अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
3 अग॰ 2021
मिथिला मे एकमात्र अंकुरित सरस्वती - गम्हरिया (बेनीपट्टी)
बेनीपट्टी प्रखंडक गम्हरिया गाम में अंकुरित भगवती सरस्वती देशक एकमात्र अंकुरित सरस्वती मन्दिर अछि। जिला मुख्यालय सँ लगभग पचीस किलोमीटर कऽ दूरी पर अवस्थित गम्हरिया गाम में अंकुरित मां सरस्वती स्थान छैक, ( Sprouted Saraswati Mandir Ghamharia, Benipatti ) गम्हरिया कऽ छोड़ि कतहु अन्य स्थल पर माता सरस्वतीक प्रतिमा एखन धरि अंकुरित भेल होइ से सुनबा में नै आयल। सरस्वतीक ई मूर्ति कारी रंगक दिव्य शिलाखंड पर बनल अछि।सरस्वती मंदिर में प्रत्येक दिन भोर-साँझ पूजा,आरती आ माता के भव्य श्रृंगार कएल जाईत छैन्ह। बसंत पंचमीक सरस्वती पूजा दिन माता कें विधि–विधान सँ ५६ प्रकारक भोग लगाओल जाईत छैक। अहि मंदिरक सम्बन्ध में स्थानीय लोकक कहब छैन्ह कि १९४८ में गम्हरिया गाम में कोनो साधु संत आयल रहथि आ वएह मूर्ति के ओहि स्थान में माटि में ग'रल हेबाक भविष्यवाणी कएने रहथिन। ओहि महात्मा द्वारा बताओल स्थान पर खुदाई करबा ग्रामीण सभ मिल माता सरस्वतीक मूर्ति कें विधि–विधान पूर्वक स्थापित कऽ पूजा–अर्चना शुरु कऽ देलनि। मान्यता अछि की सरस्वती कें कृपा सँ गाम जल्दिये विकसित गामक रुप में प्रसिद्ध भऽ गेल।
ग्रामीण सभक सामूहिक प्रयास सँ मूर्ति स्थल पर मंदिरक निर्माण कराओल गेलै। वर्तमान समय में अंकुरितभगवती सरस्वती कें दर्शन ओ पूजा लेल निरंतर दोसर प्रांत आ पड़ोसी देश नेपाल तक सँ श्रद्धालु मंदिर पहुंच पूजा पाठ कऽ मनोवांक्षित आशीर्वाद प्राप्त करैत छथि। अंकुरित आ जागृत माता सरस्वती सभक उपर अपन कृपा बरसबैत छथि।
Tags
Mandir
शेयर करू
Newer Article
⏳
Older Article
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/08/maithili-panchang-2021-22.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/05/anant-puja-mantra.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
Tags:
Mandir
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)


कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !