सुनु सुनु रसिया
आब न बजाऊ बिपिन बंसिया
सुनु सुनु रसिया
आब न बजाऊ बिपिन बंसिया
बेर-बेर चरणारविन्द गहि,
सदा रहब हम बनि दसिया
अनुभव ऐसन मदन भुजंगम,
ह्रदय मोर गेल डसिया
की छलहुँ कि होएब नही जानहु,
वृथा होएत कुल हँसिया
नंद-नन्दन तुअ सरनन त्यागब,
बरु जग होए दुर्जसिया
विद्यापति कह सुनु बनितामनि,
तोहर मुख शीतल शसिया
धन्य-धन्य तोर भाग गोआरिनी
भरि भजु ह्रदय हुलसिआ
Sunu Sunu Rasiya - Lata Mangeshkar Version
आंगन आयब जब रतिया
पलटी चलब रे सत हंसिया
आबे से आँचर पिया धरबे हो
जायब हम ना रे मन बसिया
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया,
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया
हो अब न बजाऊ बिपिन बंसिया -2,
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया,
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया
बार-बार विनय करत हो, यौ ना बजा मन बतिया -2,
जल जमना में फेक मुरलिया -2,
बन जाऊं मैं तोरी दसिया
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया,
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया
विद्यापति कहे इस बंसी में, प्यार हमारा बतिया -2,
जनम-जनम के संग्गी राधे -2,
मोहन हृदय हुलतिया
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया,
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया
हो अब न बजाऊ बिपिन बंसिया -2,
सुनु सुनु रसिया, सुनु सुनु रसिया,
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !