...
🕉️
✨ आगामी त्यौहार
माह शिवरात्रि
📅 11 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब अहाँ सब मिथिलावासी लेल नबका वेबसाइट पूर्ण रूपे तैयार अछि, आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

18 अप्रैल 2024

तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै लिरिक्स - Tu Jo Ne Sunbe Mai Ge Hum Kahan Jebai Lyrics

हारल डेरायल जिनगी
हारल डेरायल जिनगी कोना कऽ बितेबई
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
हारल डेरायल जिनगी कोना क बितेबई
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबें मै गे

स्वारथ के दुनियाँ में नै कोनो सहारा
झूठक ई रिश्ता नाता अपना पराया
आशा तोरे सं हमरा माता भवानी
राखी जेना जे हमरा सब तोरे माया
नोर बहा कऽ तोरे
नोर बहा कऽ तोरे चरण भिजेबई
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे

तू छें दयालू माता से त जनै छी
तोरे ई दुनियाँ में हम किए कनै छी
कनियों दया कर जननी कोरा उठा ले
अवगुण क्षमा कऽ माँ गे छाती लगा ले
सईदखन पूजब हम तोरे
सईदखन पूजब हम तोरे तोरे गुण गेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे

चाही ने हमरा माँ गे महल अटारी
तू ही बता दे जीवन कोना हम गुजारी
चंचल ई मोन माँ गे बात ने माने
दुखहरणी दुर्गा मैया बूझे लाचारी
दरभंगिया भावे तोरा
दरभंगिया भावे तोरा भजन सुनेबइ
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे हम कहाँ जेबै
तू जो ने सुनबे मै गे

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »