...
🌺🌸
✨ आगामी त्यौहार
मधुश्रावणी
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
आब मेनू के बहुत सरल बना देलगेल अछि, ऊपर में बांया कात तीन लाइन पर क्लिक क अपन पसन्दक सामग्री देखी-पढ़ी सकय छी।

25 मार्च 2022

आहे सधि आहे सखि लय जनि जाह - विद्यापति Aahe sadhi aahe sakhi lay jani jaah

आहे सधि आहे सखि लय जनि जाह,
हम अति बालिक आकुल नाह।

गोट-गोट सखि सब गेलि बहराय,
ब केबाड पहु देलन्हि लगाय।

ताहि अवसर कर धयलनि कंत,
चीर सम्हारइत जिब भेल अंत।

नहि नहि करिअ नयन ढर नीर,
कांच कमल भमरा झिकझोर।

जइसे डगमग नलिनिक नीर,
तइसे डगमग धनिक सरीर।

भन विद्यापति सुनु कविराज,
आगि जारि पुनि आमिक लाज।

रचनाकार : विद्यापति

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »