अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
15 सित॰ 2019
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
तीन नयन सँ सुतला महादेव लिरिक्स - Teen Nayan Sa Sutla Mahadev Lyrics
तीन नयन सँ सुतला महादेव लिरिक्स - Teen Nayan Sa Sutla Mahadev Lyrics
तीन नयन सँ सुतला महादेव
सभ धन लए गेल चोर
आई हे माई, पर हे परोसिन
शिव जी के दियनु जगाइ गे माई
धन मे धन मल, बसहा बरद छल
आर छल भांगक झोरी, गे माई
खोजि-जोहि लायब बसहा बरद हम
कहाँ सँ लायब भंगझोरी, गे माई
भनहि विद्यापति गाओल
इहो थिका त्रिभुवन नाथ गे माई
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
कतहु ने भेटला हमरो महेश
देखलहुँ शिवके घुमैत मशान
डिमडिम डमरू बसहा असवार
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
देखलहुँ हर के घुमैत कैलाश
गले बीच विषधर, त्रिशूल भाल
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
कार्तिक गणपति छथिन अज्ञान,
कोना हम छोड़ि शिव के खोजब मशान,
कहू-कहू आहे सखि शम्भु उदेश
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/09/singer-maithili-thakur.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2026/07/chaitak-nindiya-bairiniyam-ho-rama.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !