बुधवार, 23 जून 2021

दरभंगाक लाल, एक्टर सुभम झा के बायोग्राफी

Shubham Jha Actor Biography -मिथिला धरोहर : मूल रुपसं दरभंगा जिलाक बहेरा थानाके रामपुर उदई के रहनिहार शुभम झाक जन्म जन्म 3 अगस्त 2004 के कोलकातामे भेल छनि। एखन हिनकर उम्र 17 साल छनि। हिनकर पिता विकास झा मुंबई मे कार्यरत छथि आ शुभम अपन माता-पिताक संग मुंबई मे रहय छैथ। 

शुभम झा एकटा उभरैत कलाकार छैथ जेकि बहुत रास हिन्दी सीरियल मे अपन अभिनय प्रतिभाक उत्कृष्ट प्रदर्शन कएने छैथ आ क’ रहल छैथ।
शुभम लगभग पाँच वर्षक आयु सं टेलीविजन इंडस्ट्री मे काज क रहल छैथ। शुरुआत भेलनि ‘पापा’ नामसं निर्मित टेलीफिल्म सं, आगु महिन्द्रा मैक्सिमम प्लस, टाटा कैपिटल होमलोन, Flipkart, Tang, आ Mortein Insta-5 आदि सहित बहुत रास विज्ञापन मे सेहो काज केलैथ। 

‘क्राइम पेट्रोल’, ‘सावधान इन्डिया’ आदि मे कएक बेर भूमिका निभा चुकल छैथ। एकर अलाबा कलर्स पर प्रसारित ''कैरी-रिश्ता खट्टा मीठा'' (2012), 2013 मे लाइफ़ ओके पर प्रसारित ''दो दिल एक जान'' आदि मे सोहो अभिनय केलैथ। 
मुदा सबसं बेसी लोकप्रिय भेटलनि कलर्स पर नियमित रुपे प्रसारित चर्चित धारावाहिक "बालिक बधु" (2006) सं अमोल शिवराज शेखर के रूप मे। 2020 मे, Zee5 ओरिजिनल के हिंदी फिल्म, प्रकाश झा द्वारा निर्देशित "परीक्षा" मे ओ बुलबुल के भूमिका निभेने छैथ।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !