बुधवार, 14 अगस्त 2024

पिया डांरे पर घईला भसैक गेलै ना लीरिक्स - Bhetal Je Chithi Padhalau Dhiyan Sa Lyrics

Piya Dare Par Ghaila lyrics

भेटल जे चट्टी पढलौ धियान सं -2
आबय छी गाम जैन फुललौ गुमान सं
कसमस तन आंगी मसैक गेलै ना
पिया डांरे पर घईला भसैक गेलै ना
पिया डांरे पर घईला भसैक गेलै ना

चानन सं अंगना आ दुअरा बहाइर दीय
कहने छी भोरक बयार सं
आयब जे बाटे त रस्ता ठाड़ रहब,
कहने छी मोनक कहार सं
नाचब हम कोना से आयब त देखबै
कहलो हम फुसिये हम लाजे त मरबै
करबै की मोने सनैक गेलै ना

पनघट सं पाईनक घट भैर के अबैत छलौ
गमकैत छल गेंदा गुलाब
हमरे सिहा क फूल पर भभरा 
नाचै छल पि क शराब
दाई गे दाई बेसुध में ई की हम केलियै
जाय के छल अंगना दलान चैल गेलियै
करबै की डेगे बहैक गेलै ना
पिया डांरे पर घईला भसैक गेलै ना

जागल में सपना सन आबि जाउ प्रीतम
जैम क लगायब सचार
बेनियो डोलयन मोन सँ निहारब
सजबै हम सोलह सिंगार
धुर जाऊ ई तोरा सोचब अंगोर यौ
चिक्कस सनैत छलौ बैन गेलै घोर यौ
करबै की हाथो सहैक गेलै ना
पिया डांरे पर घईला भसैक गेलै ना 

कोई टिप्पणी नहीं:

एक टिप्पणी भेजें

अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !