प्रधान लेल चुनल गेल छलथि।
वर्ष 1977 मे पहिल बेर भारत के छठम लोकसभा के सदस्य बनलैथ। अहि बीच ओ जनता पार्टी के सदस्य छलैथ । वर्ष 1980 में लोक दल दिस सं राज्यसभा सांसद बनलैथ। एकर उपरांत आन आ कतेको दायित्व के निर्वहन करैत वर्ष 1993 मे भारतीय जनता पार्टी सं जुरलैथ । संगे किसान मोर्चा के दु बेरा अध्यक्ष सेहो रैह चुकल छथि, और भाजपा के बिहार उपाध्यक्ष के पद पर सेहो काज केने छथि।  

एहो पढ़ब:-

साल 1980 मे एकटा किताब लिखने छलथि जेकर नाउ “गाँव की कहानी” अछि। हुनक “किसान की बात” और “संसद में गाँव” एहन विषय पर लेख कतेको पत्र- पत्रिका मे प्रकाशित कैल गेल अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !