गुरुवार, 23 मार्च 2023

मैथिली शिव भजन लिरिक्स - भोला बाबा नचारी मैथिली में Lyrics | Maithili Shiv Bhajan Nachari Lyrics

Lyrics - Maithili Nachari Song, भोला बाबा के मैथिली गीत , भोला बाबा के नचारी गीत Lyrics, 







🎵 Herab Tohar Batiya Katek Dinma Lyrics

कतेक दिनमा हो, कतेक दिनमा हो, कतेक दिनमा
शिव हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा
भोला हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा।

माटी के कोड़ि कोड़ि बनायल महादेव,
सुख के कारण शिव पूजत महेश, हो कतेक दिनमा
बाबा हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा।

तोड़ल बेलपत्र, सेहो सूखि गेल
जिनका लेल तोड़ल, सेहो रूसि गेल, कतेक दिनमा
बाबा हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा।

काशी में ताकल, ताकल प्रयाग, 
ओतहि सुनल शिव गेला कैलाश, कतेक दिनमा।
बाबा हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा।

काशी में ताकल, ताकल प्रयाग,
ओतहि सुनल शिव गेला कैलाश, कतेक दिनमा
बाबा हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा।

सबहक बेर शिव लिखि पढि देल,
हमरहि बेर कलम टुटि गेल हे, कतेक दिनमा
बाबा हेब तोर बटिया कतेक दिनमा।

भनहि विद्यापति सुनू हे महेश,
दरिद्रहरण करू मेटत कलेश, कतेक दिनमा
बाबा हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा,
शिव हेरब तोर बटिया, कतेक दिनमा ।

भोला हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा,
कतेक दिनमा हो, कतेक दिनमा हो, कतेक दिनमा
भोला हेरब तोर बटिया कतेक दिनमा।



🎵 Pooja Ke Hetu Shankar Lyrics

पूजा के हेतु शंकर, आयल छी हम पुजारी, 
गाबइ छी हम नचारी
पूजा के हेतु शंकर, आयल छी हम पुजारी, 
गाबइ छी हम नचारी।

जानी ने मंत्र-जप-तप,  पूजा के विधि नै जानी - 2
तइयो हमर मनोरथ, पूरा करू हे दानी,
चुप भए किए बइसल छी, खोलू ने कने केबारी
आयल छी हम पुजारी।

बाबा अहाँके महिमा, बच्चे सँ हम जनइ छी - 2
दुख की कहब अहाँ के, सबटा अहाँ जनै छी,
दर्शन दिअऽ दिगम्बर, दर्शन केर हम भिखारी
आयल छी हम पुजारी

हे नाथ हम अनाथे, वर दय करू सनाथे - 2
मिनती करी नमेश्वर, कर जोड़ि दुनू हाथे,
डामरु कने बजाउ, गाबइ छी हम नचारी
आयल छी हम पुजारी।



🎵 He Bhola Hamar Anmola, Hamar Dukhhari Lyrics

हे भोला हमर अनमोला, हमर दुखहारी - 2
आब दर्शन दियऽ त्रिपुरारी

नाथ, नैया पड़ल मझधार यौ
नाथ, क्यो नञि उतारै पार
अय गौरी के बर त्रिशुलधारी
आब दर्शन दिअ त्रिपुरारी - 2

नाथ, दुख नहि सहल जाइ आब यौ
हर, राखू शरण सरकार यौ
अय अशरण ढरण, दीन-दुखीक हरण सुखकारी
आब दर्शन दियऽ त्रिपुरारी - 2

हे भोला हमर अनमोला, हमर दुखहारी - 2
आब दर्शन दियऽ त्रिपुरारी



🎵 Yau Ahana Baba Baidnath Lyrics

यौ अहाँ बाबा बैदनाथ
कते के कयलहुँ सनाथ
अयलहुँ हमहूँ अनाथ, अहाँक नगरियामे

नेने गंगाजल केर भार
ढूढंलौ जंगल और पहाड़
अयलहुँ हमहूँ अनाथ, अहाँक नगरियामे

नेने फूल बेलपात
ताकी जंगल आ कैलाश
अयलहुँ हमहूँ अनाथ, अहाँक नगरियामे

नेने चानन ओ अक्छत
ताकी जंगल आ कैलास
अयलहुँ हमहूँ अनाथ, अहाँक नगरियामे



🎵 Teen Nayan Sa Sutla Mahadev Lyrics

तीन नयन सँ सुतला महादेव
सभ धन लए गेल चोर
आई हे माई, पर हे परोसिन
शिव जी के दियनु जगाइ गे माई

धन मे धन मल, बसहा बरद छल
आर छल भांगक झोरी, गे माई
खोजि-जोहि लायब बसहा बरद हम
कहाँ सँ लायब भंगझोरी, गे माई

भनहि विद्यापति गाओल
इहो थिका त्रिभुवन नाथ गे माई
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
कतहु ने भेटला हमरो महेश

देखलहुँ शिवके घुमैत मशान
डिमडिम डमरू बसहा असवार
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
देखलहुँ हर के घुमैत कैलाश

गले बीच विषधर, त्रिशूल भाल
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
कार्तिक गणपति छथिन अज्ञान,
कोना हम छोड़ि शिव के खोजब मशान,
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश



🎵 Ge Mai Bhangiya Ke Nindiya Sutla Mahadev Sab Dhan La Gel Chor Lyrics

गे माई भंगिया के निंदिया में सुतला महादेव सब धन लऽ गेल चोर
सब धन लऽ गेल चोर गे माई, सब धन लऽ गेल चोर - 2

धन ही में धन छल एगो मृगछाला सेहो कोना लऽ गेल चोर,
गे माई एहेन उचित हम कतौउ ने देखलउ माला लऽ गेल चोर।

धन ही में धन छल ताम्रा कमंडल सेहो कोना लऽ गेल चोर,
माई एहेन उचित हम कतौउ ने देखलउ घंटी लऽ गेल चोर।

धन ही में धन छल जौ के मोटरिया सेहो कोना लऽ में गेल चोर,
गे माई एहेन उचित हम कतौउ ने देखलउ अच्छत लऽ गेल चोर।

धन ही में धन छल एकैह तिरशूल सेहो कोना लऽ गेल चोर,
गे माई एहेन उचित हम कतौउ ने देखलउ डमरू लऽ गेल चोर।

धन ही में धन छल भांग और गांजा सेहो कोना लऽ गेल चोर,
गे माई एहेन उचित हम कतौउ ने देखलउ बसहा लऽ गेल चोर।



🎵 Shiv Ho Utarab Paar Lyrics

शिव हो उतरब पार कओने विधि ना
भरल-पूरल अछि नहि परिवार
सपनहु सुख नहि, चिन्ता सवार

नहि हमरा रूप अछि, ने धनक शृंगार - 2
तन अति खिन अछि, फूटल कपार - 2
शिव हो उतरब पार कओने विधि ना

नहि हम मण्डन, नहि कालिदास - 2
नहि हम विद्यापति, उगना खबास - 2
शिव हो उतरब पार कओने विधि ना

जौं दरशन नहि पायब तोहार - 2
जन्म बितायब तोरहि दुआर - 2
शिव हो उतरब पार कओने विधि ना।



🎵 Hatlo Ne Manay, Tripurari Ho Vipatti Bad Bhari Lyrics

हटलो ने मानय त्रिपुरारी हो विपति बड़ भारी
खूजल बसहाके डोरी कोना पकड़ब
चड़ि गेल फूल-फूलबारी, 
हो विपति बड़ भारी

अंगने-अंगने सखि सब उलहन दै छथि - 2
कतेक सहब अति गारी, हो विपति बड़ भारी

भनहि विद्यापति सुनू हे गौरी दाई - 2
इहो छथि त्रिशुलधारी, !
हो विपत्ति बड़ भारी



🎵 Jai Shiv Shankar Bhole Dani Lyrics

जय शिवशंकर भोले दानी, क्षमा मंगै छी तोरे सँ
अपराधी पातक हम भारी, तैं कनै छी भोरे सँ

तोहर शरण तेजि ककरा शरणमे जायब हे शंकरदानी
दयावान दाता तोरा सन, के त्रिलोक मे नहि जानी
जाधरि नहि ताकब बमभोले, हम चिचिआएब जोरे सँ
अपराधी पातक हम भारी, तैं कनै छी भोरे सँ।क

जनम भेल माया तृष्णा मे, से तृष्णा नहि पूर भेलै
कामना केर लहरि मे बाबा, जीवन एहिना दूरि भेलै
हे दुखमोचन पार लगाबऽ, हम दुखिया छी ओरे सँ
अपराधी पातक हम भारी, तैं कनै छी भोरे सँ।

पूजन विधि नहि जानी हम हे यैह जपि जपि कऽ ध्यान धरी
कर्म चक्रकेर जीवन भरि हम, पेटे लेल ओरियान करी
हे ज्योतीश्वर पार लगाबह, हम दुखिया छी ओरे सँ
अपराधी पातक हम भारी, तैं कनै छी भोरे सँ।



🎵 He Shivshankar Tripurari Lyrics

हे शिवशंकर त्रिपुरारी कओन विधि निमहब हो बाबा, 
बिपति पड़ल सिर भारी अओ शिवशंकर त्रिपुरारी

धरहि प्रतिज्ञा केलौं बाबा, कामर लेल उठाई
जँ एहि बेर भोला पार लगाएब, आयब फेरू अगारी
हे शिवशंकर त्रिपुरारी।

भक्त अहाँक पुकारि रहल अछि, राखब लाज विचारी
बनि सेवक हम द्वार ठाढ़ छी, बनल हीन दुखियारी
हे शिवशंकर त्रिपुरारी।

मनक आस पूरल नहि दानी, कयल कतबो सेवकाई
जाबत धैर्य धरब अपने पर, ताबत ठाढ़ दुआरी
हे शिवशंकर त्रिपुरारी।



🎵 Sabahak Dukh Ahan Harai Chhi Bhola Lyrics

सभहक दुख अहाँ हरै छी भोला, 
हमरा किए बिसरै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला, 
कोनो विधि निमहै छी यौ

कपारो फूटल, बेमायो फाटल,
किन्तु हम चलै छी यौ
द्वारे ठाढ़ अहांके हमहूँ, 
पापी जानि टारै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला, 
कोनो विधि निमहै छी यौ

सेवक अहाँक पुकारि रहल अछि,
दूर झाड़खण्ड बैसल छी यौ
आबो कृपा करू प्रभु हमरा पर, 
दुखिया देखि भुलै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला, 
कोनो विधि निमहै छी यौ

त्रिभुवन नाथ दिगम्बर भोला, 
सभटा अहाँ जनै छी यौ
सभहक दुख अहाँ हरै छी भोला, 
हमरा किए बिसरै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला, 
कोनो विधि निमहै छी यौ



🎵 Dekhahu Ho Shivshankar Yogi Lyrics

देखहुँ हो शिवशंकर योगी, अति विचित्र विरागी
अंग भस्म सिर गंग सम्हारे, भाल चन्द्र विराजी

बूढ़ बरद पर करथि सवारी, भाङ-घथूर अहारी
कटि कोपीन पहिरि हर घूमथि, उपर बघम्बर धारी

अर्धअंग श्री गौरी राजे, देखितहिं मन भ्रमकारी
कार्तिक-गणपति दुइ जन बालक, तिनकहुँ गतिअति न्यारी

मोर-मूस चढ़ि ईहो दुहु घूमथि, घरके सुरति बिसारी
कहथि महारूद्र, भजहुँ एहि शिवकेँ, इहो छथि त्रिभुवन हितकारी



🎵 Bhole Nath Digamber Dani Kiye Bisrayal Chhi Lyrics

भोलेनाथ दिगम्बर दानी किए बिसरायल छी,
दुनियाँ सऽ ठोकरायल छी - 2

जे सभ गेल अहाँक द्वार, क्यो नहि भेल विमुख सरकार - 2
भोला हमरे बेर में,
बाबा हमरे बेर में भांग खाय भकुआयल छी
दुनियाँ सऽ ठोकरायल छी।

बाबा धरब अहाँ पर ध्यान, पूजब शिवशंकर भगवान - 2
बाबा अहाँक चरण मे, 
बाबा अहाँक चरण मे हम सब लेपटायल छी
दुनियाँ सऽ ठोकरायल छी।

जेहने कातिक-गनपति तेहने हम, अयलहुँ शरणागत भगवान
बाबा राखी चाहे उबारी, आब हम थाकल छी
दुनियाँ सऽ ठोकरायल छी।

की हेत अयलहुँ अहाँके द्वार, किछु नै पूछै छी सरकार
भोला प्रेम मगन रस, बाबा प्रेम मगन रसभांग पीबि मन्हुआयल छी
दुनियाँ सऽ ठोकरायल छी।
भोलेनाथ दिगम्बर दानी किए बिसरायल छी,
दुनियाँ सऽ ठोकरायल छी - 2



🎵 He Har Vipatti Padal Sir Bhari Lyrics

हे हर विपति पड़ल सिर भारी
अन्न-बसन बिनु तन-मन बेकल, 
पुरजन भेल दुखारी हे
हर विपति पड़ल सिर भारी

अपन कि आन कान नहि सूनय, 
गूनय जानि भिखारी हे
मंगने कहय हाथ अछि खाली, 
रहितो द्वार बखारी हे
गंग नियर बसु गायब हम 
हँसि बनब जे तोर पुजारी हे

अछैत मनोरथ सभ भेल बेरथ,
बनलहुँ अन्त भिखारी हे
लिखल-पढ़ल कत बात गढ़ल कत,
किछुओ ने भेल हितकारी हे
शशिनाथ माथ पद टेकल, 
आबहु लएह उबारी हे

3 टिप्‍पणियां:

  1. कृप्या पु
    राना गीत सब सेहो द देल जेयते । मधुश्रावणी के विध विधान आ गीत विस्तार से बताबितिये।

    जवाब देंहटाएं
    उत्तर
    1. में मंजू श्री 🙏

      हटाएं
    2. मधुश्रावणी पूजाक विध और गीत सब पहिले सं 'मिथिला धरोहर' पर उपलब्ध ऐछ।

      हटाएं

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !