अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
9 अग॰ 2024
Home
/
Maithili Film Song
/
Maithili Song Lyrics
/
जाइ छी त जाइ छी ऐना किया जाइ छी लिरिक्स - He Yau Pahun Hammar Karej Lene Jai Chhi Lyrics
जाइ छी त जाइ छी ऐना किया जाइ छी लिरिक्स - He Yau Pahun Hammar Karej Lene Jai Chhi Lyrics
जाइ छी तऽ जाइ छी ऐना किया जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी -2
जाइ छी तऽ जाइ छी ऐना किया जाइ छी
जाइ छी तऽ जाइ छी ऐना किया जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
सांझे में एलियै राति नै बुझलियै
बुझबो नै केलौं भोरकवा में गेलियै
थाकल झमारल जे नीन पड़ल बुचिया
चल गेल पियवा से कहलक सहेलिया
चल गेल पियवा से कहलक सहेलिया
हम्मर सुकुमारि मोन कोना तोरी जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
कोना पर तारि हम्मर खोइछा सजेलौं
कौआ नै बजले की आहाँ चल गेलौं
गंगा दाय के ओझा नै ऐना पराय छै
उलहन दै सखिया ई छौड़िए हरजाई छै
उलहन दै सखिया ई छौड़िए हरजाई छै
पिया जी दुलरुवा इ की केने जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइछी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइछी
तरुआ तिलकोर सब तोरले रैहि गेल
हाथहि खुआबितों से मोने में रहि गेल
दहि मटकुरिक सब दुइर भऽ जेतै
गे दाय जननिए कते के खेतै
गे दाय जननिए कते के खेतै
पिया निरमोहिया मोह देने जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
जाइ छी तऽ जाइ छी ऐना किया जाइ छी
जाइ छी तऽ जाइ छी ऐना किया जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइछी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
हे यौ पाहुन हम्मर करेज लेने जाइ छी
अल्बम : गाम वाली कनियां
गायक : पण्डित हरिनाथ झा
गीतकारः देवकांत मिश्रा
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2024/08/chal-ge-gangiya-dubki-lagaibai-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/01/mahashivratri-vrat.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)

bahut hi nik geet aaich
जवाब देंहटाएं