अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
27 अप्रैल 2017
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
खेलय रहियै धुपय रहियै लिरिक्स - Kheleiy Rahiye Dhoopei Rahiye Lyrics
खेलय रहियै धुपय रहियै लिरिक्स - Kheleiy Rahiye Dhoopei Rahiye Lyrics
खेलय रहियै धुपय रहियै रोपय रहियै धान
मोने मोने बिचारै रहियै जयबय बाबा धाम
बोलू भईया रामे राम, राम राम हो भाई
बाबा हो बिराजे ओरिया देश में
कथि केरा नाव नबेरिया, कथि के करुआर
कथि केरा नाव नबेरिया, कथि के करुआर
कौने लाला खेबन हारा,
कौने लाला खेबन हारा, कौने उतरे पार
बोलू भईया रामे राम, राम राम हो भाई
बाबा हो बिराजे ओरिया देश में
सोने केरा नाव नबेरिया, रुपे के करुआर
सोने केरा नाव नबेरिया, रुपे के करुआर
भैरव लाला खेबन हारा,
भैरव लाला खेबन हारा, बाबा उतरे पार
बोलू भईया रामे राम, राम राम हो भाई
बाबा हो बिराजे ओरिया देश में
कथि मंदिरवा शिव के , कथि लागल केवार
कथि मंदिरवा शिव के , कथि लागल केवार
कोने मुख बैसल छथिन,
कोने मुख बैसल छथिन, भोला सरदार
बोलू भईया रामे राम, राम राम हो भाई
बाबा भोला के रुतबा अनमोल छै
पथल के मंदिरवा शिव के, चन्दन लागल केवार
पथल के मंदिरवा शिव के, चन्दन लागल केवार
पूरब मुख बैसल छथिन,
पूरब मुख बैसल छथिन, दानी हो सरदार
बोलू भईया रामे राम, राम राम हो भाई
बाबा भोला के रुतबा अनमोल छै
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/09/mata-kali-he-dheere-dheere-eoi-na.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/11/sutal-chhalhun-baba-ke-habeliy-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !