लोकगीत लिरिक्स लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं
लोकगीत लिरिक्स लेबलों वाले संदेश दिखाए जा रहे हैं. सभी संदेश दिखाएं

शुक्रवार, 4 जुलाई 2025

Sohar Geet Lyrics - मैथिली सोहर गीत Lyrics - सोहर मैथिली लोकगीत लिरिक्स

1. देवकी यशोदा दुनू बहिनी लिरिक्स

देवकी यशोदा दुनू बहिनी कि दुनू सहोदर रे
ललना रे, 
मिथिला गोकुल दुइ नग्र कि ताहि बिच जमुना बहू रे
अहि पार देवकी नहाएल, ओहि पार यशोदा रे
ललना रे, दुनू केर भए गेल भेंट दुनू बतिआएल रे
कुशल-पूछय देवकी, यशोदा मुह तोहर मलीन हे
मुह तोहर मलीन बहिनी, वदन तोहर उदास हे
सैह सुनि देवकी के नोर खसु, बदन उदास भइ रे
ललना रे, सात पुत्र दैव देलनि, कंस हरि लेलनि रे
कंस छथि निरवंश, बालक नहि छनि दया धर्म यौ
तेहन वीर अवतार लेतनि, करत हुनको नाश यौ



2. कहमा से आयल पिअरिया लिरिक्स

कहमा से आयल पिअरिया, पिअरिया लागल झालर हो
ललना कहमा से आयल सिंघोरबा, सिंघोरबा भरल सिन्दूर हो
ललना नैहर से आयल पिअरिया, पिअरिया लागल झालर हो
ललना, सासुर सऽ आयल सिंघोरबा, सिंघोरबा भरल सिन्दूर हो
ललना रे कहमा धरबै पिअरिया, पिअरिया लागल झालर हो
ललना कहमा में धरबै सिंघोरबा, सिंघोरबा भरल सिन्दूर हो
ललना झपिया में रखबै पिअरिया, पिअरिया लागल झालर हो
ललना, कोठी पर धरबै सिंघोरबा, सिंघोरबा भरल सिन्दूर हो


3. केबार लागल धनी सोचथि लिरिक्स

केबार लागल धनी सोचथि, माय बाप सुमिरथि रे
ललना रे, उठल पंजरबा मे तीर, कि केकरा जगायब रे
सासु जे सुतल भानस घर, ननदो कोबर घर रे
ललना रे, मोरो पिया सूतल दरबज्जा, कि ककरा जगायब रे
अही अवसर पिया पबितहुँ, झुलफी झुलबितहुँ रे
ललना रे, भइया जी सँ मारि खुअबितहुँ, वेदन वेयाकुल रे
होइत भिनसर पह फाटल, हारिला जनम लेल रे
ललना रे, गाबय सब सोहर गीत, कि ननदो बधैया मांगय रे



4. एक त हम धनि पातरि लिअ

एक तऽ हम धनि पातरि, दोसर गरभ संओ रे
ललना रे, तेसर पिया केर दुलारि, दर्द कोना सहब रे
उठू-उठू नन्दो, दिया लेसू, बाबा के जगाबहु रे
बाबू यौ तोरो पुतहु दरदे बेयाकुल, दगरिन चाही रे
एहि बेर जँओ प्राण बांचत, देव सुख बूझब रे
ललना रे, फेरू ने करब एहन काज, पलंग भीर जायब रे
एहि अवसर पिया पबितहुँ, जुलफी पकड़ितहुँ रे
ललना रे, बन्हितहुँ चंपा फूल डाड़ि, ताहि तर कहितहुँ रे
भेल भिनसर पह फाटल, होरिला जनम लेल रे
ललना रे, गाबय सब सोहर, कि ननदो बधैया माँगय रे



5. पिया सूतल सुख निन्दिया लिरिक्स

पिया सूतल सुख निन्दिया, जगाबहु से ने जागय हे
ललना हे, घेरी आयल करी रे बदरबा, सुन्न घरमे डर लागू हे
बादरि घेरल घनघोर, दामिनि चमकाओल हे
ललना हे, चिहुँकि चिहँकि भेल भोर, बालम नहि जागल हे
सासु ननदिया बरिनियां, असोरबामे जागल हे
ललना हे, बाजय पयरक पैजनियाँ, कि झनाझन उठय हे
दादुर चहुँदिसि बोलय, तन जागय, छतिया धड़कि उठय हे



6बाबा केर अंगना चानन गाछ लिरिक्स

बाबा केर अंगना चानन गाछ उगल तरेगन रे
ललना रे ताहि अवसर होरिला जनम लेल पुत्र बड़ सुन्दर रे
भनसा करैत अहाँ सासु कि सेहो हंसि पूछथि रे
ललना रे पुतहु कओन-कओन फल खयलहुँ पुत्र बड़ सुन्दर रे
पहिने खयलहुँ नारिकेर तखन छोहारा रे
ललना रे तखन खयलहुँ दाड़िम फड़ पुत्र बड़ सुन्दर रे
मचिया बैसलि तोहें गोतनो कि सेहो हंसि पूछथि रे
गोतनो हे कौने व्रत तोहें कयलह कि पुत्र बड़ सुन्दर रे
गंगा पैसि नहयलहुँ हरिवंश सुनलहुँ रे
ललना रे कयलहुँ जे रवि उपवास कि पुत्र बड़ सुन्दर रे
घरबा नीपैते आहे ननदो कि सेहो हंसि पूछथि रे
भउजी हे ककरा-ककरा संग तों गेलह कि पुत्र बड़ सुन्दर रे
पहिने जे गेलहुँ देओर संग तखन ननदोसि संग रे
ललना रे तखन जे गेलहुँ पिया संग तेँ पुत्र बड़ सुन्दर रे
जे इहो सोहर गाओल गाबि सुनाओल रे
ललना रे तिनको बास बैकुण्ठ से पुत्र फल पाओत रे




7. यशोमति अद्भुत लेखल, बालक देखल रे लिरिक्स

यशोमति अद्भुत लेखल, बालक देखल रे
सुन्दर हुनकर गात, कि बात पकठोसल रे
कंस केँ जी थर-थर काँपय, अपन घर पहुँचल रे
पूतना केँ देल विचार, जाहु तोहें गोकुल रे
पूतना थन विष लेल घोरि बिदा भेल गोकुल रे
घर सौं बहार भेली यशुमती, बालक लइली रे
ललना रे, देलनि पूतनाकेँ कोर, बालक बड़ सुन्दर रे
पूतना दूध पिआओल, आओर विष पसारल रे
हरि देलनि दसन बइसाइ, खसल मुरछाई रे



8. जीर सन छथि धनि पातरि लिरिक्स

जीर सन छथि धनि पातरि, फूल सन सुन्दरि रे
ललना रे, तेसर छथि बाबाकेँ दुलारू, दर्द कोना अंगेजत रे

कथी लेल बाबा बिआहलनि, देलनि ससुर घर रे
ललना रे, रहितहुँ बारी कुमारि, दर्द नहीं जनितौं रे

एक पयर देलनि एहरि पर, दोसर देहरी पर रे
ललना रे, तेसरमे होरिला जनम लेल, सब मन हर्षित रे

निक लय बाबा बिआहलनि, देलनि ससुर घर रे
ललना रे, रहितहुँ बारी कुमारि, होरिला कहाँ पबितहुँ रे



9. चैत बैसाखकेँ पुरइनी लिरिक्स

चैत बैसाखकेँ पुरइनी, पुरइनी थइर लहर मारू रे
ललना रे, ताहि तर बेटी जनम लेल, पुरुष बेपक्ष भेल रे
कथीए ओढ़न कथीए पहिरन, कथिए पथ भोजन रे
ललना रे, कथीए जरायब सोइरी घर, पुरुष बेपक्ष भेल रे
गुदड़ी ओढ़न गुदड़ी पहिरन, कोदो पथ भोजन रे
ललना रे, कड़री जरायब सोइरो घर, पुरुष वेपक्ष भेल रे
चैत बैसाखकेँ पुरइनी, पुरइनी थइर लहर मारू रे
ललना रे, ताहि तर होरिला जनम लेल, पुरुष अपन भेल रे
लाले ओढ़न लाले पहिरन, सारिल पथ-भोजन रे
ललना रे, चानन जरायब सोइरी घर, पुरुष अपन भेल रे



10. उतरहि साओन चढ़ल भादव लिरिक्स

उतरहि साओन चढ़ल भादव, चहुदिसि कारी रे
ललना रे, रिमिक-झिमिक मेघ बरिसत, बादल हरखित रे
देवकी दरदे बेयाकुल, दगरिन चाहीअ रे
ललना रे, गोकुल निकट एक नग्र, तहाँ बसु दगरिन रे
जब जन्म लेल यदुनन्दन, बन्हन खुजि गेल रे
ललना रे, खुजि गेल बज्र केबार, पहरू सब सूतल रे
माथ मुकुट कर कंगन, डांरहि घुँघरू बाजु रे
ललना रे, सैह देखि देवकी कानल, देहरी मुरछाइ खसु रे
कीए दैव देलनि, जे कंस हरि लेलनि रे
जूनि कानू अहाँ देवकी, जुनि पछताउ रे
ललना रे, इहो बालक दुखमोचन, ललित अभिलोचन रे
सखि सभ सोहर गाओल, गाबि सुनाओल रे
ललना रे, देवकी भेल बैकुण्ठ, कि पुत्र फल पाओल रे



11. प्रथम गणेश पद गायब, देबता मनाएब हे लिरिक्स

प्रथम गणेश पद गायब, देबता मनाएब हे
ललना हे, जब मोर होइहैं बलकबा, मोहर लुटाएब हे
दोसर मास जब आयल, चित फरिआएल हे
ललना हे, पानक बीड़ा ने सोहाय, मोन अकुलाएत हे
तेसर मास जब आयल, ननदी दान मांगू हे
भउजी हे, हम लेब हाथकेँ कंगनमा, कि सोइरी निपाओनि हे
छठम आओर सातम मास लग आयल हे
ललना हे, गोतनो करथि चौल, किए बबुा सुताओल हे
सातम गेल मास, आठम आएल हे
ललना हे, आठो अंग भारी भय गेल हे
नवम मास जब आयल, होरिला जनम लेल हे
ललना हे, बाजऽ लागल आनन्द-बधैया, महलिया गूंजय सोहर हे



12. पिया चलल परदेश कि आओर दूर देश लिरिक्स

पिया चलल परदेश कि आओर दूर देश बसु रे
ललना रे ककरा कहब दिलकेँ बात चढ़ल मास तेसर रे
सासु चलल नइहर ननदी ससुर घर रे
ललना रे घरबामे देओर नादान चढ़ल मास चारिम रे
बाट रे बटोहिया कि भइया कि तोँहि मोर हित बंधु रे
ललना रे नेने जाहि पियाकेँ समाद चढ़ल मास पाँचम रे
अन्न पानि किछु ने मन भावय जिया डोलय पात रे
ललना रे देह जे लागय सरिसों फूल चढ़ल मास छठम रे
डाँर जे उठय कड़-कड़ देह काँपय थर-थर रे
ललना रे उत्पन्न श्री नन्दलाल चढ़ल मास सातम रे
आठम मास जब आयल आठो अंग भारी भेल रे
ललना रे खने-खने चीर ससरि गेल छने-छने पहिरथि रे
नओम मास जब चढ़ल ननदी हरखि बरजु रे
ललना रे हमहूँ तँ लेब नकबेसरि होरिला खेलाएब रे
दसम मास जब आएल होरिला जनम लेल रे
ललना रे जनम लेल श्री नन्दलाल कि गोकुल आनन्द भेल रे

मंगलवार, 17 सितंबर 2024

रघुनन्दन यो अहाँ बिनु कोहबर घर अन्हार लिरिक्स

Raghunandan Yau Ahan Binu Kohbar Ghar Lyrics

रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

ताहि कोबर सूत गेला, दुलहा से रामचंद्र, 
रघुनन्दन यौ
पीठि लागि सीता सुकुमारि
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

हटी सुतु हटी बैसु, ससुर जी के बेटिया, कनियाँ सुहबे हे
अहाँ देह गरमी बहुत
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

एतबा बचन जब सुनलनि कनियाँ रघुनन्दन यौ
धय लेल नहिरा के बाट
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

एक कोस गेली सुहबे दुई कोस गेली, रघुनन्दन यौ
तेसरे में गंगा बहु धार
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

कहाँ गेलए किये भेले मलहा रे भैया, मलहा भैया रे
हमरो के क दय नैया के पार
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

आजुका रोहिनियां हे सुहबे एतहि गमबियौ, कनियाँ सुहबे हे
भोरे होइते क देब नैया पार
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

चँदा सुरुज सँ मलहा अपन पिया तेजलौ, मलहा भैया रे
तोरा पर कोन विश्वास
रघुनन्दन यौ अहाँ बिनु कोबर घर अन्हार

शनिवार, 17 अगस्त 2024

आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे लिरिक्स - मैथिली राम सीता विवाह गीत

Aaj Mithila Me Baaje Badhaiya He Lyrics

आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे
देखु दूल्हा नवल रघुरैया हे
देखु दूल्हा नवल रघुरैया हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे

छथि जेहने किशोरी जी गोरी हे
विधि तेहने लगा देलनि जोड़ी हे
भेली गद-गद सिया जी के मईया हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे

बड़ अचरज सुनयना दुअरिया हे
आय संग-संग अन्हरिया इजोरिया हे
पक्षपाती में बीतल समइया हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे

आय मिथिलापुरी प्रेम पागल हे
लिअ भरी भरी हिया भाग जागल हे
राम भेला जनक के जमैया हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे

करू सबकियो सुफल नैन नेहिया हे
युगल जोड़ी सं जोरू सनेहिया हे
दिअ दुलहिन दूल्हा के बधैय्या हे
आज मिथिला में बाजे बधैय्या हे

शुक्रवार, 16 अगस्त 2024

माए गै तोरे बौआ छी हम लिरिक्स - Ma Ge Tore Bauaa Chhi Ham Lyrics

बिपैतक माइर सं
बिपैतक माइर सं थौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम
बिपैतक माइर सं
बिपैतक माइर सं थौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2

दुःख सं काटी माँ खुरछाही
ममता तोहर हमरा चाही
दुःख सं काटी माँ खुरछाही
ममता तोहर हमरा चाही
रन-बन भटकैत
रन-बन भटकैत, कौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2

तू जग जननी जग कल्याणी
बौआ तोहर छौ अज्ञानी
तू जग जननी जग कल्याणी
बौआ तोहर छौ अज्ञानी
बोइन में नोरे एहेन
बोइन में नोरे एहेन कमौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2

शरणागत छौ माँ दरभंगिया
घुरतै दिन माँ हम्मर कहिया
शरणागत छौ माँ दरभंगिया
घुरतै दिन माँ हमर कहिया
कहौ प्रशांत
कहौ प्रशांत बिलटौआ छी हम
मै गै कोरा उठा ले तोरे बौआ छी हम -2

गुरुवार, 15 अगस्त 2024

हे भवानी दुःख हरु माँ लिरिक्स - He Bhawani Dukh Haru Maa Lyrics

हे भवानी दुःख हरु माँ, पुत्र अपन जानी कै 
दऽ रहल छी कष्ट भारी, बिच भँवर मे आनी कै

पावी आशा हम परल छी, की कहु हम कानि कै
हे भवानी दुःख हरु माँ, पुत्र अपन जानी कै

देखु दुर्बल पुत्र के माँ, की सुतल छी तानी कय
हे भवानी दुःख हरु माँ, पुत्र अपन जानी कै

हमर आशा पूर करू माँ, फल तोरब फानि कै
हे भवानी दुःख हरु माँ, पुत्र अपन जानी कै

सुनु हे माँ नित्य पुजब, नेम व्रत के ठानी कै
हे भवानी दुःख हरु माँ, पुत्र अपन जानी कै

विश्व जननी आहाँ थीकहु माँ, कते कहब दुःख कानी कै
हे भवानी दुःख हारु माँ, पुत्र अपन जानी कै


(2) 
हे भवानी दुःख हरू माँ पुत्र अबला जानि केँ                        
हम निराशा मे फंसल छी, कहब ककरा कानि केँ                  
हम भजन पूजा ने जानी, एकटा रटना भवानी 
दीन प्रतिपालन करू माँ, अपन संतति मानि केँ
विष्णु, शिव, विधि शरण गेलहुँ, कए तपस्या फल ने पेलहुँ
अहीँ शक्ति स्वरुप सभहक , शरण एलहुँ मानि केँ

रविवार, 11 अगस्त 2024

ए पहुना एही मिथिले में रहु ना लीरिक्स - Ae Pahuna Mithile Me Rahuna Lyrics

ए पहुना एही मिथिले में रहु ना
ए पहुना एही मिथिले में रहु ना
जउने सुख बा ससुरारी में
तउने सुखवा कहूं ना
ऐ पहुना एही मिथिले में रहु ना

रोज सवेरे उबटन मलके, इत्तर से नहवाइब
एक महीना के भीतर, करिया से गोर बनाइब
झूठ कहत ना बानी तनिको, मौका एगो देहु ना
ऐ पहुना एही मिथिले में रहु ना

नित नवीन मन भावन व्यंजन, परसब कंचन थारी
स्वाद भूख बढ़ि जाई, सुनि सारी सरहज की गारी
बार-बार हम करब चिरौरी, औरी कुछ ही लेहू ना
ऐ पहुना एही मिथिले में रहु ना 

कमला विमला दूधमती में, झिझरी खूब खेलाईब
सावन में कजरी गा गा के, झूला रोज झुलाईब
पवन देव से करब निहोरा, हउले- हउले बहु ना
ऐ पहुना एही मिथिले में रहु ना

हमरे निहोरा रघुनंदन से, माने या ना माने
पर ससुरारी के नाते, परताप को आपन जाने
या मिथिले में रहि जाइयो या, संग अपने रख लेहु ना
ऐ पहुना एही मिथिले में रहु ना
ए पहुना एही मिथिले में रहु ना
जउने सुख बा ससुरारी में
तउने सुखवा कहूं ना
ऐ पहुना एही मिथिले में रहु ना

शनिवार, 6 जुलाई 2024

हम छी सीता हमर ई जनक नगरी लिरिक्स - Ham Chhi Sita Hamar E Janak Nagri Lyrics

हम झेलम नहायब, 
हम सतलजो नहायब 
हम गंगो मे नहायब 
हम त्रिवेणीयो नहायब 
मुदा मिथिले के जल सँ भरब गगरी 
हम छी सीता हमर ई जनक नगरी

किरण उगलो नै हेत हम कातिक नहायब 
माघ मासो नहायब बैसाखो नहायब 
अकासे मे आइ अपन नुआ सुखायब 
हम छी सीता हमर ई जनक नगरी

एकर कण-कण मे बास करय सपना हजार 
एकर सुरभित बयार एकर हरियर दयार 
अकासे मे आइ हम दीप जरायब 
हम एकर लाज आ ई हमर चुनरी 
हम छी सीता हमर ई जनक नगरी

अपन ज्ञानो बढायाब विज्ञानों बढाएब 
अपना मिथिला के नया नया रंग मे सजाएब 
उच गगनक घटा हम ओकर बिजुरी 
हम छी सीता हमर ई जनक नगरी

गुरुवार, 20 जून 2024

सबके घुरलै दिन दुनिया लिरिक्स - Sabke Gurlai Din Duniya Lyrics

सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

तोरे कृपा सऽ भेटै निर्धन के धन माँ
कोठा अटारी नीक निकुत भोजन माँ
तोरे कृपा सऽ भेटै निर्धन के धन माँ
कोठा अटारी नीक निकुत भोजन माँ
सबसे तल्ला पर दूतल्ला हमर झोपड़िये रहि गेल
सबसे तल्ला पर दूतल्ला हमर झोपड़िये रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

हमर बिपति देखि दुनिया हँसै ये
तोरा अछैते सब टूगर कहै ये
हमर बिपति देखि दुनिया हँसै ये
तोरा अछैते सब, टूगर कहै ये
मै गे सबटा शौख सेहेन्ता हमर लगले रहि गेल
मै गे सबटा शौख सेहेन्ता हमर लगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

जन्में सऽ हम दुःखे दिवस बितेलौं
सुख भेल सपना कहियो ने पेलौं
जन्में सऽ हम दुःखे दिवस बितेलौं
सुख भेल सपना कहियो ने पेलौं
मै गे दरभंगिया के सुख लै मोन लगले रहि गेल
मै गे दरभंगिया के सुख लै मोन लगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
सबके घुरलै दिन दुनिया हमर जरलै रहि गेल
मैया गे तोहर ई अभगला अभगले रहि गेल

बुधवार, 22 मई 2024

परल छी बिपैत में मैया कियो ने सहारा लिरिक्स - Paral Chhi Bipait Me Maiya Lyrics

परल छी बिपैत में मैया कियो ने सहारा
परल छी बिपैत में मैया कियो ने सहारा
हेतई कोना के जननी गरीबक गुजारा
हेतई कोना के जननी गरीबक गुजारा
परल छी बिपैत में मैया कियो ने सहार -2
हेतई कोना का जननी गरीबक गुजारा -2
परल छी बिपैत में मैया

पसरल अकाले माता घेरने अदिनता
पसरल अकाले माता घेरने अदिनता
कोन कसूर छी केने बिधाते टा जनता
बिधाते टा जनता
भासल जीवनक नैया लगाबू किनारा
हेतई कोना के जननी गरीबक गुजारा
परल छी बिपैत में मैया

फूल बेलपातो नै सूझै दुखक अनहार में
फूल बेलपातो नै सूझै दुखक अनहार में
आहाँ छोइर ककरा कहबई एहि संसार में
एहि संसार में
बाट ताकी काले बैसल आहीं टा दुआरे
हेतई कोना के जननी गरीबक गुजारा
परल छी बिपैत में मैया

एकचारी आशक तोरलक अन्हर बिहाईर माँ
एकचारी आशक तोरलक अन्हर बिहाईर माँ
करुणा के सागर बुइझ क करी हम गोहाइर माँ
करी हम गोहाइर माँ
हुकरई ये उज्ज्वल पइढ़क दुखक पहारा
हेतई कोना का जननी गरीबक गुजारा
परल छी बिपैत में मैया
हेतई कोना का जननी गरीबक गुजारा
परल छी बिपैत में मैया कियो ने सहारा
हेतई कोना के जननी गरीबक गुजारा
परल छी बिपैत में मैया

शुक्रवार, 10 मई 2024

आशा के दीप जरेने लिरिक्स - Aasha Ke Deep Jarene Lyrics

आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
हम आयल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
हम आयल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने -2

साहस तऽ दीय मैया बिपइतियो में रहि ली हम
आबै जे संकट केहनों माँ हैंस हैंस क सहि ली हम
साहस तऽ दीय मैया बिपइतियो में रहि ली हम
आबै जे संकट केहनों माँ हैंस हैंस कऽ सहि ली हम
देलौं नोरे सं चरण पखाइर माँ
कनी तकियौ ने
देलौं नोरे सऽ चरण पखाइर माँ
कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने -2

नै धूप दीप मैया नै अछि बेलपात
फूले ने अक्षत मैया खाली ये हम्मर हाथ
नै धूप दीप मैया नै अछि बेलपात
फूले ने अक्षत मैया खाली ये हम्मर हाथ,
तइयो बैसल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
तइयो बैसल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ न -2

चाही ने धन आ समपैत ने चाही सोना चाँदी
मांगै छी अगबे ममता रूसल छी किए भवानी
चाही ने धन आ समपैत ने चाही सोना चाँदी
मांगै छी अगबे ममता रूसल छी किए भवानी
कोरा उठा लीय मन में बिचाईर
माँ दरभंगिया के
कोरा उठा लीय मन में बिचाईर
मैथिल प्रशांतो के
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
हम आयल छी अहिं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने - 2
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने -2

गुरुवार, 18 अप्रैल 2024

तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै लिरिक्स - Tu Jo Ne Sunbe Mai Ge Hum Kahan Jebai Lyrics

हारल डेरायल जिनगी
हारल डेरायल जिनगी कोना कऽ बितेबई
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
हारल डेरायल जिनगी कोना क बितेबई
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे

स्वारथ के दुनियाँ में नै कोनो सहारा
झूठक ई रिश्ता नाता अपना पराया
आशा तोरे सं हमरा माता भवानी
राखी जेना जे हमरा सब तोरे माया
नोर बहा कऽ तोरे
नोर बहा कऽ तोरे चरण भिजेबई
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे

तू छें दयालू माता से त जनै छी
तोरे ई दुनियाँ में हम किए कनै छी
कनियों दया कर जननी कोरा उठा ले
अवगुण क्षमा कऽ माँ गे छाती लगा ले
सईदखन पूजब हम तोरे
सईदखन पूजब हम तोरे तोरे गुण गेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे

चाही ने हमरा माँ गे महल अटारी
तू ही बता दे जीवन कोना हम गुजारी
चंचल ई मोन माँ गे बात ने माने
दुखहरणी दुर्गा मैया बूझे लाचारी
दरभंगिया भावे तोरा
दरभंगिया भावे तोरा भजन सुनेबइ
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे

शुक्रवार, 20 अक्टूबर 2023

मैथिली भगवती लोकगीत लिरिक्स - Maithili Bhagwati Geet Lyrics

मैथिली देवी गीत लिरिक्स - दुर्गा माँ के मैथिली गीत Maithili Devi Geet Lyrics - Maithili Kali Geet Lyrics
















नोट : उपर संख्या (नम्बर) के आगू भगवती गीतक मुखड़ा अछि, अहाँके जे गीत पढबाक ऐछ कृपया ओहि पर क्लिक करू।

इहो पढ़ब :-

★ मैथिली काली गीत लिरिक्स ★







इहो पढ़ब :-

रविवार, 16 अप्रैल 2023

सिर के सिंदूर रे गवानवा लिरिक्स | Sir Ke Sindoor Re Gawanwa Lyrics

Ek Ta Chhi Raja Beti Lyrics in Hindi

उड़ी रे गवानवा से
अईलई कवन दूल्हा - 2
बईठी गेलई ससुरे
दुआरी रे गवानवा
बईठी गेलई ससुरे 
दुआरी रे गवानवा

कहाँ गेलि किये भेली
सुहवे से कनियाँ सुहवे - 2
कोहबर घर करू ना
ओछावन रे गवानवा
कोहबर घर करू ना
ओछावन रे गवानवा

एक त छी राजा बेटी
दोसर पंडित पूतहू - 2
हमरा से होतई नई
ओछावन रे गवानवा
हमरा से होतई नई
ओछावन रे गवानवा
एतना बचन जब
सुनलन से कौने दूल्हा - 2
घोड़ा पीठ भेल
असवार रे गवानवा
घोड़ा पीठ भेल
असवार रे गवानवा

घर से बाहर भेली - 2 
सुहवे से कनियाँ सुहवे
धय लेली घोड़ा के
लगाम रे गवानवा
धय लेली घोड़ा के
लगाम रे गवानवा
अपने त जाय छी प्रभु
देश रे बिदेशवा से - 2
हमरा के कहाँ छोड़ले
जाई छी रे गवानवा
हमरा के कहाँ छोड़ले
जाई छी रे गवानवा

नहीरा में छऊ सुंदर
माई बाप भईया से - 2
ससुरा में छऊ छोटे
देवर रे गवानवा
ससुरा में छऊ छोटे
देवर रे गवानवा
किये काम देतई प्रभु
माई बाप भईया से - 2
किये काम देतई छोटे
देवर रे गवानवा
किये काम देतई छोटे
देवर रे गवानवा

दिवस गँवईतई
माई बाप भईया से - 2
दिवस गँवईतई छोटे
देवर रे गवानवा
दिवस गँवईतई छोटे
देवर रे गवानवा
बिन रे माई बाप
कईसन नईहरवा से - 2
बिनु स्वामी कईसन
ससुरारी रे गवानवा
बिनु स्वामी कईसन
ससुरारी रे गवानवा

अहाँ प्रभु ओढ़न 
अहाँ प्रभु पहिरन 
अहाँ प्रभु ओढ़न 
अहाँ प्रभु पहिरन 
अहाँ प्रभु सिर के
सेंदुर रे गवानवा
अहाँ प्रभु सिर के
सेंदुर रे गवानवा



इहो पढ़ब



शुक्रवार, 14 अप्रैल 2023

उगना उगना रटते रटते लिरिक्स - Ugna Ugna Raitte Raitte Lyrics

Ugna Ugna Raitte Raitte Lyrics in Hindi

उगना....उगना....रौ उगना....

उगना उगना रैटते रैटते
बनक बीच हम व्याकुल छी
उगना उगना रैटते रैटते
बनक बीच हम व्याकुल छी
रै उगना तू कतऽ गेलइ
आय हम घोर पियासल छी
उगना उगना रैटते रैटते

नै चाही गंगा जमना जल
नै कोसी के जल चाही
रौ...नै चाही गंगा जमना जल
नै कोसी के जल चाही
आन पिया डबरा केर पानी
तोरे हाथक जल चाही
रौ निर्दरदा कतऽ गेलै तू - 2
आय हम घोर उपासल छी
रै उगना तू कतऽ गेलें
आय हम घोर पियासल छी
उगना उगना रैटते रैटते

आक धतूर तोरा हम देबौ
भांग मांइग के ऐन देबौ
हां...आक धतूर तोरा हम देबौ
भांग मांइग के ऐन देबौ
किया रुसल छें रौ बैरहवा
तोरा लेल हम जान देबौ
अपना छें स्वयं बतहबा - 2
तोरा लेल हम पागल छी
रै उगना तू कतऽ गेलें
आय हम घोर पियासल छी
उगना उगना रैटते रैटते

फाटल अम्बर बनल दिग्म्बर
देह में एकटा कोपिन छौ
रौ...फाटल अम्बर बनल दिग्म्बर
देह में एकटा कोपिन छौ
अपना छें जोगिया बहुरहबा
संग में नाचैत जोगिन छौ
बितल समय हम सोची रहल छी - 2
हम तऽ बरा अभागल छी
रै उगना तू कतऽ गेलें
आय हम घोर पियासल छी
उगना उगना रैटते रैटते

आशुतोष शंकर सम्भू छें
तू छें ज्ञानी-विज्ञानी
हां...आशुतोष शंकर सम्भू छें
तू छें ज्ञानी-विज्ञानी
अपना लेल होय घर भिकमंग्गा
अनका लेल छें बर दानी
ज्ञान सं छौ आँइख मुनल हमर जे - 2
राइत राइत हम कांनय छी
रै उगना तू कतऽ गेलें
आय हम घोर पियासल छी
उगना उगना रैटते रैटते
बनक बीच हम व्याकुल छी
रै उगना तू कतऽ गेलइ
आय हम घोर पियासल छी

कियै दुइये दिनक छुट्टी लऽ कऽ गाम लिरिक्स | Kiye Duiye Dinak Chhutti Lyrics

Kiye Duiye Dinak Chhutti La La Gaam Eliyai Lyrics in Hindi

भैर दिन घुमिते रहलियै ने,
भैर दिन घुमिते रहलियै ने, आराम केलियै,
कियै दुइये दिनक छुट्टी लऽ कऽ गाम एलियै - 2
भैर दिन घुमिते रहलियै ने,
भैर दिन घुमिते रहलियै ने, आराम केलियै,
कियै दुइये दिनक छुट्टी लऽ कऽ गाम एलियै - 2

आहाँ छी परदेसी पिया, हम छी अबला नारी,
बिना बरद के कहुना कहुना, केलौं खेती बाड़ी,
आहाँ छी परदेसी पिया, हम छी अबला नारी,
बिना बरद के कहुना कहुना, केलौं खेती बाड़ी,
आहाँ कटनी करेलियै,
आहाँ कटनी करेलियै, ने दौन केलियै,
कियै दुइये दिनक छुट्टी लऽ कऽ गाम एलियै - 2

भैर दिन तऽ हम बाझल रहलौं, आँगन के झंझट में,
एको घड़ी ने मुँह देखलौं, परदेसी प्रीतम के,
भैर दिन तऽ हम बाझल रहलौं, आँगन के झंझट में,
एको घड़ी ने मुँह देखलौं, परदेसी प्रीतम के,
आहाँ गाम में रहितो,
आहाँ गाम में रहितो, दुतिया के चान भेलीयै,
कियै दुइये दिनक छुट्टी लऽ कऽ गाम एलियै - 2

भोरे उइठ कऽ हल्ला करबै, छूटत हम्मर गाड़ी - 2
अपने होयब बिदा पिया हम, बैसब हीया हारी - 2
नोरे पोछैत हम्मर आहाँ,
नोरे पोछैत हम्मर आहाँ, जान लेलियै,
कियै दुइये दिनक छुट्टी लऽ कऽ गाम एलियै - 2
भैर दिन घुमिते रहलियै ने,
भैर दिन घुमिते रहलियै ने, आराम केलियै,
कियै दुइये दिन के छुट्टी लऽ कऽ गाम एलियै - 4


इहो पढ़ब:-


धूप दीप माला लेने गीत लिरिक्स | Dhoop Deep Mala Lene Lyrics

Dhoop Deep Mala Lene Lyrics Song by Ram Babu Jha

धूप दीप माला लेने 
धूप दीप माला लेने 
शरण में एलौं 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 
धूप दीप माला लेने - 2
शरण में एलौं 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर 

निर्धन के देली मैया अन-धन सोनम
बाजहिं के लालसा पुरेलौं द क लालनम
मां जगदंबा हे हमरा बेर नैना लेलौं फेर 
मां जगदंबा हे हमरा बेर नैना लेलौं फेर 

मालियाँ दोकान सं मैया हार किन लेलौं
रोड़ी सिंदूर संग अरहुल चढेलौं
मां जगदंबा हे दुखिया के सुनियौ ने टेर 
मां जगदंबा हे दुखिया के सुनियौ ने टेर 

सुनै छी हे जगतारिणी मां ममता मई छी अहाँ
सुइध जँ लेबै नै हमर, कहु जेबै हम कहाँ
जगदंबा हे आब नै करियौ अबेर 
जगदंबा हे आब नै करियौ अबेर 

धूप दीप माला लेने 
धूप दीप माला लेने 
शरण में एलौं 
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर
मां जगदंबा हे किएक लगेलौं एते देर - 4

गुरुवार, 13 अप्रैल 2023

लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं लिरिक्स - Lale Lale Arhul Ke Mala Lyrics

Lale Lale Arhul Ke Mala Lyrics Sung By Chandramani Jha

लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं 
गरदन लगा लियऽ मां 
असरण सरण बुझि एलौं सरण हम 
कोरा उठा लियऽ मां 
लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं 
गरदन लगा लियs मां 
हे मां कोरा उठा लियऽ मां

धिया पुता छोट छिन अहां महामाया 
करबै अहां नै तऽ करतै के दाया
धिया पुता छोट छिन अहां महामाया 
करबै अहां नै तऽ करतै के दाया
ज्ञान बिना माटिक मूरूत सन इ काया
बिना तकरा जगा दिय मां 
लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं 
गरदन लगा लियऽ मां
हे मां कोरा उठा लियऽ मां

आनन नै चानन कुसुम सं सिंगार - 2
सुनौं जे मैयाक ममता अपार 
आनन में चानन कुसुम सं सिंगार
सुनलौं जे मैयाक ममता अपार
दाबल सन जीवन पर टिकटिक पहार भार
तेरा हटा दिय मां हे मां
लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं
गरदन लगा लियऽ मां
हे मां कोरा उठा लियऽ मां

कोठा अटारी सं निके मड़ैया 
भेटै अहां के ममता ज मैया 
कोठा अटारी सं निके मड़ैया 
भेटै अहां के जो ममता हे मैया 
करिए कृपा मम उब डूब इ नैया 
तकरा बचा लिय मां 
लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं 
गरदन लगा लियऽ मां 
हे मां कोरा उठा लियऽ मां

सगरो चराचर अहीं केर रचना 
सुन अहां नै तऽ सुनितै के अदना 
सगरो चराचर अहीं केर रचना 
सुनिबै अहां नै तऽ सुनितै के अदना 
भावक भरल जल नैना सं चंद्रमणि 
चरनैहि लगा लिया मां 
हे मां चरनैहि लगा लिया मां 
लाले लाले अरहुल के माला बनेलौं 
गरदन लगा लियऽ मां 
असरण सरण बुझि एलौं सरण हम 
कोरा उठा लियऽ मां 
लाले लाले अड़हुल के माला बनेलौं

बुधवार, 12 अप्रैल 2023

नैन सँ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै लिरिक्स | Nain Sa Nain Milal Nasha Bejod Bhelai Lyrics

Nain Sa Nain Milal Nasha Bejod Bhelai Lyrics In Hindi | Nain Sa Nain Milal Maithili Song By Kunj Bihari Mishra 

नैन सँ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै - 2
जानि ने साँझ पड़ल की,
जानि ने साँझ पड़ल की, कखन भोर भेलै,
नैन सँ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै,
नैन सँ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै,
जानि ने साँझ पड़ल की,
जानि ने साँझ पड़ल की, कखन भोर भेलै,
नैन सँऽ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै

उठा कऽ जाम पिबैये, कियौ मैखाना में - 2
एतऽ नै जाम नै मैखाना, कियै शोर भेलै - 2
जानि ने साँझ पड़ल की,
जानि ने साँझ पड़ल की, कखन भोर भेलै,
नैन सँऽ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै

हिया हलचल ने बुझै क्यौ, अइ जमाना में - 2
जगा कऽ टीस हृदय में, केहेन कठोर भेलै - 2
जानि ने साँझ पड़ल की,
जानि ने साँझ पड़ल की, कखन भोर भेलै,
नैन सँऽ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै…..

सुनाबी दर्द हृदय केर, पीर ककरो जों - 2
कहैये लोक वाह-वाह, गज़ल बेजोड़ भेलै - 2
जानि ने साँझ पड़ल की,
जानि ने साँझ पड़ल की, कखन भोर भेलै,
नैन सँऽ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै,
जानि ने साँझ पड़ल की,
जानि ने साँझ पड़ल की, कखन भोर भेलै,
नैन सँऽ नैन मिलल, नशा बेजोड़ भेलै।


सोमवार, 10 अप्रैल 2023

कोना कादो लागल लिरिक्स | Kona Kaado Laagal South Silk Ke Saaree Mein Lyrics

Kunj Bihari Mishra Maithili Song Kona Kaado Laagal South Silk Ke Saaree Mein Lyrics in Hindi

कोना कादो लागल...
कोना कादो लागल साउथ सिल्क के साड़ी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै किया बाड़ी में - 2
कोना कादो लागल…
कोना कादो लागल साउथ सिल्क के साड़ी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2

घीरा देखि कियै मोन ओकियाय यै,
झिमनी पारोर देखि, मोन गरमाय यै,
घीरा देखि कियै मोन ओकियाय यै,
झिमनी पारोर देखि, मोन गरमाय यै,
सौरा माछ तकै छी, पोठिक नाम ने लै छी - 2
किया गंजन करै छी, बुढ़हारी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2

भैर दिन हाथे हाथ रखै छी,
आहाँ ने कोनो काज करै छी,
भैर दिन हाथे हाथ रखै छी,
आहाँ ने कोनो काज करै छी,
धेने रहै छी खिड़की, मंद माइर कऽ मुसकी - 2
ई सबटा गुण होय छै बिगड़ल नारी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2

राइत अन्हरिया चोर आबै यै,
हमरा भेल कियौ ओल खुनै यै,
राइत अन्हरिया चोर आबै यै,
हमरा भेल कियौ ओल खुनै यै,
चौंक गेलौं हम चुप्पे, चोर आयल छल सांचे - 2
फसल सरधुआ ओझरायल छल साड़ी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कोना कादो लागल.....
कोना कादो लागल साउथ सिल्क के साड़ी में,
कनियाँ बैग़न तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2


इहो पढ़ब:-