शुक्रवार, 11 अक्तूबर 2024

चरन सरन हम एलौं हे जननी लिरिक्स - Charan Saran Ham Elau He Janani

चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं
चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं 

जगदम्बा आहां जननी जगत में 
जगदम्बा आहां जननी जगत में 
ककरा की नहिं देलौं 
ककरा की नहिं देलौं हे जननी
चरन सरन हम एलौं 
चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं ... 

पहिले केलौं दुलार बहुत गुनी
पहिले केलौं दुलार बहुत गुनी
आब निठुर किया भेलौं 
आब निठुर किया भेलौं हे जननी
चरन सरन हम एलौं 
चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं... 

सकल ठाम सं भेलहुं निरास्रित
सकल ठाम सं भेलहुं निरास्रित
बेकल चरन पद भेलहूं 
बेकल चरन पद भेलहूं हे जननी
चरन सरन हम एलौं 
चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं...

अपन भक्ति अब ताकू दयामयी
अपन भक्ति अब ताकू दयामयी
अंतिम विनय सुनैलौं 
अंतिम विनय सुनैलौं हे जननी
चरन सरन हम एलौं 
चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं 
चरन सरन हम एलौं हे जननी, चरन सरन हम एलौं...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !