शनिवार, 19 मार्च 2022

मैथिली फिल्म के पुनर्जीवित केलैथ निर्देशक, एक्टर मुरलीधर

मैथिली सिनेमा आ संगीतक क्षेत्रके विस्तृत केनिहार प्रसिद्ध निर्देशक, नायक, सगीतकार मुरलीधर ( Actor Murali Dhar ) एकटा सशक्त व्यत्क्तित्वक नाम अछि। जदि मुरलीधर जी के मैथिली फिल्मक उद्धारक कहल जाए त अहि में कोनो अतिशयोक्ति नहिं। मुरलीधर मूलरूप सँ मटनाजे गांव, नेपाल के निवासी छैथ। 1978 मे भारत सरकारक छात्रवृति सं मुंबई पहुचि पद्म विभूषण पं. जसराज सं संगीत सीखबाक संगे इप्टा सं सेहो जुरलैथ।

सुरु मे मुरलीधर के इच्छा गायक बनबाक रहैन आ किछु फिल्मक लेल गीत सेहो गेलैथ मुदा हुनका अपेक्षित सफलता नै भेटलनि। आ पुनः संगीतकार बनबा लेल प्रयास करय लगलाह। पहिल बेर एकटा नेपाली फिल्म 'देवकी' मे संगीत निर्देशन केलाक उपरांत हिंदी फिल्म 'मेम साहेब', 'यथार्थ' आदि लेल संगीत देबाक अवसर भेटलनि। 


इहो पढ़ब :-

● कनि हैंस क कहूं, कनि कैस क कहूं - लिरिक्स

बीआर चोपड़ा के महाभारत मे कृपाचार्य सहित अनेको हिंदी, नेपाली आ मैथिली फिल्मक अभिनेता मुरलीधर निर्देशक रूप में तखन चर्चित भेलाह जखन 1999 मे हिनक कथा-पटकथा, निर्देशन, संगीत आ अभिनयक उत्कृष्टता मैथिली फिल्म "ससता जिनगी महग सेनुर" जहन प्रदर्शित भेल, अंहि फिल्म के दर्शक के खूब प्यार भेटल छल। 2011 मे हिनक दोसर मैथिली फिल्म आयल छल "सजना के आँगन में सोलह सिंगार'' इहो फिल्म नीक छल मुदा पहिल फिल्म जंका एकरा सफलता नै भेटल। मुरलीधर एहि फिल्म लेल एकटा गीत सेहो गेने छलैथ।  


इहो पढ़ब :-

● पद्मश्री गायक उदित नारायण झा के जीवनी मैथिली में

पहिल बेरा हिंदी फिल्म 'नक्सलपंथी' मे बतौर नायक रूप मे काज करबाक उपरांत नेपालीक कृष्णा मे सेहो बतौर नायक काज केलथि। मुरलीधर मैथिली फिल्म निर्माण के पुनर्जीवित करय में महत्वपूर्ण भूमिका निभौला।

1 टिप्पणी:

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !