रविवार, 20 फ़रवरी 2022

मिथिला चित्रकला के गोदना शैली के स्वर्णिम हस्ताक्षर शिवन पासवान

शिवम पासवान मिथिला पेंटिग के संगे-संग गोदना पेंटिग के माहिर कलाकार के रूप मे जान जाइत छथि। शिवन पासवान के जन्म 4 मार्च 1956 के मधुबनी जिलाक गांव लहेरियागंज के वार्ड नंबर एक मे भेलनि। 10वीं पास शिवन पासवान बच्चे सं पेंटिग बनाबय लगलाह। 

जितवारपुर के गोदना पेटिग के प्रसिद्ध कलाकार चानो देवी आ रौदी पासवान के छत्रछाया मे शिवन पासवान अहि कला मे आगू बढैत चली गेलाह। शिवन पासवान परंपरागत पूजा-पद्धति सं जुडल कथानक धरि सिमटल मिथिला पेंटिग के संगे-संग गोदना सं कला प्रेमि के आकर्षित करबा मे बहुते सफल रहलैथ।


इहो पढ़ब:-

● मिथिलाक ऐतिहासिक स्थल : बाबा सुन्दर नाथ धाम, सुंदरी मठ 


राष्ट्रीय-अंतरराष्ट्रीय स्तर पर अपन विशिष्ट पहचान बनेनिहार शिवन पासवान के पेंटिग के क्षेत्र मे श्रेष्ठ शिल्पी के लेल वर्ष 1984 मे राष्ट्रीय पुरस्कार प्रदान कैल गेलनि। शिवम पासवान के वर्ष 1983 मे राज्य पुरस्कार प्रदान कैल गेलनि। कैनवास, स्पेसक संतुलन, सुंदर रेखांकन आ प्राकृतिक रंग के संयोजन हुनकर पेटिग के विशेषता रहल अछि।

शिवम पासवान द्वारा तैयार भेल पेंटिग दिल्ली, बेंगलुरु, मुंबई सहित देशक विभिन्न हिस्सा आ इटली, हांगकांग सहित विश्वक आन देश मे प्रदर्शित भ चुकल अछि। वस्त्र मंत्रालय, भारत सरकारक प्रशिक्षण परियोजना के तहत शिवम पासवान मिथिला पेंटिग के प्रशिक्षक सेहो रही चुकल छथि। मिथिला चित्रकला आ गोदना पेंटिग के क्षेत्र मे उल्लेखनीय योगदान के लेल भारत सरकार, बिहार सरकार, चेतना समिति सहित दोसर संस्थान द्वारा हुनका सम्मानित कैल जा चुकल छनि। हस्तशिल्प के क्षेत्र मे शिवम पासवान कर्नाटक सरकार द्वारा सेहो सम्मानित कैल गेल छैथ।


एहो पढ़ब:-

● मिथिला चित्र कला के गुरु गोदावरी दत्त

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !