गुरुवार, 24 फ़रवरी 2022

दुल्लहि तोर कतय छथि माय - विद्यापति

दुल्लहि तोर कतय छथि माय,
कहुँन ओ आबथु एखन नहाय।।

वृथा बुझथु संसार-विलास,
पल-पल नाना भौतिक त्रास।

माए-बाप जजों सद्गति पाब,
सन्नति काँ अनुपम सुख आब।

विद्यापतिक आयु अवसान,
कार्तिक धबल त्रयोदसि जान।

रचनाकार - विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !