गौरी कथि लय करब विवाह
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
कथि लाय करब विवाह
गौरा कथि लय करब विवाह
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
कथि लय करब विवाह
गौरा कथि लय करब विवाह
नहिं भैर बीत खेत छैन हिनका
नै हऽर ओ हरबाह
नहिं भैर बीत खेत छैन हिनका
नै हऽर ओ हरबाह
भीख मांगि कऽ गुजर करै छैथ
भीख मांगि कऽ गुजर करै छैथ
अहां के कोना निर्बाह
गौरा कथि लय करब विवाह
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
कथि लय करब विवाह
गौरा कथि लय करब विवाह
भरि दिन भांग धतुर बिख माहुर
खाए भेल हरताह
भरि दिन भांग धतुर बिख माहुर
खाए भेल हरताह
किछु कहबैन तऽ रूसी परौता
किछु कहबैन तऽ रूसी परौता
बोसनो नहीं घुरताह
गौरा कथि लाय करब विवाह
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
कथि लय करब विवाह
गौरा कथि लय करब विवाह
सब दिन जाए मशान रमौता
भूतक संग नचताह
सब दिन जाए मशान रमौता
भूतक संग नचताह
रहब कोना हुनका लग गौरा
रहब कोना हुनका लग गौरा
बसहो छैन मरखाह
गौरा कथि लाय करब विवाह
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
कथि लाय करब विवाह
गौरा कथि लय करब विवाह
अन के दुख हरबाए लाए इ छैथ
बनल छैथ बताह
अन के दुख हरबाए लाए इ छैथ
बनल छैथ बताह
सुनि ए मनाइन इ शितकाई
सुनि ए मनाइन इ शितकाई
एहन नै बर भेटताह
गौरा कथि लय करब विवाह
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
एहन दिगंबर बुढ़वा बर सं
कथि लाय करब विवाह
गौरा कथि लय करब विवाह
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !