शुक्रवार, 11 अक्तूबर 2024

भय गेल भांगक बेरा उठु हे गौड़ा लिरिक्स - Bhay Gel Bhangak Bera Uthu He Gaura

भय गेल भांगक बेरा उठु हे गौड़ा 
भय गेल भांगक बेरा उठु हे गौड़ा

हम कोना उठब इस्वर महादेव
गणपति सुतल छथि कोरा, 
उठु हे गौड़ा...

सासु नै ननदि मोरा, 
किनका हम देबनी कोरा,
कोना क पिसब भांगक गोला,
उठु हे गौड़ा...

आँचर ओछाए दिअ,
गणपति सुताए दिअ,
तखन पीसु भांगक गोला
उठु हे गौड़ा...

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !