शुक्रवार, 7 अगस्त 2020

मैथिली चुटकुला : कैह दै छि हंसी नै रुकत...।

1. पत्नी- हमरा नबका साड़ी चाहि, अम्मा जान सं मंगा लिअ न।
पति- कोन अम्मा जान?
पत्नी- वैह अपन दुकान अम्मा जान।
पति- अरे गंवार, अम्मा जान नै, Amazon छियैय ओ ।


2. साउस पुतौह सं तामस भरल लहजा मे - इ अहाँक नैहर नै, सासुर छी। एतए अहाँक नै हमर चलत।
पुतौह -  मां, नैहर त एतए हिनको नै छिएन। हिनको त सासुरे छिएन ने, फेर हिनकर किया चलतैन?


इहो पढ़ब:-


3. साउस के बाहर सं चीचयाबय के अबाज आयल - 
साउस- कनियाँ के छी बाहर?
पुतौह - मां यै, भिखारी छियै, हम भगा देलियैन।
साउस (तामस मे)- हे, हमरा बिना पूछले भिखारी के भगा देलियै, ओकरा जल्दी आपस बजाउ। 
पुतौह जहने भिखारी के बजेलक, ओ खुशी सं भागैत आपस ऐल।
साउस- सुन रे भिखारी, ऐ घर के मालकिन हम छियै । खबरदार जे फेर सं भीख मांगए एलें, आब भाग एतए सं।


इहो पढ़ब:-


4. फुलचनमा सासुर गेल,
साउस 7 दिन तक लगातार गेनाहारी के साग खुएलक
8मा दिन पूछलक : पांहुन की खेथिन ? 
फुलचनमा - मां आब त इ खेत देखा दौथ, गेनाहारी हम अपने चैर आयब...


5. सिंटू - फोनक घंटी सुइन क पेकन फोन उठेल
दोसर दिस सं आबज आयल...
हेलो, फ्रिज चैल रहल ऐछ ? 
हं चैल रहल ऐछ, अहाँ के ? 
- त फेर पकैड़ लिअ , नै त भाइग जैत।
फोन केनिहार कनि देर बाद दोबारा फोन केलक - हेलो, फ्रिज ऐछ? 
सिंटू (तामस सं) - नै ऐछ।
फोन केनिहार - कहने छलौं पकैड़ लिअ, नै त भाइग जैत...!!!

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !