अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
26 फ़र॰ 2020
Home
/
Bhakti Geet
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Nachari Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
Shiv Bhajan
/
सभहक दुख अहाँ हरै छी भोला लिरिक्स - Sabahak Dukh Ahan Harai Chhi Bhola Lyrics
सभहक दुख अहाँ हरै छी भोला लिरिक्स - Sabahak Dukh Ahan Harai Chhi Bhola Lyrics
सभहक दुख अहाँ हरै छी भोला,
हमरा किए बिसरै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला,
कोनो विधि निमहै छी यौ
कपारो फूटल, बेमायो फाटल,
किन्तु हम चलै छी यौ
द्वारे ठाढ़ अहांके हमहूँ,
पापी जानि टारै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला,
कोनो विधि निमहै छी यौ
सेवक अहाँक पुकारि रहल अछि,
दूर झाड़खण्ड बैसल छी यौ
आबो कृपा करू प्रभु हमरा पर,
दुखिया देखि भुलै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला,
कोनो विधि निमहै छी यौ
त्रिभुवन नाथ दिगम्बर भोला,
सभटा अहाँ जनै छी यौ
सभहक दुख अहाँ हरै छी भोला,
हमरा किए बिसरै छी यौ
हमहूँ सेवक अहीं के भोला,
कोनो विधि निमहै छी यौ
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2020/02/khonichh-jharaba-kaal-ke-geet.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/12/shree-kishori-ji-ke-angana-vilok-bahina.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !