अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
Poonam Mishra लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
Poonam Mishra लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
22 जुल॰ 2026
Geet Sangrah
पूनम मिश्रा के हनुमान जी के प्रसिद्ध भजन | Poonam Mishra Hanuman Ji All Songs Lyrics
इहो पढ़ब :-
15 जन॰ 2026
Hanuman Geet
पारम्परिक मैथिली हनुमान जी भजन
हमर विनय श्री रामचन्द्र जी सँ कनी कहबनि यो हनुमान
हमर विनय श्री रामचन्द्र जी सँ कनी कहबनि यो हनुमान
कनी कहबैन यौ हनुमान अहाँ कनी कहबैन यौ हनुमान
हमर विनय श्री रामचन्द्र जी सँ कनी कहबनि यो हनुमान
लछुमन दोख कियौ नहि देबनि,
लछुमन दोख कियौ नहि देबनि
रावण हरलक ज्ञान
कनी कहबैन यौ हनुमान
हमर विनय श्री रामचन्द्र जी सँ कनी कहबनि यो हनुमान
जँ एहि वन मे रावण आओत,
जँ एहि वन मे रावण आओत
तेजब हम परान
कनी कहबनि यो हनुमान
हमर विनय श्री रामचन्द्र जी सँ, कनी कहबनि यो हनुमान
रावणक त्रास बहुत तड़पौलक,
रावणक त्रास बहुत तड़पौलक,
थर-थर काँपय प्राण
कनी कहबनि यो हनुमान
हमर विनय श्री रामचन्द्रजी सँ, कनी कहबनि यो हनुमान
19 नव॰ 2025
Hanuman Geet
पूनम मिश्रा के हनुमान जी गीत
राम के परम प्रिये शिव के दुलरुआ
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
विक्र रूप धरि अहाँ राम के रीझेलौं
यौ अंजनी के लाला
विक्र रूप धरि अहाँ राम के रीझेलौं
यौ अंजनी के लाला
देलियै सुग्रीव से मिलाय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
लघु रूप धर अहाँ सिया सुधि लेलौं
यौ अंजनी के लाला
लघु रूप धर अहाँ सिया सुधि लेलौं
यौ अंजनी के लाला
अघतेलनी सीता माय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
सिया जी सं पुइछ अहाँ जय फल खेलौं
यौ अंजनी के लाला
सिया जी सं पुइछ अहाँ जय फल खेलौं
यौ अंजनी के लाला
छय केलौं अक्षय अताय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
ब्रम फांस देखी अहाँ ताहि पे बनहेलौ
यौ अंजनी के लाला
ब्रम फांस देखी अहाँ ताहि पे बनहेलौ
यौ अंजनी के लाला
देलियै जब लंका के जराय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
लाय संजीवन अहाँ लखन जियेलौं
यौ अंजनी के लाला
लाय संजीवन अहाँ लखन जियेलौं
यौ अंजनी के लाला
उठला लखन हरसाय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
बल के समुद्र अहाँ बुद्धि के स्वरूपे
यौ अंजनी के लाला
बल के समुद्र अहाँ बुद्धि के स्वरूपे
यौ अंजनी के लाला
प्रेमी नीरबुधिया ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
राम के परम प्रिये शिव के दुलरुआ
यौ अंजनी के लाला
हमरो पर होइयो ने सहाय
यौ अंजनी के लाला
इहो पढ़ब:-
30 सित॰ 2025
Durga Bhajan
Maiya Bar Dulri Maithili Devi Song By Poonam Mishra
मैया बड़ दुलरी,
अपना सेवक पर,
अपना सेवक पर सहाय रहती,
मैया बड़ दुलरी,
कहाँ सोभे बाजूबंद, कहाँ टिकुली,
हे मैया, कहाँ सोभे बाजू बन्द, कहाँ टिकुली,
कहाँ सोभे डरकस,
कहाँ सोभे डरकस, कहाँ नुपरि,
मैया बड़ दुलरी
बाहि सोभे बाजूबंद, माथे टिकुली,
हे माता, बाहि सोभे बाजूबंद, माथे टिकुली,
डार सोभे डरकस,
डार सोभे डरकस, पैर नुपरि,
मैया बड़ दुलरी
हाथ सोभे कंगना अंगूर मुण्डरी
हे दुर्गा, हाथ सोभे कंगना अंगूर मुण्डरी
गला सोभे मुण्डमाल,
गला सोभे मुण्डमाल, सीर सिंदूरी,
मैया बड़ दुलरी
आगैर देब छागैर देब, देब अचरी
हे मैया, आगैर देब छागैर देब, देब अचरी
बीच मे हम मौड़ी देब,
बीच मे हम मौड़ी देब, सोना घुंगरी,
मैया बड़ दुलरी
केरा देब, पेरा देब रस माधुरी,
हे मैया, केरा देब, पेरा देब रस माधुरी,
मैया के मंदिर बीच,
मैया के मंदिर बीच, खेलब ठुमरी,
मैया बड़ दुलरी,
20 अक्टू॰ 2023
Bhakti Geet
Poonam Mishra Bhakti Song , पूनम मिश्रा दुर्गा वंदना लिरिक्स
11 माँ केहन दिन केलियै
11 जुल॰ 2023
Bhakti Geet
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
छोट छोट रोड़ी गरै यैऽ
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जाय यै बाबा बुललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जाय यै दानी बुललो ने जाय यैऽ,
तै पर पैर पकै यै, यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ
डर लगैयै देखि जंगल झारी,
उच नीच रस्ता पहार पहारी,
डर लगैयै देखि जंगल झारी,
डर लगैयै, बाबा डर लगैयैऽ,
बाबा डर लगैयै देखि जंगल झारी,
उच नीच रस्ता पहार पहारी,
रहि रहि ठेश लगैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो नै जाय यैऽ
रहि रहि ठेश लगैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो नै जाय यैऽ
पार लगाबू बाबा भक्तक अर्जी,
मानी ने मानी अहिं केर मर्जी,
पार लगाबू बाबा भक्तक अर्जी,
मानी ने मानी अहिं केर मर्जी,
पार लगाबू बाबा भक्तक अर्जी,
मानी ने मानी अहिं केर मर्जी,
दरश लै कोड़ फटैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ ,
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ
चम चम नवल चान चमकै यैऽ ,
हर हर बम कहि मन बमकै यैऽ,
चम चम नवल चान चमकै यैऽ ,
हर हर बम कहि मन बमकै यैऽ,
हर-हर बम-बम, हर-हर बम-बम,
हर-हर बमबम बमबम बमबम
चम चम नवल चान चमकै यैऽ ,
हर हर बम कहि मन बमकै यैऽ,
जैब पहार लगैयैऽ ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
चुभ चुभ कांट गरैयैऽ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जायै बाबा बुललो ने जाय यैऽ,
चललो ने जायै दानी बुललो ने जाय यैऽ,
तै पर पैर पकैयै यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ,
छोट छोट रोड़ी गरैयैऽ ,
यौ बाबा हमरा चललो ने जाय यैऽ
इहो पढ़ब :-
5 जुल॰ 2023
Durga Bhajan
ककरा सं कहबै माँ हे किछु नै फुराय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी
ककरा सं कहबै, ककरा सं कहबै
केलहु जतन मुदा नाव अछि फुटल
पार कोना करबै पतबार टूटल
केलहु जतन मुदा नाव अछि फुटल
पार कोना करबै पतबार टूटल
पार कोना करबै पतबार टूटल
बीच भवर मे, बीच भवर मे,
बीच भवर मे नईया डगमग करय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी
ककरा सं कहबै, ककरा सं कहबै
पार करै छी मईया अहिं सब के नईया
हमरा के देखु माँ कियो नै खेबईया
पार करै छी मईया अहिं सब के नईया
हमरा के देखु माँ कियो नै खेबईया
हमरा के देखु माँ कियो नै खेबईया
देर जूनि करियौ, देर जूनि करियौ,
देर जूनि करियौ नदिया उमरल जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी
ककरा सं कहबै, ककरा सं कहबै
जग केरे पालन अहिं माँ करै छी
हमरा के देखु माँ कोना जिबय छी
जग केरे पालन अहिं माँ करै छी
हमरा के देखु मईया कोना जिबय छी
हमरा के देखु मईया कोना जिबय छी
बेटी अहाँ के, बेटी अहाँ के
बेटी अहाँ के भासल जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी डूबल नाव जाय यै
दौरु-दौरु आहे जननी
ककरा सं कहबै, ककरा सं कहबै
3 जुल॰ 2023
Durga Bhajan
कहमा नहेली काली, कहाँ लट झाड़लनि
कहमा नहेली काली, कहाँ लट झाड़लनि
माँ हे कहमा तोहर श्रृंगार हे
माँ हे कहमा तोहर श्रृंगार हे
गंगा नहेली काली, घाट लट झाड़लनि
गंगा नहेली काली, घाट लट झाड़लनि
माँ हे मंदिर तोहर श्रृंगार हे
माँ हे मंदिर तोहर श्रृंगार
गंगा नेहेलौ काली, घाट लट झाड़लनि
कोने फूल ओड़न माँ हे, कोने फूल पहिरन
कोने फूल ओड़न माँ हे, कोने फूल पहिरन
माँ हे कोने फूल तोहर श्रृंगार हे
मईया कोने फूल तोहर श्रृंगार
बेली फूल ओड़न माँ हे, चंपा फूल पहिरन
माँ अरहुल तोहर सिंगर हे
मईया अरहुल तोहर सिंगर
बेली फूल ओड़न माँ हे, चंपा फूल पहिरन
कथिये पहीर काली, कहाँ भय बैसलनी
कथिये पहीर काली, कहाँ भय बैसलनी
माँ हे कहमा रहब सहाय हे
माँ हे कहमा रहब सहाय
पहीरी ओड़िह कला मंदिर बैसलनी
माँ हे सेवक रहब सहाय हे
माँ हे सेवक रहब सहाय
पहीरी ओड़िह कला मंदिर बैसलनी
इहो पढ़ब :-
7 मई 2023
Bhakti Geet
बाबा रचि रचि लिखबै यौ
कमरथुआ के अरजी यौ बाबा -2,
बाबा रचि रचि लिखबै यौ -2,
कथि के अहाँ कलम बनायब
कथि के रोसनाय यौ बाबा,
कथि के अहाँ कलम बनायब
कथि के रोसनाय,
कथि के अहाँ कागज बनायब -2,
रचि-रचि लिखबै यौ, बाबा रचि रचि लिखबै यौ
कामर के अहाँ कलम बनायब
गंगाजल रोसनाय यौ, हर-हर,
कामर के अहाँ कलम बनायब
गंगाजल रोसनाय,
बेलपत्र के काजल बनायब - 2,
रचि-रचि लिखबै यौ, भोला बाबा रचि रचि लिखबै यौ
भक्त अहाँके पुकार रहल अछि
राखब लाज बिचार, यौ बाबा,
भक्त अहाँके पुकार रहल अछि
राखब लाज बिचार,
बैन सेबक हम द्वारा ठार छी -2,
बनल दिनदुखियार,
बाबा रचि रचि लिखबै यौ
बाबा रचि रचि लिखबै यौ
कमरथुआ के अरजी यौ बाबा -2,
Bhakti Geet
बसहा बरदिया पर जोगिया एक झोरिया लऽ
मंगाय छै दू मुठ्ठी धान,
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
बसहा बरदिया पर जोगिया एक झोरिया लऽ
मंगाय छै दू मुठ्ठी धान,
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
हाथो में लकड़ी टेकैत चलय छै,
दुखिया के दुख दूर करै छै,
हाथो में लकड़ी टेकैत चलय छै,
दुखिया के दुख दूर करै छै,
भैर पेट खेबा लऽ जीबन जुरेबा लऽ
तरसै छै एकरो पराण
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
माथ पर कारी जटा पसरल छै,
ओहि बीच पाबन गंगा बहय छै,
माथ पर कारी जटा पसरल छै,
ओहि बीच पाबन गंगा बहय छै,
चान सनक देहिया में, सोन सन सुरतिया सं
चमकै छै दुतिया के चान
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
द्वाइर बैसल अछ जोगी भिकारी,
कोना कऽ जीती गौरी बेचारी,
द्वाइर बैसल अछ जोगी भिकारी,
कोना कऽ जीती गौरी बेचारी,
घर ने आंगन छै, टुटली मड़ाईया छै
ओगरय छै ओ असमसान
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
बसहा बरदिया पर जोगिया एक झोरिया लऽ
मंगाय छै दू मुठ्ठी धान,
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
बसहा बरदिया पर जोगिया एक झोरिया लऽ
मंगाय छै दू मुठ्ठी धान,
देखियौ केहेन छै भोला के ज्ञान -2,
28 अप्रैल 2023
Maithili Lokgeet
चलु सखि हिलि-मिलि जनक के आँगन,
दूल्हा बनल श्रीराम हे,
चलु सखि हिलि-मिलि जनक के आँगन,
दूल्हा बनल श्रीराम हे,
द्वि ही किशोर बीच आयला वशिष्ठ गुरु - 2,
एक गोर एक छथि श्याम हे,
चलु सखि हिलि-मिलि जनक के आँगन,
दूल्हा बनल श्रीराम हे
देश-विदेश केर भूप सब आयला सखी - 2,
घूर ताकि गेला निज धाम हे,
जे शिव धनुष छुबैत काल टूटि गेल,
रहि गेल सिया जी के मान हे
चलु सखि हिलि-मिलि जनक के आँगन,
दूल्हा बनल श्रीराम हे
रंग-विरंग केर बाजिगेल साज सखि - 2,
बरसल सुमन आकाश हे,
देहिक वैदिक आहि सखि मिट गेल,
मिट गेल तीनों पाप हे,
चलु सखि हिलि-मिलि जनक के आँगन,
दूल्हा बनल श्रीराम हे।
इहो पढ़ब :-
Hanuman Geet
कानि कानि कहथिन सीता
सुनू हनुमान यो
कानि कानि कहथिन सीता
सुनू हनुमान यो
कोना कऽ बिसरि गेला
मोरा भगवान यो
हरि बिनु सून भेल
सकल जहान यो
हरि बिनु सून भेल
सकल जहान यो
कोना कऽ बिसरि गेला
मोरा भगवान यो
जल-थल सभ लागय
अगिन समान यो
जल-थल सभ लागय
अगिन समान यो
कोना कऽ बिसरि गेला
मोरा भगवान यो
तइयो नहि अधम तन सऽ
निकलैए प्राण यो
तइयो नहि अधम तन सऽ
निकलैए प्राण यो
कोना कऽ बिसरि गेला
मोरा भगवान यो
कहथिन सीता दाइ
सुनू मन दए हनुमान यो
कते दुख कहू हम
अपने छी सुजान यो
कोना कऽ बिसरि गेला
मोरा भगवान यो
10 अप्रैल 2023
Maithili Lokgeet
राजा जनक जी के बाग में - 2
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में
सोने के थारी में बिरिया लगाओल - 2
बिरिया चभन आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में
हाथ कमंडल रेशम डोरी - 2
गिरजा पूजन आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में
सोने के थारी गंगाजल पानी - 2
पनियां पीबन आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
अलबेला रघुवर आयो जी,
राजा जनक जी के बाग में,
8 अप्रैल 2023
Maithili Lokgeet
Poonam Mishra Raja Janak Ji Ke Ek Beti Sita (Maithili) Lyrics
राजा जनक जी के एक बेटी सीता
से एक बेटी सीता
सेहो कोना सासुर जाय
राजा जनक जी के एक बेटी सीता
से एक बेटी सीता
सेहो कोना सासुर जाय
दुनिया के रीत सीता अहाँ आय देखियौ
अहाँ आय देखियौ
जूनि सीता होइयो बताइह - 2
एक कोस गेली सीता,
दुइ कोस गेली, दुइ कोस गेली,
तेसरे में लागल पियास
सेहो कोना सासुर जाय
गोर लागू पैइयां परु भईया सहोदर
भईया सहोदर
बाबा दह पनिया पियाउ - 2
बाबा दह पइन सीता रास्ते बिसरियौ,
रास्ते बिसरियौ
चलियौ अयोध्या सन राज
राजा जनक जी के एक बेटी सीता
से एक बेटी सीता
सेहो कोना सासुर जाय
सेहो कोना सासुर जाय - 3
7 अप्रैल 2023
Durga Bhajan
Maithili Bhakti Song Lyrics Vinti Suniyau He Maharani, Hum Sab Thadh Sharan Me Na Song by Poonam Mishra
विनती सुनियो हे महारानी lyrics in Hindi
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना - 2
मैया ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी।
अक्षत चानन, अहाँ के चढ़ायब - 2
मां से आरती उतारब ना - 2
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी।
बेली चमेली केर हार चढ़ायब - 2
मां से अरहुल चढ़ायब ना - 2
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी,
करिया छागर माँ हे धूर बन्हायब - 2
मां से उजर चढ़ायब ना - 2
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना - 2
मैया ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी,
हम सब ठाढ़ शरण में ना,
विनती सुनियौ हे महारानी,
एहो पढ़ब:-
6 अप्रैल 2023
Durga Bhajan
Ujral Ghar Maiya Aaha Lyrics in Hindi
Ujaral Ghar Maiya is Maithili Bhagwati Geet Lyrics Sung By Poonam Mishra.
उजरल घर मैया अहाँ बसाबै छी - 2
हमरा किया मैया घर सं भगबै छी - 2
उजरल घर मैया अहाँ बसाबै छी - 2
हमरा किया मैया घर सं भगाबै छी - 2
एकटा महल मैया हमहू बनोलियै,
सपना जेना सब रंग में सजोलियै,
एकटा महल मैया हमहू बनोलियै,
सपना जेना सब रंग में सजोलियै,
एक ज्ञान के रे दिप किया नै जराबै छी - 2
हमरा किया मैया घर सं भगाबै छी - 2
मानल कपूत हम छी त अहि के,
तेजब अहिं माँ नै रहब कही के,
मानल कपूत हम छी तऽ अहि के,
तेजब अहिं माँ नै रहब कही के,
आँचर आसीस मैया किया नै बरहाबै छी - 2
हमरा किया मैया घर सं भगाबै छी - 2
अहाँ बरु छोरु माँ हम नै छोरब हे,
पराने के राइत हेतइ जो मुँह मोरब हे
अहाँ बरु छोरु माँ हम नै छोरब हे,
प्रणे की राइख हेतै जँ मुँह मोरब हे
अंगूर पकैर किया लग नै बजाबै छी -2
हमरा किया मैया घर सं भगाबै छी - 2
उजरल घर मैया अहाँ बसाबै छी - 2
हमरा किया मैया घर सं भगाबै छी - 4
एहो पढ़ब:-
13 जन॰ 2022
Durga Bhajan
अहाँ के सोभे माँ हे सुंदर मुकुट
अहाँ के सोभे माँ हे सुंदर मुकुट
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
हे भईया, छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
लाले लाले अंचरिया खन खन कंगना
चमचम चमके हे माँ अहाँ के रे गहना
लाले लाले अंचरिया खन खन कंगना
चमचम चमके हे माँ अहाँ के रे गहना
घनन घनन बाजे मैया चुनरी के घुंघुर
घनन घनन बाजे मैया चुनरी के घुंघुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
घट घट खप्पर वाली सोनित पीबई छी
नास असुर के दुष्टक हवन करई छी
घट घट खप्पर वाली सोनित पीबई छी
नास असुर के दुष्टक हवन करई छी
तामस के मारल मईया लगई चूरमचूर
तामस के मारल मईया लगई चूरमचूर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
शेर सवारी शेरावाली कहबई छी
दस भूजा वाली सबहक कष्ट हरई छी
शेर सवारी शेरावाली कहबई छी
दस भूजा वाली सबहक कष्ट हरई छी
तीन नयन से अहाँ ताकईछी टुकुर
तीन नयन से अहाँ ताकईछी टुकुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
छनन छनन बाजे माँ के पैरों के नूपुर
17 दिस॰ 2021
Durga Bhajan
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
जय जयकार करै छी अम्बे, जय जयकार करै छी हे
जय जयकार करै छी अम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे
तीन भुवन के माय अहाँ छी, तीन नयन सं तकै छी हे
तीन भुवन के माय अहाँ छी, तीन नयन सं तकै छी हे
तीन भुवन के मातु अहाँ छी, तीन नयन सं तकै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे
भूत प्रेत सब झालि बजावैं, योगिन के नचबै छी हे
भूत प्रेत सब झालि बजावैं, योगिन के नचबै छी हे
भूत प्रेत सब झालि बजावैं, योगिन के नचबै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे,
राक्षस के संहार करै छी, दुनिया के जूडबै छी हे
राक्षस के संहार करै छी, दुनिया के जूडबै छी हे
राक्षस के संहार करै छी, दुनिया के जूडबै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे
अम्बे अम्बे जय जगदम्बे, जय जयकार करै छी हे












