सोमवार, 30 नवंबर 2015

उदित नारायण झा जीवनी | Udit Narayan Biography

Biography of Udit Narayan in Maithili

मिथिला धरोहर : उदित नारायण - Udit Narayan Jha Maithili Singer के जन्म ०१ दिसंबर,१९५५ के बिहार'क सुपौल Supaul जिला के बसई ग्राम मे भेल छनि। ओना किछु लोग के कहब अछि जे हिनक जन्म नेपाल मे भेल छल जाहिके उदित नारायण हमेशा सँ खंडन करैत रहल छथि। हिनकर पिता के नाम हरे किशना झा अछि जे नेपाल स्थित भारदह के निवासी छलैथ और माँ के नाम भुवनेश्वरी झा जे की सहरसा के छलथि। उदित नारायण झा के स्कूली शिक्षा पी. बी. स्कूल, राजबिराज सँ पूर्ण भेल जे पूरी नेपाल मे स्थित अछि। एहिके उपरांत ओ रेडियो नेपाल मे मैथिली और नेपाली लोक गाना गाबि के अपन कॅरियर के शुरूआत केलैथ।
उदित जी' अपन फिल्मी कॅरियर के आरंम्भ नेपाली फिल्म “सिंदुर” सँ केलैथ। साल १९७८ मे ओ मुंबई आबि गेला। १९८० मे हिनका पहिल बेर कुनो फिल्म मे गीत गेबा के मौका भेटलनि। फिल्म “उन्नीस बीस” मे पहिल बेरा हिन्दी फिल्म मे गाना गेलैथ। ताहिके उपरांत 'बड़े दिल वाला, तन-बदन आदि फिल्म मे गीत गेलैथ। मुदा हिनका सब सँ बेसी सफलता भेटलनि सुपरहिट फिल्म “कयामत से कयामत तक” के गीत'क लेल। एहि गीत लेल हिनका पहील बेर सर्वश्रेष्ठ पार्श्वगायक के फिल्मफेयर अवार्ड भेटलनि।

इहो पढ़ब:-

उदित नारायण के साल २००९ मे भारत सरकार द्वारा पद्मश्री अवार्ड देल गेल छल। उदित नारायण जी के जादू भरल आवाज हिनका तीन बेरा नेशनल अवार्ड के पृस्कार भेटलनि। हिनका सर्वश्रेष्ठ पार्श्वगायक के राष्ट्रीय पुरस्कार तीन बेरा भेटल छनि जाहिमे साल २००२ मे फिल्म “लगान” के गीत (मितवा..) दोसर बेरा फिल्म “जिंदगी खूबसूरत है” के गीत (छोटे-छोटे सपने) और तेसर बेरा फिल्म “स्वदेश” के गीत (यह तारा वह तारा..) के लेल हिनका इ पृस्कार देल गेल छलैन। तहिके उपरांत हिनका पांच बेरा सर्वश्रेष्ठ पार्श्वगायक के फिल्मफेयर अवार्ड सेहो प्रदान कैल गेल छलैन। हिनका इ अवार्ड फिल्म कयामत से कयामत तक, दिलवाले दुल्हनिया ले जाएंगे, राजा हिंदुस्तानी, हम दिल दे चुके सनम, लगान एहन सुपरहिट फिल्मों के लेल भेटलनि। उदित नारायण झा के 'पद्म भूषण' (२०१६) अर्थात देशक सर्वोच्च नागरिक सम्मान सँ सेहो ससम्मानित कैल गेल छनि। संगेह हिनक झोली मे औरो बहुते रास पुरस्कार शामिल अछि। उदित नारायण झा एखन धरी ३० टा भाखा मे लगभग १५ हजार गीत गाबि चुकल छथि। जाहि मे मैथिली भाखा सेहो अछि। उदित नारायण जी एखन धरि मैथिली फिल्म 'सस्ता जिनगी महग सेनुर' (१९९९), 'आऊ पिया हमर नगरी' (२०००), 'सेनुरक लाज' (२००४), 'कखन हरब दुख मोर' (२००५), 'दुलरुआ बाबु (२००५), 'सजना के अंगना में सोलह सिंगार (२०११), 'मुखिया जी' (२०११), 'साजन अहां बिना' (२०१२), 'ललका पाग' (२०१४), 'मिथिला मखान प्राइवेट लिमिटेड' आदि फिल्म मे बहुते रास गीत गाबि चुकल छथि।

इहो पढ़ब:-

उदित नारायण जी दू टा बियाह केने छथि। हिनक पहील कनियाँ के नाम रंजना झा छन्हि, जाहि सँ हुनका एकटा बेटा अछि। हिनक दोसर बियाह दीपा नारायण सँ भेल छनि, उदित जी हिनका संगे बहुते रास मैथिली फिल्म मे संगे-संग गीत गेने छथि। ओना दिपा जी बंगाली छथिन मुदा मैथिली ठीकठाक बाइज लअ छथि।

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !