...

मिथिला धरोहर | मैथिली पंचांग 2026-27, मैथिली लोकगीत लिरिक्स...

मिथिला धरोहर — मैथिली लोकगीत लिरिक्स, विवाह गीत, मैथिली भगवती गीत लिरिक्स, मैथिली शिव भजन लिरिक्स, भजन, छठ, होली, मधुश्रावणी गीत लिरिक्स। मैथिली पंचांग, विवाह, उपनयन मुहूर्त, मिथिला के मंदिर, लोकदेवता, साहित्यकार परिचय, कथा-कहानी, गोनू झा के कहानी एवं मिथिला संस्कृति से जुड़ी सम्पूर्ण जानकारी।

🌺🌸
✨ मधुश्रावणी
मधुश्रावणी व्रत कथा संग्रह पूजा बिधि विधान सहित
📅 अगस्त 2026
और पढ़ें »
📢
​🎉 अहाँक लेल आबि गेल अछि 'संगी'! मिथिला धरोहरक नव स्मार्ट असिस्टेंट 'संगी' सँ भेंट करू। आब पंचांग, पावनि-तिहार, विवाह गीत वा गोनू झाक कथा खोजब भेल आओर सुगम। नीचाँ देल (दांया कात) चैट बटन पर क्लिक करू आ 'संगी' सँ तुरन्त गप्प करू!

30 नव॰ 2015

उदित नारायण झा जीवनी | Udit Narayan Biography

Biography of Udit Narayan in Maithili

मिथिला धरोहर : उदित नारायण - Udit Narayan Jha Maithili Singer के जन्म ०१ दिसंबर,१९५५ के बिहार'क सुपौल Supaul जिला के बसई ग्राम मे भेल छनि। ओना किछु लोग के कहब अछि जे हिनक जन्म नेपाल मे भेल छल जाहिके उदित नारायण हमेशा सँ खंडन करैत रहल छथि। हिनकर पिता के नाम हरे किशना झा अछि जे नेपाल स्थित भारदह के निवासी छलैथ और माँ के नाम भुवनेश्वरी झा जे की सहरसा के छलथि। उदित नारायण झा के स्कूली शिक्षा पी. बी. स्कूल, राजबिराज सँ पूर्ण भेल जे पूरी नेपाल मे स्थित अछि। एहिके उपरांत ओ रेडियो नेपाल मे मैथिली और नेपाली लोक गाना गाबि के अपन कॅरियर के शुरूआत केलैथ।
उदित जी' अपन फिल्मी कॅरियर के आरंम्भ नेपाली फिल्म “सिंदुर” सँ केलैथ। साल १९७८ मे ओ मुंबई आबि गेला। १९८० मे हिनका पहिल बेर कुनो फिल्म मे गीत गेबा के मौका भेटलनि। फिल्म “उन्नीस बीस” मे पहिल बेरा हिन्दी फिल्म मे गाना गेलैथ। ताहिके उपरांत 'बड़े दिल वाला, तन-बदन आदि फिल्म मे गीत गेलैथ। मुदा हिनका सब सँ बेसी सफलता भेटलनि सुपरहिट फिल्म “कयामत से कयामत तक” के गीत'क लेल। एहि गीत लेल हिनका पहील बेर सर्वश्रेष्ठ पार्श्वगायक के फिल्मफेयर अवार्ड भेटलनि।

इहो पढ़ब:-

उदित नारायण के साल २००९ मे भारत सरकार द्वारा पद्मश्री अवार्ड देल गेल छल। उदित नारायण जी के जादू भरल आवाज हिनका तीन बेरा नेशनल अवार्ड के पृस्कार भेटलनि। हिनका सर्वश्रेष्ठ पार्श्वगायक के राष्ट्रीय पुरस्कार तीन बेरा भेटल छनि जाहिमे साल २००२ मे फिल्म “लगान” के गीत (मितवा..) दोसर बेरा फिल्म “जिंदगी खूबसूरत है” के गीत (छोटे-छोटे सपने) और तेसर बेरा फिल्म “स्वदेश” के गीत (यह तारा वह तारा..) के लेल हिनका इ पृस्कार देल गेल छलैन। तहिके उपरांत हिनका पांच बेरा सर्वश्रेष्ठ पार्श्वगायक के फिल्मफेयर अवार्ड सेहो प्रदान कैल गेल छलैन। हिनका इ अवार्ड फिल्म कयामत से कयामत तक, दिलवाले दुल्हनिया ले जाएंगे, राजा हिंदुस्तानी, हम दिल दे चुके सनम, लगान एहन सुपरहिट फिल्मों के लेल भेटलनि। उदित नारायण झा के 'पद्म भूषण' (२०१६) अर्थात देशक सर्वोच्च नागरिक सम्मान सँ सेहो ससम्मानित कैल गेल छनि। संगेह हिनक झोली मे औरो बहुते रास पुरस्कार शामिल अछि। उदित नारायण झा एखन धरी ३० टा भाखा मे लगभग १५ हजार गीत गाबि चुकल छथि। जाहि मे मैथिली भाखा सेहो अछि। उदित नारायण जी एखन धरि मैथिली फिल्म 'सस्ता जिनगी महग सेनुर' (१९९९), 'आऊ पिया हमर नगरी' (२०००), 'सेनुरक लाज' (२००४), 'कखन हरब दुख मोर' (२००५), 'दुलरुआ बाबु (२००५), 'सजना के अंगना में सोलह सिंगार (२०११), 'मुखिया जी' (२०११), 'साजन अहां बिना' (२०१२), 'ललका पाग' (२०१४), 'मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड' आदि फिल्म मे बहुते रास गीत गाबि चुकल छथि।

इहो पढ़ब:-

उदित नारायण जी दू टा बियाह केने छथि। हिनक पहील कनियाँ के नाम रंजना झा छन्हि, जाहि सँ हुनका एकटा बेटा अछि। हिनक दोसर बियाह दीपा नारायण सँ भेल छनि, उदित जी हिनका संगे बहुते रास मैथिली फिल्म मे संगे-संग गीत गेने छथि। ओना दिपा जी बंगाली छथिन मुदा मैथिली ठीकठाक बाइज लअ छथि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !

🎵 मैथिली लिरिक्स और देखें »
🪔 पावनि-तिहार और देखें »
Ask संगी
संगी मिथिला धरोहर सहायक
चैट हिस्ट्री

अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।

हमारे बारे में
🏛️ हमरा बारे में
मिथिला धरोहर — मैथिली भाषा, संस्कृति, लोकगीत, पंचांग, भजन और साहित्य केँ समर्पित एकटा डिजिटल मंच अछि। हमर लक्ष्य अछि मिथिला केँ पुरान परंपरा आ ज्ञान केँ आधुनिक पीढ़ी तक पहुँचाएब। चैटबॉट संगी अहाँक हर सवालक जवाब देबाक लेल सदैव तत्पर अछि। संस्थापक: प्रभाकर मिश्रा
संपर्क करें
मिथिला धरोहर के "संगी" चैटबोट सं चैट कोना करब?
संगी सं सबाल करबाक दु टा तरीका अछि, पहिल टाइप (लिख) के आ दोसर बाजि के। बाजि क सबाल पूछबा लेल अहाँके दांया कात माइक बला बटन पर क्लिक करय पड़त। पहिल बेरा माइक बटन दबेला पर परमिशन मांगत, अनुमति देलाक उपरांत अहाँ बाजि क सबाल पूछी सकय छी।
🔍 शर्च में की लिखी

पंचांग/तिथि खोजी रहल छी त:
जेना, "मैथिली पंचाग 2027" खोजी रहल छी त अहाँ लिखू —
मैथिली पंचाग 2027

मंत्र खोजी रहल छी त:
कुनो पाबनि या विधि के नाम के संग "मंत्र" लिखू, जेना —
चौरचन पूजा मंत्र तर्पण मंत्र जनेऊ मंत्र

गीतक संग्रह खोजी रहल छी त:
भगवती गीत लिरिक्स नचारी गीत लिरिक्स विवाह गीत मधुश्रावणी गीत

कुनो विशेष गीत खोजी रहल छी त:
ओहि गीतक बोल के 5-6 शब्द लिखू, जेना —
जगदम्ब अहिं अबलम्ब हमर छोट छोट रोड़ी गरैया सिर के सिंदूर रे गवानवा सबहक सुधि अहाँ लै छी

कहानी खोजी रहल छी त:
गोनू झा के कहानी लेल लिखू —
गोनू झा कहानी

कथा खोजी रहल छी त:
मधुश्रावणी पूजा के सम्पूर्ण कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पूजा कथा
कुनो विशेष दिन कथा लेल लिखू —
मधुश्रावणी पहिल दिन कथा मधुश्रावणी पांचम दिन कथा

मंदिर खोजी रहल छी त:
श्याम मंदिर दरभंगा उच्चैठ भगवती उग्रतारा मंदिर

नमस्कार! हमर नाम 'संगी' छी, हम अहाँक कोना मदद करब?
कोना search करू? ताहि लेल एतय क्लिक करू