...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

30 सित॰ 2025

मैया बड़ दुलरी लिरिक्स - Maiya Bar Dulri Lyrics

Maiya Bar Dulri Maithili Devi Song By Poonam Mishra

मैया बड़ दुलरी,
अपना सेवक पर,
अपना सेवक पर सहाय रहती,
मैया बड़ दुलरी,

कहाँ सोभे बाजूबंद, कहाँ टिकुली,
हे मैया, कहाँ सोभे बाजू बन्द, कहाँ टिकुली,
कहाँ सोभे डरकस, 
कहाँ सोभे डरकस, कहाँ नुपरि,
मैया बड़ दुलरी

बाहि सोभे बाजूबंद, माथे टिकुली,
हे माता, बाहि सोभे बाजूबंद, माथे टिकुली,
डार सोभे डरकस,
डार सोभे डरकस, पैर नुपरि,
मैया बड़ दुलरी

हाथ सोभे कंगना अंगूर मुण्डरी
हे दुर्गा, हाथ सोभे कंगना अंगूर मुण्डरी
गला सोभे मुण्डमाल,
गला सोभे मुण्डमाल, सीर सिंदूरी,
मैया बड़ दुलरी

आगैर देब छागैर देब, देब अचरी
हे मैया, आगैर देब छागैर देब, देब अचरी
बीच मे हम मौड़ी देब, 
बीच मे हम मौड़ी देब, सोना घुंगरी,
मैया बड़ दुलरी

केरा देब, पेरा देब रस माधुरी, 
हे मैया, केरा देब, पेरा देब रस माधुरी, 
मैया के मंदिर बीच,
मैया के मंदिर बीच, खेलब ठुमरी,
मैया बड़ दुलरी, 


1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »