शुक्रवार, 25 फ़रवरी 2022

पूजा के हेतु शंकर आयल छी हम पुजारी लिरिक्स - Puja Ke Hetu Shankar lyrics

Pooja Ke Hetu Shankar Lyrics by Kunj Bihari Mishra

पूजा के हेतु शंकर, आयल छी हम पुजारी, 
गाबइ छी हम नचारी
पूजा के हेतु शंकर, आयल छी हम पुजारी, 
गाबइ छी हम नचारी।

जानी ने मंत्र-जप-तप,  पूजा के विधि नै जानी - 2
तइयो हमर मनोरथ, पूरा करू हे दानी,
चुप भए किए बइसल छी, खोलू ने कने केबारी
आयल छी हम पुजारी।

बाबा अहाँके महिमा, बच्चे सँ हम जनइ छी - 2
दुख की कहब अहाँ के, सबटा अहाँ जनै छी,
दर्शन दिअऽ दिगम्बर, दर्शन केर हम भिखारी
आयल छी हम पुजारी

हे नाथ हम अनाथे, वर दय करू सनाथे - 2
मिनती करी नमेश्वर, कर जोड़ि दुनू हाथे,
डामरु कने बजाउ, गाबइ छी हम नचारी
आयल छी हम पुजारी।


इहो पढ़ब :-


1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !