शुक्रवार, 29 सितंबर 2023

डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर लिरिक्स - Damarua He Gaura La Gel Chor Lyrics

डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर -2
ल गेल चोर गौरा लऽ गेल चोर, गौरा लऽ गेल चोर
डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर - 2

उकटब हे गौरा नैहर तोर -2
तोर बाप डमरू -2
चोरा लेलनि मोर, गौरा लऽ गेल चोर
डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर -2

नहीं उकटू शिव नैहर मोर -2
टूटलि मरैया पर -2 
एतेक टीपोर, गौरा लऽ गेल चोर
डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर -2

कार्तिक गणपति लेलनि कोर -2
चलली भवानी -2 
नैहरबा के ओर, गौरा लऽ गेल चोर
डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर -2

दस-पांच सखी भोला लेलैनी बजाए -2
रुसल भवानी के -2
लेलनि मनाई, गौरा लऽ गेल चोर
डमरुआ हे गौरा लऽ गेल चोर -2

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !