अखन तक कोनो पुरान चैट सहेजल नहि अछि।
9 अप्रैल 2021
दुहुक संजुत चिकुर फूजल | विद्यापति
दुहुक संजुत चिकुर फूजल,
दुहुक दुहू बलाबल बूझल ।
दुहुक अधर दसन लागल,
दुहुक मदन चौगुन जागल ।
दुअओ अधर करए पान,
दुहुक कंठ आलिंगन दान ।
दुअओ केलि संग संग भेलि,
सुरत सुखे बिभाबरि गेलि ।
दुअओ सअन चेत न चीर,
दुहु पिआसन पीबए नीर ।
भनइ विद्यापति संसय गेल,
दुहुक मदन लिखना देल ।
रचनाकार - विद्यापति
शेयर करू
नव पोस्ट
⏳
पुरान पोस्ट
⏳
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/04/premak-najuk-bandhan-lyrics.html
https://mithiladharohar.blogspot.com/2021/04/new-maithili-jokes.html
❤ अहाँक इहो पसंद आयत:
⏳
सदस्यता लें
टिप्पणियाँ भेजें (Atom)
कोई टिप्पणी नहीं:
एक टिप्पणी भेजें
अपन रचनात्मक सुझाव निक या बेजाय जरुर लिखू !