अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
26 सित॰ 2025
Home
/
Durga Bhajan
/
Maithili Putra Pradeep
/
Maithili Song Lyrics
/
अंगना में आईब गेली दुर्गा भवानी लिरिक्स - Angna Mein Aabi Geli Durga Bhawani Lyrics
अंगना में आईब गेली दुर्गा भवानी लिरिक्स - Angna Mein Aabi Geli Durga Bhawani Lyrics
अंगना में आईब गेली दुर्गा भवानी
मगन भेल इ आय मिथिला के धरती
बहुत जतन सं हम कलश बैसेलियै,
नारियल संग आम्र पल्लव लेलियै,
रंग बिरंगक फूल लोड़ल'लियै,
सजाय लेलियै हम अड़हुल फूलक डाली,
मगन भेल इ आय मिथिला के धरती...
मईट सनलियै हम शिव जी बनेलियै,
मैय्या के संग हम शिव के पूजलियै,
अक्षत चंदन गंगा जल चढ़ा के,
मनाए लेलियै मैय्या भोला के भोरे,
मगन भेल इ आय मिथिला के धरती...
लाले लाल धागा में माला बनेलियै,
मैय्या के गर्दैन में माला पहिरेलियै,
भोग लगाय मा के धूप देखेलियै,
सजाए लेलियै आय लाले रंग चुनरी,
मगन भेल इ आय मिथिला के धरती
तेसर नयन में 'प्रदीप' देखलियै,
त्रिशूली ऊपर में जयंती चढेलियै,
मह-मह भेल सुगन्धित मंदिर,
नमन गेलियै आय मैय्या के बेरी,
मगन भेल इ आय मिथिला के धरती..
गीतकार : मैथिली पुत्र 'प्रदीप'
गायक : राम बाबू झा, पायल मुखर्जी
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/09/maiya-bar-dulri-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2025/09/darshan-diya-maa-durga-bhawani-lyrics.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !