रविवार, 27 जून 2021

मैथिली जोक्स और मजेदार चहटगर चुटकुला

😊 प्रेमक अजब कहानी

लड़का : काइल सं हम दुनु केतौ और भेंट करब।

लड़कीं : किया ?

लड़का : बड़ खच्चर य अहाँक टोलक छौरा।

लड़की : किया कि भेल ?

लड़का : कुक्कुर पाछु लगा क कहैत ऐछ पीछे “जब प्यार किया तो डरना क्या।”



😀 रमनजी के कानियाँ बादाम खै रहल छली...। 

रमनजी - कनि हमरो टेस्ट कराउ। 

कनियाँ एकटा बादाम रमनजी के हाथ में राखी देलनी, बाकि अपने खै लगली।

रमनजी बाजल - बस एके टा...! 

कनियाँ तमसाइत कहली - हं, बाकियो कऽ स्वाद एहने छै...।



इहो पढ़ब - Maithili Song : कनि हैंस क कहूं, कनि कैस क कहूं - लिरिक्स



😁 दु गो महिला पुरुष कऽ आलस पर गप्प कऽ रहल छली।

ओहिमे सं एकटा मुस्कुराइत बजली - 'हमर घरबला तऽ एकदम सं चिल्का जंका छै।' 

अहि पर दोसर कहै लागल - 'हमर घरबला कऽ सेहो यैह हाल छै, की कहब, बाहरकऽ काज कऽ जहन ब्लाउज मऽ बटन लगबै लेल बैसै छै, तऽ सुईया मऽ डोरा तक हमरे पैसा बऽ पड़ैत ऐछ।'



😆 बियाहक पहिले दिन लड़का नरभसा रहल छलै जे कनियाँ सँ गप्प कोना शुरू कैल जाय ?

कोबर मे पहुंचल : 5 मिनट लेल तऽ कानियाँ लग चुपेचाप बैसल रहल। ओकरा बाद धीरे सं बाजल: "की नाम छि आह के ?"

दुलहिन शरमाईत बिजली : "किया, बियाहक कार्ड पर तोहर मौसी कऽ नाम छापल रहौ की..." 


जरूर पढ़ब - आवश्यक मंत्र : चौठचन्द्र, दूर्वाक्षत, उल्का भ्रमण, अगस्त्यार्घदान, देवोत्थान, यज्ञोपवीत, कुशोत्पाटन, अंनत सूत्र आदि

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !