अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
10 अप्रैल 2023
Home
/
Maithili Lokgeet
/
Maithili Vivah Song
/
किया रुसल छी एखने सं दूल्हा कहु लिरिक्स | Kiya Rusal Chhi Ekhne Sa Lyrics
किया रुसल छी एखने सं दूल्हा कहु लिरिक्स | Kiya Rusal Chhi Ekhne Sa Lyrics
किया रुसल छी यौ...
किया रुसल छी एखने सं दूल्हा कहु - 2
एतय सोना के पिरहि दुयाइर भेटत - 2
अपन कुलक अहाँ पहिले परिचय दिय,
जे मंगय छी अहाँ सं से सब लै दिय
अपन कुलक अहाँ पहिले परिचय दिय,
जे मंगय छी अहाँ सं से सब लै दिय
तखन जा क दुलहिनिया सं परिणय लिय - 2
कतेक पढ़ने छी यौ...
कतेक पढ़ने छी हमरा सं दूल्हा कहु
नै त ढाकी में भैर-भैर के गाइर भेटत - 2
परोपट्टा में उत्तम ऐछ हमर इ गांव,
देखु फुले फुलायल ऐछ सबहक दलान
परोपट्टा में उत्तम ऐछ हमर इ गांव,
देखु फुले फुलायल ऐछ सबहक दलान
हमर दीदी के मुखरा छैन चन्दा समान - 2
अहाँ बिद्ध में ने यौ...
अहाँ बिद्ध में ने कुनो उधारी करू
ऐय उधारी में हम नय दुआइर छेकब
एहन ससुर ने भेटत, ने कनियाँ एहन - 2
आ ने एहन छबीली सन साइर भेटत - 2
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2023/04/kona-kaado-laagal-south-silk-ke-saaree.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2023/04/raja-janak-ji-ke-baag-mein-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !