अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
10 मई 2024
Home
/
Dilip Darbhangiya
/
Durga Bhajan
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Song Lyrics
/
आशा के दीप जरेने लिरिक्स - Aasha Ke Deep Jarene Lyrics
आशा के दीप जरेने लिरिक्स - Aasha Ke Deep Jarene Lyrics
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
हम आयल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
हम आयल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने -2
साहस तऽ दीय मैया बिपइतियो में रहि ली हम
आबै जे संकट केहनों माँ हैंस हैंस क सहि ली हम
साहस तऽ दीय मैया बिपइतियो में रहि ली हम
आबै जे संकट केहनों माँ हैंस हैंस कऽ सहि ली हम
देलौं नोरे सं चरण पखाइर माँ
कनी तकियौ ने
देलौं नोरे सऽ चरण पखाइर माँ
कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने -2
नै धूप दीप मैया नै अछि बेलपात
फूले ने अक्षत मैया खाली ये हम्मर हाथ
नै धूप दीप मैया नै अछि बेलपात
फूले ने अक्षत मैया खाली ये हम्मर हाथ,
तइयो बैसल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
तइयो बैसल छी आहीं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ न -2
चाही ने धन आ समपैत ने चाही सोना चाँदी
मांगै छी अगबे ममता रूसल छी किए भवानी
चाही ने धन आ समपैत ने चाही सोना चाँदी
मांगै छी अगबे ममता रूसल छी किए भवानी
कोरा उठा लीय मन में बिचाईर
माँ दरभंगिया के
कोरा उठा लीय मन में बिचाईर
मैथिल प्रशांतो के
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
आशा के दीप जरेने ममता के डोरी धेने
हम आयल छी अहिं के दुआरि माँ
कनी तकियौ ने - 2
बेटा करै ये गोहाइर माँ कनी तकियौ ने -2
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/05/maithili-panchang-2024-2025.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2019/06/vat-savitri-barsait-katha.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !