सोमवार, 10 अप्रैल 2023

कोना कादो लागल लिरिक्स | Kona Kado Lagal Lyrics

Kunj Bihari Mishra Maithili Song Kona Kado Lagal South Silk Ke Saaree Mein Lyrics in Hindi

कोना कादो लागल...
कोना कादो लागल साउथ सिल्क के साड़ी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै किया बाड़ी में - 2
कोना कादो लागल…
कोना कादो लागल साउथ सिल्क के साड़ी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2

घीरा देखि कियै मोन ओकियाय यै,
झिमनी पारोर देखि, मोन गरमाय यै,
घीरा देखि कियै मोन ओकियाय यै,
झिमनी पारोर देखि, मोन गरमाय यै,
सौरा माछ तकै छी, पोठिक नाम ने लै छी - 2
किया गंजन करै छी, बुढ़हारी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2

भैर दिन हाथे हाथ रखै छी,
आहाँ ने कोनो काज करै छी,
भैर दिन हाथे हाथ रखै छी,
आहाँ ने कोनो काज करै छी,
धेने रहै छी खिड़की, मंद माइर कऽ मुसकी - 2
ई सबटा गुण होय छै बिगड़ल नारी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2

राइत अन्हरिया चोर आबै यै,
हमरा भेल कियौ ओल खुनै यै,
राइत अन्हरिया चोर आबै यै,
हमरा भेल कियौ ओल खुनै यै,
चौंक गेलौं हम चुप्पे, चोर आयल छल सांचे - 2
फसल सरधुआ ओझरायल छल साड़ी में,
कनियाँ बैगन तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कोना कादो लागल.....
कोना कादो लागल साउथ सिल्क के साड़ी में,
कनियाँ बैग़न तोरऽ गेलियै कियै बाड़ी में - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2
कनियाँ यै... कनियाँ यै - 2


इहो पढ़ब:-


कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !