...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

16 सित॰ 2019

मिथिलाक मीठ अबाज मैथिली ठाकुर

मिथिला धरोहर :  जीवनक हर छन संगीत सं भरल अछि, आवश्कता छै त बस महसूस करबा के। सबटा शोर के छोइर ओकरा सुनबा के। संगीत के अपन और हर जीवनके जरूरी हिस्सा मानैत छथि मधुबनी जिलाक बेनीपट्टी प्रखंड के बनकट्टा गाँउ निवासी मैथिली ठाकुर। ओना त संगीत हिनका विरासत मे भेंटलनी, मुदा हिनक 13 साल के साधना हिनका हर सुर मे नजैर आबय छनि।

मिथिला के शान मानल जाइत छथि मैथिली ठाकुर। हाले मे 20 साल के भेलीह मैथिली के मैथिली मे गाना सबसं बेसी पसिन छनि। आ ओहो मैथिली यानी मां सीता केर जीवन सं जुरल प्रसंग हिनक शास्त्रीय संगीत मे और रस घोइल दइत अछि। अतेक कम उम्र मे मैथिली देशक पहिल पंक्ति के शास्त्रीय गायक मे शामिल छथि। हाले मे आकाशवाणी मैथिली ठाकुर के संग एहन अनुबंध केलक ऐछ जाहिके अंतर्गत मैथिली के द्वारा गाओल गेल शास्त्रीय संगीत के 99 साल धरि प्रसारित कैल जायत। इ एकटा कीर्तिमान अछि जे एतबी कम उम्र के कुनो भी गयिका सं आकाशवाणी दिसन सं एखन धरि एहन कुनो अनुबंध नै भेल। शास्त्रीय संगीत, मैथिली आ आन लोकभाषा के जानल-मानल गायिका छथि मैथिली ठाकुर।
जन्म संगीत के लेल भेलनी  : मैथिली कहैत छथि जे हुनकर जन्म संगीत के लेल भेलनी। ओ बच्चे सं संगीतक वातावरण मे पोसेली। हिनकर पिता रमेश ठाकुर अपने सेहो संगीत के टीचर छथि। हिनक देखरेख मे मैथिली अपन संगीत के शिक्षा लेलनि और अखनो भी ओ अपने आप के अभ्यासरत शिष्ये कहैत छथि। दिनक शुरुआते हिनक हारमोनिया पर ओंगरी चलबैत होइत छनि। हिनका अहि  गीत-संगीत के अभ्यास मे तबला पर संग दैत छथि हुनक बड़का भैय रिषभ ठाकुर और छोटका भैय अयाची ठाकुर हिनका संग सुर सं सुर मिलाबैत अछि। फिलहाल मैथिली दिल्ली के आत्माराम सनातन धर्मं कॉलेज सं अपन पढाई पूरा क रहल छथि। संगेह गीत-संगीत के सफर के बेहतर बनेबाक प्रयास मे छथि। 
                      
इहो पढ़ब:- 

मैथिली पहिल बेरा साल 2011 मे लिटिल चैंप्स के ऑडिशन देने छलथि मुदा ओ रिजेक्ट भ गेल छली। एकरा बाद कतेको शोज के लेल ऑडिशन देलथि, मुदा टॉप 20 तक आबि के रिजेक्ट भ जाइत छली। हिनका 6 बेरा रिजेक्शन के सामना करय परलनी मुदा हाइर नै मनलि। फेर 2015 मे जीनियस यंग सिंगिंग स्टार सीजन 2 के खिताब जीतने छली। ओतय इंडियन आइडल जूनियर 2 मे सेहो टॉप 20 मे जगह बनेने छली। मैथिली 5 बेरा दिल्ली राज्य के शास्त्रीय संगीत प्रतियोगिता के विजेता रही चुकल छथि। ओतय मैथिली ठाकुर 2016 मे थारपा नामक एलबम सं अपन संगीत करियर के शुरुआत केने छथि। ओ आब बॉलीवुड मे सफल प्लेबैक सिंगर बनय चाहैत छथि।

इहो पढ़ब:-

मैथिलि के एखन धरि संगीतक क्षेत्र मे "मैथिलि सांस्कृतिक पुरस्कार" सहित बहुते रास अवार्ड भेट चुकल अछि। मैथिली के मधुर आवाज मे यूनिवर्सल म्यूजिक के द्वारा रिकॉर्ड कैल गेल 'या रब्बा' नामक एकटा एल्बम सेहो आबि चुकल अछि।
लाखों लोगक पसंद : टीवी शो राइजिंग स्टार मे मैथिली ठाकुर दोसर स्थान पर रहलि। ओ अहि ख़िताब सं मात्र दु वोट पाछु रैह गेल छली। एकर बादो हिनका चेहरा पर मुस्कुराहट छलनी। अतेक कम उम्र मे मैथिली संगीत के उतार-चढ़ाव संग जीवनक उतार-चढ़ाव पार केनाय सेहो सीख गेली। मैथिली सब दिन फेसबुक पर अपन एकटा गाना लाइव करैत छथि और लाखों लोग हुनका सुनैत अछि, सराहैत अछि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू